चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 17
17
थेसलोनिकी सहरमे पावल आर सिलास
1फेर पावल आर सिलास अम्फिपोलिस सहर आर अपोल्लोनियाँ सहरके रस्ता द्याके थेसलोनिके सहरमे ऐलै। ओत्ते एकटा यहूदी आदमीसिके सभाघर रहै। 2पावल आपन आदत मुताबिक ओकरसिके लगत भितर गेलै, आर तीन हप्तातक यहूदी आदमीसिके विश्राम दिनमे ओकरसिके संगे धरमशास्त्रसे वाद-विवाद कैल्कै। 3आर ओकर मतलब स्पष्ट करिके यी साबित कर्ते रहलै, कि ख्रीष्टके दुःख जरुर उठाना रहै आर मुर्दासे जिन्दा होना निश्चित रहै, “यी येशू, जकर विषयमे खुश-खबरी हमे तोरासिके सुनाबैछिहौं, उहे ख्रीष्ट छै।” 4ओकरासिमेसे कुछु यहूदी आदमीसब, परमेश्वरके भक्ति करेवाला गैर-यहूदी यूनानी आदमीसब, आर बहुते कुलीन जनानीसब प्रभु येशूमे विश्वास करिके पावल आर सिलासके साथमे भ्यागेलै। 5मगर कुछु यहूदी आदमीसब जर्नीसे भरि गेलै, आर बजारसे कुछु आवारा-गुण्डा आदमीसिके जमा करिके सहरमे हुल्लड मचाबे लाग्लै, आर यासोनके घरमे हमला करिके पावल आर सिलासके जनतासिके समनामे खडा कराबैले खोजल्कै। 6आर जब यासोनके घरमे ऊसब नैभेट्लै, ऊसब यासोन आर कुछु विश्वासी भ्यासिके सहरके हाकिमसिके लगत जोरसे हल्ला कर्ते घिसियैते ल्यागेलै, “यी आदमीसब जेसब सभे जगहमे परेशानी फैल्या देल्कै छे, एथौ ऐल छै। 7आर यासोन एकरासिके आपन घरमे रहैके लिए अनुमति देल्कै छे, यीसब रोमी महाराजाके कानूनके विरोध करैछै आर कहैछै एकटा दोसरे आदमी जकर नाम येशू छै उहे हमरसिके राजा छै।” 8आदमीसिके भीड आर सहरके हाकिमसब यी बात सुनिके परेशान भ्यागेलै। 9आर ऊसब यासोन आर ओकर संगमे भेल बाँकी आदमीसिके जमानत ल्याके छोडी देल्कै।
बेरिया सहरमे पावल आर सिलास
10विश्वासी भ्यासब तुरन्ते पावल आर सिलासके रातीए बेरिया सहरमे भेजी देल्कै, आर ऊसब ओत्ते पहुँचीके यहूदी आदमीसिके सभाघरमे गेलै। 11यी यहूदी आदमीसब थेसलोनिके सहरके यहूदी आदमीसिसे बेसी भला रहै। कहिनेकी ऊसब बहुते उत्सुकताके साथ वचन स्वीकार कैल्कै आर यी बातसब ठीके एरं छै कि नैछै कहिके सभे दिन धरमशास्त्रमे पढिके खोजै। 12सेल्याके बहुते यहूदी आदमीसब विश्वास कैल्कै। ओहिने करिके बहुते इज्जतदार यूनानी जनानीसब आर बहुते मरदसब भी प्रभु येशूमे विश्वास कैल्कै। 13मगर जब पावलके द्वारा परमेश्वरके वचन बेरिया सहरमे प्रचार हैछै कहिके थेसलोनिके सहरके यहूदी आदमीसिके मालुम भेलै ते, ऊसब ओत्ते भी आबिके हुल्लड मचाबे लाग्लै आर आदमीसिके भडकाबे लाग्लै। 14तब विश्वासी भ्यासब पावलके तुरन्ते समुन्दरके किनार जैके लिए बिदा कैल्कै। मगर सिलास आर तिमोथी बेरिया सहरमे ही रहि गेलै। 15ऊ आदमीसब जे पावलके ल्याके जैते रहै ओकरसंगे एथेन्स सहरतक गेलै। मगर पावलके देल यी आज्ञाके साथ ऊसब बेरिया सहर वापस लौटिके ऐलै ताकी सिलास आर तिमोथीके जल्दी ही ओकरलगत भेजी देल जै।
एथेन्स सहरमे पावल
16जब पावल ओकरासिके एथेन्स सहरमे इन्तजार कर्ते रहै, उटा सहरके देवी-देवताके मूर्तिसे भर्ल देखिके ऊ आत्मामे बहुते दुखित भेलै। 17तब ऊ यहूदी आदमीसिके सभाघरमे यहूदी आदमीसिके संगे आर परमेश्वरके भक्ति करेवाला गैर-यहूदी आदमीसिके संगे यी विषयमे तर्क-वितर्क कर्ते रहै आर हरेक दिन चौक-चौराहामे आबे-ज्यावाला आदमीसिके संगे संगे येशूके विषयमे बातचित कर्ते रहै। 18तब कुछु शिक्षकसब जेसब इपिक्युरी या स्तोइकी नामसे पहचान्ल जैते रहै ऊसब पावलसे तर्क करे लाग्लै, आर कुछु आदमीसब कहैल्कै, “यी बक-बकिया आदमी कि कहैले चाहैछै?” मगर दोसर आदमीसब कहैल्कै, “ऊ कोनो विदेशी देव देवताके प्रचार करेवाला आदमीके जुगुर लागैछै।” कहिनेकी ऊ येशू आर मुर्दासे जिन्दा हुएवाला बातके खुश-खबरी प्रचार कर्ते रहै। 19तब ऊसब ओकरा अरियोपागस-सभामे ल्यागेलै आर पुछल्कै, “कि हमेसब जाने सकैछियै कि तुहें यी कोन नया शिक्षाके प्रचार करैछैं? 20कहिनेकी जे कुछु तुहें कहैछ, ऊ हमरसिके लिए एकदम नया लागैछै। सेल्याके यी बातके मतलब कि छै से हमेसब जानैले चाहैछियै?”
21एथेन्स सहरमे रहेवाला आदमीसब आर ओत्ते रहेवाला परदेशीसब आपन सारा समय नया-नया बात सुनै-सुनाबैमे बितैते रहै। 22तब पावल अरियोपागस-सभाके बीचमे खडा भ्याके कहैल्कै, “एथेन्स सहरमे रहेवाला आदमीसब, हमे देखैछियै कि तुहेंसब हर तरहसे बहुते धर्म-प्रेमी आदमीसब छह। 23जब हमे घुम्ते-फिरते तोरसिके आराधनाके चीजसब गौरसे देख्ते रहियै ते, हमरा एकटा एरंको वेदी भेट्लै जकरापर लिख्ल रहै, ‘अनजान ईश्वरके लिए।’ सेल्याके जकरा तुहेंसब बिना जानले बुझले आराधना करैछ, हमे ओकरे बारेमे तोरासिके बताबैछियै। 24परमेश्वर, जे संसार आर ओकरामे भेल सभे चीजसब बनैल्कै, ऊ आकाश आर धर्तीके मालिक हुऐके कारणसे हातसे बनैल मन्दिरमे ऊ बास नैकरैछै। 25ओकरा कोनो चीजके जरुरत पडै जुगुर ओकरा आदमीके सहायताके जरुरत नैछै, कहिनेकी उहे ही सभैके जीवन, साँस आर सभे कुछु दैछै। 26ऊ एक्केटा आदमीसे सारा धर्तीमे बास करैके लिए जात-जातके आदमीसिके बनैल्कै। ऊ ओकरसिके रहैके समय आर जगह भी निश्चित करिदेल्कै, 27परमेश्वर यीसब इहे ल्याके कैल्कै कि आदमीसब ओकरा खोजै आर शायद ऊसब खोज्ते-खोज्ते पाबि भी लै फेर भी परमेश्वर अपनासिमेसे कक्रहौसे दूर नैछै। 28कहिनेकी कोय लिखल्कै छे, ‘ऊ आपनसिके संगमे छै सेल्याके अपनासब जियैछियै, आर ओकरामे चहल पहल करैछियै आर ओकरामे हमरसिके अस्तित्व छै।’ ठीक ओहिने जेरं तोरसिके कवीसब भी कहैल्कै छे, ‘अपनासब निश्चय ही ओकरे बाल-बच्चा छियै।’ 29सेल्याके अपनासब परमेश्वरके बाल-बच्चा हुऐके कारणसे, ईश्वर सोना, चानी या पत्थल जुगुर छै कहिके अपनासिके नैसोचना चाही, यीसब आदमीके कारीगरी आर कल्पनासे गढ्ल गेलै छे। 30सेल्याके परमेश्वर आदमीसिके एरंको अज्ञानताके समयके ध्यान नैदेल्कै, मगर आब सभे जगहमे सभे आदमीसिके पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके आज्ञा दैछै। 31कहिनेकी ऊ एक दिन तय करिदेल्कै छे, जे दिन ऊ आपन चुन्ल एकटा आदमीके द्वारा धार्मिकतासे संसारके आदमीसिके फैसला कर्तै। ओकरा मुर्दासे जिन्दा बन्याके ऊ यी बातके सबूत सभे आदमीसिके देल्कै छे।”
32मुर्दासे जिन्दा हुऐके बात सुनिके कुछु आदमीसब उटा बातके मजाक उडाबे लाग्लै, आर कुछु आदमीसब पावलके कहैल्कै, “यी बात हमेसब तोरासे फेर कहियो सुन्बौ।” 33तकरबाद पावल ओकरसिके बीचसे चल गेलै। 34मगर कुछु आदमीसब ओकरसंगे भ्यागेलै आर प्रभु येशूमे विश्वास कैल्कै। ओकरसिमे अरियोपागस-सभाके सदस्य डिउनिसियस नामके एकटा आदमी रहै, दामारिस नामके एकटा जनानी रहै, आर दोसर कुछु आदमीसब भी रहै।
Currently Selected:
चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 17: KYVNT
Highlight
Share
Compare
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.