YouVersion Logo
Search Icon

चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 22

22
भीडमे पावलके सन्देश
1“हौ बाबु-भैय्यासब, हमे आपन बारेमे जे कुछु कहैले चाहैछियै, ओकरा ध्यानसे सुन।”
2पावलके हिब्रू भाषामे बोल्ल सुनिके सभे आदमीसब चुप भेलै। तब ऊ कहैल्कै,
3“हमे ते यहूदी आदमी छियै। हमर जनम किलिकिया प्रदेशके टार्सस सहरमे भेलै, मगर हमर पालन-पोषण इहे यरूशलेम सहरमे ही भेलै। हमे गुरुजी गमलिएलके चरणमे रहिके आपनसिके बाप-पुर्खाके विधि-विधानसिके निष्ठा पूर्वक पालन करैके लिए विस्तारसे सिखलियै आर हम्हुँ परमेश्वरके लिए एरं जुनूनसे भर्ल रहियै, जेरं ऐज तुहेंसब छह। 4हमे मरद आर जनानी दोनोके बान्हिके आर जेलमे बन्द कर्याके, यी प्रभुके पथमे चलेवाला आदमीसिके एत्तेतक सतैलियै कि ओकरासिके मरवैय्यो देलियै। 5खुद प्रधान पुजारी आर सभे महासभाके यहूदी आदमीसिके अगुवा भी गवाह छै। उहेसब हमरा दमसकस सहरमे भेल यहूदी भ्या-बहिनसिके नाममे चिट्ठी देल्कै आर ऊ चिट्ठीमे हमरा प्रभु येशूमे विश्वास करेवाला आदमीसिके पकडैले अधिकार मिल्ल रहै। सेल्याके ओकरासिके यरूशलेम सहरमे आनिके सजाय दियैके मकसदसे हमे दमसकस सहरमे गेलियै रहे।
6जब हमे यात्रा करिके दमसकस सहरके नज्दिक पहुँचलियै ते एरं भेलै कि लगभग दिपहरियाके समयमे एका-एक आकाशसे बहुते तेज उजेत हमर चारो तरफ चमक्लै। 7आर हमे जमिनमे गिर्लियै आर तखनिहैं हमरा एरं कहते एकटा आवाज सुन्लियै, ‘हे शाउल, हे शाउल तुहें कहिने हमरा सताबैछैं?’ 8तब हमे पुछलियै, ‘हे प्रभु, तुहें के छह?’ तब ऊ हमरा कहैल्कै, ‘नासरत गाँवमे रहेवाला येशू हम्हीं छियै, जकरा तुहें सताबैछैं।’ 9तब हमरसंगे जतनें झन रहै, ऊसब उजेत ते देखल्कै, आर जे हमरसंगे बोल्ते रहै, ऊसब उटा आवाजके भी सुनल्कै, मगर ऊ आवाज हमरा कि कहैल्कै से बात ऊसब नैबुझल्कै। 10तब हमे कहैलियै, ‘हे प्रभु, आब हमे कि करियै?’ प्रभु हमरा कहैल्कै, ‘उठिके दमसकस सहरमे जो, आर जे कुछु तोरा करैके लिए ठहरैल छै ओत्ते तोरा सभे बतैल जैतौ।’ 11जब उटा उजेतके तेजके कारणसे हमरा कुछु दिखाई नैदेल्कै, तब हमे हमर संगमे हुएवाला आदमीसिके हात पक्डीके दमसकस सहरमे पहुँचलियै।
12दमसकस सहरमे हननिया नामके प्रभु येशूके एकटा चेला रहै। ऊ मूसाके विधि-विधान पालन करेवाला धर्मी आदमी रहै आर दमसकस सहरमे रहेवाला यहूदी आदमीसब सभेको ओकर मान-इज्जत कर्ते रहै। 13ऊ हमरलगत ऐलै आर हमर बगलमे खडा भ्याके कहैल्कै, ‘भ्या शाउल, फेर देखेवाला भ्याजो।’ तखनिहैं हमे फेरसे देखे लाग्लियै आर हमे हननियाके देख्लियै। 14तब ऊ हमरा कहैल्कै, ‘तुहें हमरसिके बाप-पुर्खाके परमेश्वरके इच्छा जाने सकह कहिके ही ऊ तोरा चुन्लकहौं छे। तुहें धर्मी मसीहाके देखैके लिए आर ओकर आवाज सुनैके लिए चुन्लकहौं छे। 15कहिनेकी तुहें ओकर तरफसे सभे आदमीसिके समनामे उटा बातसिके गवाह हैभ, जे तुहें देख्लह आर सुन्लह छे। 16ते आब कहिने इन्तजार करैछ? उठ आर बप्तिस्मा ल्या आर येशूके नामके पुकारा करिके आपन पापके माफी पाब।’
17जब हमे फेर यरूशलेम सहरमे आबिके परमेश्वरके मन्दिरमे प्रार्थना कर्ते रहियै, तब हमे दर्शन देख्लियै। 18हमे प्रभुके देख्लियै आर प्रभु हमरा कहैल्कै, ‘जल्दीसे यरूशलेम सहरसे निक्लीके जो, कहिनेकी हमर विषयमे देल तोर गवाही एत्ते भेल आदमीसब स्वीकार नैकर्तौ।’ 19हमे कहैलियै, ‘हे प्रभु, हमर बारेमे ओकरासिके सभे बात मालुम छै#२२:१९ हमर बारेमे ओकरासिके सभे बात मालुम छै पावलके विचार एरं रहै कि यहूदी आदमीसब ओकरा आर ओकर चरित्रके बढियाँसे चिन्हल्कै रहे, ओकरासिके मालुम रहै कि ओकर व्यवहार बदलाव हुऐके पाछु ओकरसंगे बढियाँ कारणसब रहै आर सेल्याके ऊसब ओकर बात सुन्तै आर ओकर उदाहरणके अनुसरण कर्तै।। हमे बहुते यहूदी आदमीसिके सभाघरमे जैके तोरापर विश्वास करेवालासिके पकड्ते आर मारपिट कर्ते जेलमे बन्द कैलियै। 20आर जब तोरसिके गवाह स्तिफनसके खून बहैल जैते रहै, तखनी भी हमे ओत्ते खडा रहियै, आर यी बातमे सहमत रहियै, आर ओकर हत्यारासिके कपडाके रखवाली कर्ते रहियै।’ 21तब प्रभु हमरा कहैल्कै, ‘जो, कहिनेकी हमे तोरा गैर-यहूदी आदमीसिकते दूर-दूर तक भेज्बौ।’ ”
22आदमीसब एत्तेतक ते पावलके बात सुन्ते रहलै, तब ऊसब बडका आवाजसे हल्ला करे लाग्लै, “एरंको आदमीके जान मार, ओकर जिन्दा रहना उचित नैछै!” 23ऊसब चिकर्ते आर आपन बाहरी कपडा फेकते आर आपन गोस्सा देखाबैके लिए आकाशमे धुर उडैते रहै। 24तब सेनापति सिपाहीसिके आदेश देल्कै, “ओकरा सेनाके छावनीमे ल्याजो, कोडा लग्याके एकरासे पुछ-ताछ कर, ताकी हमरा मालुम है कि आदमीसब कथिले एकर विरोधमे एतनें हल्ला करैछै।” 25जब सेनासब पावलके हात टानिके कोडा लगाबैके लिए बान्हल्कै, तब पावल आपन बगलमे भेल कप्तानके पुछल्कै, “कोनो रोमी नागरिकके कोडा लगाना कानूनके मुताबिक सही छै आर ऊ भी ओकरा बिना कोनो दोषके?” 26कप्तान यी सुन्लके बाद सेनापतिके आबिके कहैल्कै, “तुहें कि करे लाग्लह छे? कहिनेकी यी आदमी ते रोमी नागरिक छै।” 27तब सेनापति आबिके पावलके पुछल्कै, “हमरा क कि तुहें रोमी नागरिक छैं?” ऊ कहैल्कै, “हौं हमे छियै।” 28सेनापति जबाब देल्कै, “हमे ते यी नागरिक हक बहुते पैसासे किनिके पैलियै छे।” पावल कहैल्कै, “हमे ते जनमसिद्ध रोमी नागरिक छियै।” 29तब ऊसब जे ओकरासे पुछ-ताछ कर्ते रहै, तुरन्ते पावलके छोडिके ओत्तेसे हट्लै। आर सेनापति भी यी बात जानीके बहुते डरी गेलै कि ऊ एकटा रोमी नागरिकके सिक्कड ल्याके बान्हल्कै रहे।
यहूदी आदमीसिके महासभाके समनामे पावल
30मगर दोसर दिन यहूदी आदमीसब पावलपर कहिने आरोप लगैल्कै कहिके यी बात ठीकसे पता लगाबैके लिए सेनापति ओकर बन्धन खोली देल्कै आर प्रमुख पुजारीसब आर महासभाके सभे सदस्यसिके जमा हुऐके आज्ञा देल्कै। आर पावलके निच्चा आनिके ओकरसिके समनामे खडा कैल्कै।

Highlight

Share

Compare

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in

Videos for चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 22