YouVersion Logo
Search Icon

चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 18

18
कोरन्थी सहरमे
1तकरबाद पावल एथेन्स सहरसे बिदा भ्याके कोरन्थी सहरमे गेलै। 2आर ओत्ते ऊ पोन्टस निवासी अकिलास नामके एकझन यहूदी आदमीके भेट कैल्कै, जकर जनम पोन्टस प्रदेशमे भेलै रहे। ऊ आपन पतनी अकिलासके संगे इटालिया प्रदेशसे ऐलै रहे कहिनेकी सम्राट क्लौडियस सभे यहूदी आदमीसिके रोमसे निक्लीके जैके लिए आज्ञा देल्कै रहे। सेल्याके पावल ओकरासिके भेट करैले गेलै। 3पावल आर अकिलासके एक्के व्यापार हुऐके कारणसे पावल ओकरेसिके संगे रहलै आर ओकरसिके संगे काम करे लाग्लै। ओकरसिके व्यापार पाल बनाबेवाला रहै। 4पावल हरेक यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे यहूदी आदमीसिके सभाघरमे वाद-विवाद करिके यहूदी आदमीसिके आर यूनानी आदमीसिके येशूमे विश्वास करैके लिए सम्झैते रहै।
5जब सिलास आर तिमोथी माकेडोनिया प्रदेशसे ऐलै, पावल पाल बनाबैके काम छोडिके वचनके प्रचारमे व्यस्त रहै आर यहूदी आदमीसिके येशू ही ख्रीष्ट छै कहिके ऊ शिक्षा देते रहै। 6मगर जब यहूदी आदमीसब पावलके विरोध आर अपमान करे लाग्लै, तब यी देखाबैके लिए कि परमेश्वर ओकरासिसे बेखुशी छै, ऊ आपन कपडाके धुर झाडीके ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब आपन लिए आपनहैं परमेश्वरके सन्देशके इन्कार करैके कारण आपन उप्परमे सजायके जिम्मेदार हैभैं। ऐजके बाद हमे गैर-यहूदी आदमीसिके लगत जैबै आर परमेश्वरके सन्देश प्रचार कर्बै।” 7तब ऊ यहूदी आदमीसिके सभाघरसे एकटा गैर-यहूदी परमेश्वरके भक्ति करेवाला तीतस युस्तसके घरमे गैर-यहूदी आदमीसिके सिखाबैले गेलै। ओकर घर यहूदी आदमीसिके सभाघरके बगलमे रहै। 8तब यहूदी आदमीसिके सभाघरके मुखिया क्रिस्पस सारा घराना समेत प्रभु येशूमे विश्वास कैल्कै, आर कोरन्थीवासिमेसे भी बहुते झन पावलके वचन सुनिके प्रभुमे विश्वास कैल्कै आर बप्तिस्मा लेल्कै। 9एक रात दर्शनमे प्रभु पावलके कहैल्कै, “नैडर, मगर बोल्ते जो, आर चुप नैहु, 10कहिनेकी हमे तोर साथमे छियौ आर कोय तोरा आक्रमण करिके तोर हानी करे नैसक्तौ, कहिनेकी यी सहरमे हमर बहुते आदमीसब छै जे हमर चेला बन्तै।” 11सेल्याके पावल परमेश्वरके वचन सिखैते एक साल छ महिनातक ओकरसिके संगे रहलै।
12जब गलियोन अखैया प्रदेशके शासक रहै, तब यहूदी आदमीसब एकमत भ्याके पावलके विरोध कैल्कै आर ओकरा अदालतके समनामे आनिके कहे लाग्लै, 13“यी आदमी आदमीसिके परमेश्वरके आराधना एरंके करैले फुसियाबैछै, जे विधि-विधानके विरोधमे छै।” 14जब पावल बोल्हैवाला रहै, तब गलियोन ऊ यहूदी आदमीसिके कहैल्कै, “हे यहूदी आदमीसब, अगर यी कोनो अन्याय या दुष्ट अपराधके बात हैतियै ते हमरा तोरसिके बात सुन्ना उचित हैतियै। 15मगर यदि यी वाद-विवाद शब्दसब, नामसब आर तोरसिके आपने विधि-विधानके विषयमे छौ, सेल्याके तुहेंसब आपनहैं यी बातके न्याय कर। हमे एरंको बातके फैसला करैले नैचाहैछियै।” 16तब गलियोन ओकरासिके अदालतसे भगाबैके आदेश देल्कै। 17तब ऊसब सभेको यहूदी आदमीसिके सभाघरके मुखिया सोस्थेनेसके पक्डीके अदालतके ठीक आगुहैमे मारपिट करैले शुरु करिदेल्कै। मगर गलियोन यीसब बातके कोनो मतलबे नैराखल्कै।
एन्टीओखियामे लौटिके आना
18तकरबाद पावल बहुते दिनतक कोरन्थी सहरमे रहलै। तकरबाद विश्वासी भ्यासिके संगे बिदा भ्याके पानी जहाजमे चढिके सिरिया प्रदेश चल गेलै। ओकरसंगे अकिलास आर प्रिस्कीला भी रहै। सिरिया प्रदेश जैसे पहेला किंक्रिया सहरमे पावल आपन केशके मुण्डन करैल्कै कहिनेकी ऊ एकटा संकल्प लेल्कै रहे। 19तब ऊसब एफिसस सहरमे गेलै, ओत्ते पावल अकिला आर प्रिस्कीलाके छोडी देल्कै। जब पावल ओत्ते रहै, ऊ यहूदी आदमीसिके सभाघरमे गेलै आर यहूदी आदमीसिके संगे बातचित कैल्कै। 20तब आदमीसब ओकरा आरहौ कुछु दिन ओकरसिके संगे रहैले बिन्ती कैल्कै मगर पावल नैमानल्कै। 21ओकरसिके संगे बिदा हुऐके समयमे ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “परमेश्वरके इच्छा हैतै ते हमे फेर वापस तोरसिकते ऐबौ।” एतनें कहिके ऊ पानी जहाजमे चढिके एफिसस सहरसे चल गेलै।
22जब ऊ कैसरिया सहरमे पहुँचलै तब ओत्तेसे यरूशलेम सहरमे जैके मण्डलीके भेटघाट कैल्कै। तकरबाद एन्टीओखिया सहरमे चल गेलै।
पावलके तेसर प्रचार यात्रा
23पावल एन्टीओखिया सहरमे कुछु दिन रहेलके बाद ओत्तेसे बिदा भ्याके गलातिया प्रदेश आर फ्रिगीया प्रदेशमे सभे चेलासिके मजगुत कर्ते अलग अलग जगहमे गेलै।
अपोल्लोस नामके विद्वान आदमी
24अपोल्लोस नामके एकटा यहूदी आदमी जकर जनम अलेक्जेण्ड्रिया सहरमे भेलै रहे, ऊ कुशल वक्ता रहै आर धरमशास्त्रके बढियाँसे जान्ते रहै। ऊ एफिसस सहरमे ऐलै। 25ऊ प्रभुके पथके शिक्षा पैल्कै रहे आर आत्मामे उत्साहित भ्याके येशूके विषयमे ठीक-ठीक सुनाबै आर सिखैते रहै, मगर ऊ खाली बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके बप्तिस्माके बारेमे जान्ते रहै। 26ऊ यहूदी आदमीसिके सभाघरमे निडर भ्याके बोले लाग्लै। मगर ओकर बोल्ल बात सुनिके प्रिस्कीला आर अकिलास ओकरा आपन घरमे आनल्कै आर परमेश्वरके पथके बारेमे ओकरा आरहौ बढियाँसे सम्झैल्कै। 27जब अपोल्लोसके समुन्दरके उपार अखैया प्रदेशमे जैके मन भेलै ते, विश्वासी भ्यासब ओकर साहास बढैल्कै आर ओकरा स्वागत करैके लिए अखैया प्रदेशके चेलासिके नामसे एकटा चिट्ठी लिखल्कै, कि ऊसब ओकरा स्वागत करै। जब ऊसब ओत्ते पहुँचलै ते ऊसब बहुते सहायता कैल्कै, जेसब परमेश्वरके अनुग्रहसे विश्वासमे आबी गेलै रहे। 28कहिनेकी अपोल्लोस आपन शक्ति आर कौशलके साथ यहूदी आदमीसिके धरमशास्त्रसे सबूत द्या-द्याके येशू ही ख्रीष्ट छै कहिके सार्वजनिक रुपसे निरुत्तर बन्या देल्कै।

Highlight

Share

Compare

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in