YouVersion Logo
Search Icon

चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 16

16
पावल आर सिलासके संगे तिमोथीके भेट
1फेर पावल डर्बी सहर आर लुस्त्रा सहरमे भी ऐलै आर ओत्ते तिमोथी नामके एकटा चेला रहै। ओकर मयाँ यहूदी विश्वासी रहै, मगर ओकर बाबु यूनानी रहै। 2लुस्त्रा सहर आर आइकोनियन सहरमे रहेवाला विश्वासी भ्या-बहिनसिके नजरीमे तिमोथीके बहुते इज्जत रहै। 3पावल ओकरा आपन संगमे लजाबैके मन कैल्कै आर यहूदी आदमीसिके कोनो बाधा नैहै कहिके पावल तिमोथीके यहूदी आदमीसिके रिती मुताबिक खतना करिदेल्कै कहिनेकी उटा जगहमे रहेवाला यहूदी आदमीसिके सभैके मालुम रहै कि तिमोथीके बाबु यूनानी आदमी रहै। 4तकरबाद पावल आर ओकर दोस्तसब सहर-सहरमे जैके विश्वासीसिके ऊ नियमसिके पालन करैके लिए सिखाबैले शुरु कैल्कै जे बातके फैसला यरूशलेम सहरके चुन्ल आर भेज्ल चेलासब आर मण्डलीके अगुवासब कैल्कै रहे। 5एरंके मण्डलीसब विश्वासमे मजगुत हैते गेलै आर ओकरसिके गिन्ती हरेक दिन बढ्ते गेलै।
पावलके माकेडोनिया प्रदेशमे वोलावट
6पावल आर ओकर दोस्तसब फ्रिगीया प्रदेश आर गलातिया प्रदेशके इलाका भ्याके गेलै, कहिनेकी पवित्र आत्मा ओकरासिके परमेश्वरके वचन प्रचार करैके लिए एखन एशिया प्रदेशमे नैजैले आदेश देल्कै रहे। 7ऊसब माइसिया प्रदेशके सिमानामे पहुँचलके बाद ऊसब बेथानियाँ प्रदेशमे जैके विचार कैल्कै। मगर येशूके आत्मा ओकरासिके ओत्ते जैले अनुमति नैदेल्कै। 8सेल्याके ऊसब माइसिया प्रदेश भ्याके त्रोआसके बन्दरगाहवाला सहरमे गेलै। 9ओत्ते पावल राती एकटा दर्शन देखल्कै कि माकेडोनिया प्रदेशके निवासी एकटा आदमी खडा भ्याके ओकरा बिन्ती करिके कहैल्कै, “समुन्दरके पार माकेडोनिया प्रदेशमे आब आर हमरासिके सहायता कर।” 10जब ऊ यी दर्शन देखल्कै, तुरन्ते हमेसब माकेडोनिया प्रदेश जैके लिए तैय्यार भेलियै। कहिनेकी ओत्करो आदमीसिके प्रभु येशूके खुश-खबरी सुनाबैके लिए परमेश्वर ही हमरासिके बोलैल्कै छे कहिके हमरासिके मालुम भेलै।
लिडिया नामके एकटा व्यापारी जनानीके विश्वास
11सेल्याके हमेसब त्रोआस सहरसे पानी जहाजमे चढिके सोझे सामोथ्राके टापु महर गेलियै, आर एक दिनके बाद नियापोलिस सहरमे पहुँचलियै। 12आर ओत्तेसे हमेसब फिलिप्पी सहरमे गेलियै, जे माकेडोनिया प्रदेशके प्रमुख सहर आर रोमी सरकारके उपनिवेश भी छै। हमेसब उटा सहरमे कुछु दिनतक रहैलियै। 13यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे हमेसब सहरके फाटकसे निक्लीके लद्दीके किनार महर गेलियै। हमेसब सोच्लियै कि ओत्ते यहूदी आदमीसिके प्रार्थना करैके जगह हैतै, आर बैठिके ऊ जनानीसिसे जेसब जमा भेलै रहे, बातचित करे लाग्लियै। 14हमरसिके बात सुनेवालासिमेसे लिडिया नामके एकटा जनानी रहै। ऊ थिआटिरा सहरके निवासी रहै आर बैगनी रंगके कपडाके व्यापार कर्ते रहै। ऊ परमेश्वरके भक्ति करेवाला एकटा भक्त जनानी रहै। पावलके कहेल बात ध्यानसे सुनै कहिके प्रभु ओकर मन खोली देल्कै। 15प्रभु येशूमे विश्वास करिके लिडिया आर ओकर सारा घराना बप्तिस्मा लेल्कै। तकरबाद ऊ हमरासिके बिन्ती कैल्कै, “यदि तुहेंसब हमरा प्रभुके सच्चा विश्वासी मानैछह ते आबिके हमर घरमे मैजमान बनिके रह।” आर ऊ हमरासिके जिद करिके आपन घरमे ल्यागेलै।
पावल आर सिलासके बन्दी बनैल गेलै
16एक दिन जब हमेसब प्रार्थना करेवाला जगहमे जैते रहियै ते, रस्तामे हमरासिके एकटा लडकी मिल्लै जे दासके जिन्दगी बितैते रहै आर ओकरामे भविष्यके बात बताबेवाला भूत रहै। ऊ आदमीसिके भाग्यके बारेमे बत्याके आपन मालिकसिके लिए बहुते धन कम्याके देते रहै। 17ऊ पावल आर हमरसिके पाछु-पाछु लाग्लै आर एरं कहिके चिकरे लाग्लै, “यी आदमीसब महान परमेश्वरके सेवकसब छै जेसब तोरसिके लिए उद्धारके रस्ता प्रकट करैछौ।” 18ऊ बहुते दिनतक अहिने कर्ते रहलै। आखिरमे पावल एक दिन तंग भ्याके ओकर महर घुमिके ऊ भूतके कहैल्कै, “हमे तोरा येशू ख्रीष्टके नामसे आज्ञा दैछियौ कि तुहें एकरामेसे निक्ली जो।” तखनिहैं भूत ऊ लडकीमेसे निक्ली गेलै।
19जब लडकीके मालिकसब देखल्कै कि ओकरसिके कमाइके आशा खतम भ्यागेलै, तब ऊसब पावल आर सिलासके पक्डीके बजारके चौकमे घिसियैते हुए अधिकारीसिके समनामे ल्यागेलै। 20ऊसब ओकरासिके सहरके रोमी हाकिमसिके समनामे खडा करिके कहैल्कै, “यी आदमीसब यहूदी आदमी छै, आर आपनसिके सहरमे उपद्रव मचाबैछै। 21यी आदमीसब एरं एरं रिती-रिवाज सिखाबैछै जे बात रोमी आदमीसिके स्वीकार करना या पालन करना कानूनके नजरसे मना छै।” 22तब भीडके आदमीसब पावल आर सिलासके विरोधमे मिलिके ओकरसिपर आक्रमण कैल्कै। सहरके हाकिमसब ओकरसिके कपडा चिरिके फेकि देल्कै, आर ओकरासिके छडी लगाबैके आज्ञा देल्कै। 23ऊसब ओकरासिके बहुते छडी लगैलके बाद ओकरासिके कैदमे ध्या देल्कै, आर जेलके दरोगाके एकरासिपर कडा निगरानी करैके आज्ञा देल्कै। 24एरंको आज्ञा पाबिके जेलके दरोगा ओकरासिके भितरके कोठरीमे लज्याके ओकरसिके पैरीके लकडीके बेडीमे जकडीके बान्ही देल्कै।
पावल आर सिलासके जेलसे छुटकारा
25आर आधा रातमे पावल आर सिलास प्रार्थना कर्ते परमेश्वरके भजन गैते रहै आर दोसर कैदीसब से भजन सुन्ते रहै। 26कि एतनेंमे अचानक एकटा बडका भूकम्प गेलै, एत्तेतक कि जेलके जग भी हिली गेलै आर तुरन्ते सभे फाटकसब खुल्लै आर सभे कैदीके हथकडी टूटी गेलै। 27जेलके दरोगा निनसे जाग्लै आर जेलके फाटकसब खुल्ल देखिके सोचल्कै कि कैदीसब भागी गेलै। तब ऊ आत्महत्या करैके विचारसे आपन तलवार निकाल्लकै। 28मगर पावल जोरसे सोर करिके कहैल्कै, “तुहें अपने आपके कोनो हानी नैकर, कहिनेकी हमेसब सभेको एथै छियै।” 29तब ऊ उजेत माँगीके भितर ऐलै आर थर-थर काँप्ते हुए पावल आर सिलासके आगुमे गिरी गेलै। 30आर ओकरासिके बाहार आनिके दरोगा ओकरासिके कहैल्कै, “हे सज्जन आदमीसब! उद्धार पाबैके लिए हमरा कि करे पड्तै?” 31तब ऊसब कहैल्कै, “प्रभु येशू ख्रीष्टमे विश्वास कर, तब तुहें आर तोर घराना उद्धार पैभ।” 32तब ऊसब ओकरा आर ओकर घरमे भेल सभैके प्रभुके वचन सुनैल्कै। 33आर रातीहैं ऊ ओकरासिके लज्याके ओकरसिके घा धोय देल्कै। तब ऊ आर ओकर सभे घराना तुरन्ते बप्तिस्मा लेल्कै। 34तकरबाद ऊ ओकरासिके आपन घरमे लज्याके ओकरसिके आगुमे भोजन राखी देल्कै आर सारा घराना समेत परमेश्वरमे विश्वास करिके ऊसब सभेको बहुते आनन्दित भेल रहै।
35मगर भोर भेलके बाद सहरके हाकिमसब सिपाहीसिके यी आदेश द्याके भेजल्कै, ऊ आदमीसिके छोडी दहैं। 36दरोगा यी बात पावलके सुनैल्कै, “सहरके हाकिमसब तोरासिके छोडी दियैके आज्ञा भेजल्कै छे। सेल्याके आब निक्लीके कुशलसे चल जा।” 37मगर पावल दरोगाके कहैल्कै, “ऊसब हमरासिके जे रोमी आदमीसब छियै, दोषी ही नैठहर्याके ऊसब आदमीसिके समनामे हमरासिके मारपिट कैल्कै आर जेलमे बन्द करैल्कै, आर आब कि हमरासिके चुप-चाप निकाले खोजैछै? नै, यी नैहुए सकैछै। ऊसब खुद आपनहैं आबिके हमरासिके बाहार करक।” 38ऊ सिपाहीसब हाकिमसिके यी बात सुनैल्कै। पावल आर सिलास ते रोमी नागरिक छै कहेल सुनिके ऊसब बहुते डरी गेलै। 39ऊसब आबिके ओकरसिके संगे माफी माँगल्कै, आर ओकरासिके जेलसे बाहार आनिके सहर छोडिके चल जैले बिन्ती कैल्कै। 40ऊसब जेलसे बाहार निक्लीके लिडियाके घरमे गेलै आर विश्वासी भ्यासिके संगे भेटघाट करिके ओकरासिके उत्साह द्याके ओत्तेसे बिदा भ्याके चल गेलै।

Highlight

Share

Compare

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in