YouVersion Logo
Search Icon

चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 19

19
एफिससमे पावल
1जब अपोल्लोस कोरन्थी सहरमे रहै ते, पावल गलातिया आर फ्रिगीया प्रदेशसिसे हैते एफिसस सहरमे ऐलै। ओत्ते ओकर कुछु चेलासिसे भेट भेलै। 2ऊ ओकरासिके पुछल्कै, “जब तुहेंसब विश्वास कैल्हैं ते कि पवित्र आत्मा पैल्हैं?” ऊसब ओकरा कहैल्कै, “पवित्र आत्मा छै कहिके हमेसब ते सुन्बो नैकैलियै छे।” 3तब पावल ओकरासिके कहैल्कै, “तब तुहेंसब केरंको किसिमके बप्तिस्मा लेल्हैं?” ऊसब कहैल्कै, “हमेसब बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके देल बप्तिस्मा लेलियै।” 4पावल कहैल्कै, “बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना आदमीसिके बप्तिस्मा देल्कै जे पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगैल्कै रहे। मगर ऊ इस्राएलीसिके कहैल्कै येशूमे विश्वास कर जे ओकरबाद ऐतै, जे ख्रीष्ट छै।” 5यी बात सुनिके ऊसब प्रभु येशूके नाममे बप्तिस्मा लेल्कै। 6जब पावल ओकरासिपर हात राखल्कै, तब पवित्र आत्मा ओकरसिके उप्परमे ऐलै आर ऊसब अनजान भाषामे बोले लाग्लै आर भविष्यवाणी करे लाग्लै। 7ऊसब लगभग बारह आदमी रहै।
8तब पावल यहूदी आदमीसिके सभाघरमे जैके करीब तीन महिनातक निडर भ्याके बोल्ते रहलै, आर परमेश्वरके राज्यके विषयमे आदमीसिसे वाद-विवाद कर्ते आर सम्झैते रहलै। 9मगर जब कुछु आदमीसब कठोर भ्याके विश्वास करैले इन्कार कैल्कै, आर आदमीसिके समनामे प्रभुके पथके बारेमे खराब बात बोले लाग्लै ते, पावल ओकरासिके छोडिके चेलासिके अलग क्या लेल्कै, आर चेलासिके आपन संगमे लज्याके टुरानसके पाठशालामे शिक्षा दिए लाग्लै। 10यी काम दी सालतक चल्ते रहलै, आर एशिया प्रदेशमे रहेवाला यहूदी आदमीसब आर यूनानी आदमीसब सभेको प्रभुके वचन सुन्लकै।
11परमेश्वर पावलके द्वारा असाधारण चमत्कारसब कैल्कै। 12एत्तेतक कि ओरमाल या गमछा ओकर शरीरमे छुव्याके बेमारी आदमीसिके लगत आनै, आर ओकरसिके शरीरसे रोग ठीक भ्याजै आर भूत भी ओकरासिसे निक्ली जै। 13मगर इन्हर-उन्हर घुमे-फिरेवाला कुछु यहूदी आदमीसब जेसब ओझा रहै, ऊसब भी भूत लाग्ल आदमीसिके उप्पर येशूके नाम अजमाबैके कोशिश शुरु कैल्कै। ऊसब भूतसिके एरं कहते रहै, “येशूके नामसे, जकर प्रचार पावल करैछै, हमे तोरा आदेश दैछियौ, तुहें यी आदमीसे बाहार निक्ली जो!” 14ओत्ते स्केवास नामके एकटा यहूदी आदमी रहै, ऊ प्रमुख पुजारीके सातटा बेटासब रहै, जेसब अहिने ही कर्ते रहै। 15मगर भूत ओकरासिके जबाब देल्कै, “येशूके हमे चिन्हैछियै, आर पावलके भी हमे चिन्हैछियै, मगर तुहेंसब के छैं?” 16आर ऊ आदमी जकरा भूत लाग्ल रहै ऊ आदमी ओकरासिपर झपटल्कै आर सभैके पटकल्कै, आर ओकरासिके एतनें मारपिट कैल्कै कि ऊसब नंगा हालतमे घायल भ्याके उटा घरसे भाग्लै। 17यी बात एफिसस सहरमे रहेवाला यहूदी आदमी आर यूनानी आदमीसब सुनल्कै आर सभैके डर भेलै। ऊसब प्रभु येशूके नामके बहुते आदर कैल्कै। 18आर जेसब विश्वास कैल्कै रहे, ओकरासिमेसे बहुते आदमीसब खुलिके आपन सभे दुष्ट कामके स्वीकार कैल्कै। 19आर बहुते जादु-टोना करेवाला आदमीसब भी आपन पोथी-पतरासिके जमा करिके सभैके समनामे जर्या देल्कै। जरैलके बाद जब आदमीसब ऊ सभे पोथी-पतरासिके दामके अन्दाजा लगैल्कै ते लगभग पचास हजार चानीके सिक्काके बराबर हिसाब लाग्लै। 20एरंके प्रभुके वचन पुरा शक्ति आर प्रभावसे बढ्ले गेलै आर दूर-दूर तक फैल्ले गेलै।
21यीसब घटनाके बाद पावल पवित्र आत्माके प्रेरणामे अखैया प्रदेश आर माकेडोनिया प्रदेशमे विश्वासीसिके भेटघाट करिके यरूशलेम सहरमे जैके निर्णय कैल्कै। ऊ कहैल्कै, “यरूशलेम सहर पहुँचलके बाद हमरा रोम सहर जाना भी जरुरी छै।” 22सेल्याके पावल आपन सेवा करेवालामेसे तिमोथी आर इरास्तसके माकेडोनिया प्रदेशमे आपनसे पहेला भेजल्कै मगर ऊ खुद कुछु दिन एफिसस सहरमे एशिया प्रदेशमे रहलै।
एफिसस सहरमे उपद्रव
23उहे समयमे प्रभुके पथके विषयमे एफिसस सहरमे खुबे खलबली मच्लै। 24कहिनेकी डेमेत्रियस नामके एकटा सोनार रहै, जे यूनानी देवी आर्तेमिसके चानीके छोटका-छोटका मन्दिरके नमूनासब बनाबै। यी काम करिके ऊ आर ओकर राख्ल कारीगरसब भी बहुते पैसा कमैते रहै। 25तब डेमेत्रियस आपन कारीगर आर अहिने रोजगारसे जुड्ल दोसर आदमीसिके भी जमा करिके कहैल्कै, “हे हौ भैय्यासब! तोरासिके मालुमे छौं, कि इहे व्यापारसे अपनासिके बहुते फैदा हैछै। 26तुहेंसब देखैछह आर सुनैछह कि एफिसस सहरमे खाली नै, मगर लगभग एशिया प्रदेशके सारा गाँवमे यी कहिके पावल बहुते आदमीसिके सम्झैल्कै छे आर भर्मैल्कै भी छे, कि जे हातके कारीगरी छै, ऊ ईश्वर नैछै। 27एरंके आपनसिके काम खाली नै, मगर महान देवी आर्तेमिसके मन्दिर भी बेकम्मा हैतै आर सभे एशिया प्रदेश आर सभे संसारभरके आदमीसिके मान्ल ऐल देवी आर्तेमिसके आराधना भी बन्द हैतै।”
28यी सभे बात सुनिके कारीगरसब गोस्सासे चुर भेलै आर जोरसे हल्ला करिके कहे लाग्लै, “एफिसस सहरवासीसिके आर्तेमिस महान छै।” 29सहरके बहुते आदमीसब होहल्ला सुनल्कै आर जैके भीडके आदमीसिके संगे जुटी गेलै आर सहरमे हंगामा हुए लाग्लै। आर आदमीसब पावलके सहयात्री माकेडोनिया प्रदेशके निवासी गायस आर अरिस्तार्खसके पक्डीके रंगशालामे घिसियैते आनल्कै। 30जब पावल भी रंगशालाके भितर जैके आदमीसिसे बात करैले खोजल्कै मगर चेलासब ओकरा जैले नैदेल्कै। 31एशिया प्रदेशके कतनें झन हाकिमसब पावलके दोस्त रहै। ऊसब पावलके रंगशालाके भितर जैके आपन जान खतरामे नैडालैले समाद भेजल्कै। 32रंगशालाके भितरमे आदमीसब होहल्ला कर्ते रहै, कोय एकटा बात आर कोय दोसर बात, सभे बात गोलमाल रहै। बहुते आदमीसब ते ऊसब कथिले ओत्ते जमा भेलै छे कहिके उहो बात ओकरासिके मालुम नैरहै। 33भीडमेसे कुछु आदमीसब अलेक्जेण्डरके भीडके बीचसे ठेलीके भीडके आगुमे आनल्कै, जकरा यहूदी आदमीसब खडा कैल्कै रहे। आर अलेक्जेण्डर आदमीसिके समनामे हातके इशारासे शान्त कर्याके आदमीसिके समनामे बचाव पक्ष राखैके लिए कोशिश कैल्कै। 34मगर ऊ ते यहूदी आदमी छै, कहिके जब ओकरासिके मालुम भेलै तब सभेकोय करीब दी घण्टा जतनें “एफिसस सहरवासीसिके आर्तेमिस देवी महान छै” कहिके हल्ला कर्ते रहलै। 35तब सहरके हाकिम भीडके आदमीसिके शान्त करिके कहैल्कै, “हे एफिसस सहरवासीसब, सभेकोय जानैछै कि एफिसस सहरके आदमीसब महान देवी आर्तेमिसके मन्दिर आर आकाशसे खस्ल ओकर मूर्तिके रक्षक छै। 36तुहेंसब जानैछ कि यी बात अकाट्य छै, सेल्याके तुहेंसब शान्त रह आर बिना सोची-विचारीके कुछु नैकर। 37तोरसिके आन्ल यी आदमीसब नैते आपनसिके मन्दिर लुटल्कै छे आर नैते आपनसिके देवीके अपमान ही कैल्कै छे। 38सेल्याके डेमेत्रियस आर ओकरसंगे भेल कारीगरसिके ककरो विरुद्धमे सिकायत छै ते ऊसब कचहरीमे ज्या सकैछै आर ओकरसिके मुद्दाके फैसला करेवाला आदमीसब ओत्ते छै, ऊसब ओत्ते एक दोसरपर आरोप लगाबे सकैछै। 39यदि तुहेंसब कोनो दोसर बातके विषयमे कुछु पुछैले चाहैछ ते ओकर फैसला नियमित नागरिक-सभामे हैतै। 40कहिनेकी हमरा डर छै कि हाकिम यी हुलदंगाके बात सुन्तै आर कहतै कि अपनासब रोमी सरकारके विरोधमे बागी भेलियै छे। कहिनेकी यी कारण बिनाके दंगा फसादके कुछु स्पष्टीकरण हमेसब दिए नैसक्बै।” 41आर एतनें कहिके ऊ सभा खतम कैल्कै।

Highlight

Share

Compare

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in