YouVersion Logo
Search Icon

चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 13

13
बरनाबास आर शाउलके भेज्ल गेलै
1एन्टीओखिया सहरके बहुते मण्डलीसिमे परमेश्वरके वक्तासब आर शिक्षकसब रहै, यानिकी बरनाबास आर शिमियोन जकर दोसर नाम निगेर भी रहै, कुरेनी सहरके रहेवाला लुकियस, आर देशके चौथाई भागके हेरोद राजाके दूध भ्या मनेन आर शाउल। 2जब ऊसब उपास सहित प्रभुके आराधना कर्ते रहै ते पवित्र आत्मा कहैल्कै, “हमर लिए शाउल आर बरनाबासके ऊ सेवाके लिए अलग कर जकर लिए हमे ओकरासिके बोलैलियै छे।” 3तब उपास आर प्रार्थना करिके ओकरसिके मथामे हात राखिके परमेश्वरके कामके लिए भेजल्कै।
पावलके पहेला प्रचार यात्रा
4शाउल आर बरनाबास पवित्र आत्माके कहेल मुताबिक एन्टीओखिया सहरसे सिलुकिया सहरमे गेलै आर ओत्तेसे पानी जहाजमे चढिके साइप्रस टापुमे गेलै। 5आर सलामिस सहरमे पहुँचीके, परमेश्वरके वचन यहूदी आदमीसिके सभाघरसिमे सुनैल्कै, आर यूहन्ना मर्कूस ओकरासिके सहायता करैले ओकरसिके संगे गेलै। 6तकरबाद ऊसब टापुमे सहर-सहरके यात्रा कर्ते पाफोस सहरमे पहुँचलै। ओत्ते ओकरासिके बार-येशू नामके एकटा जादुगर मिल्लै, जे एकटा यहूदी आदमी आर झुट्ठा परमेश्वरके वक्ता रहै। 7ऊ जादुगर एकटा प्रदेशके शासक सर्गीयस पौलुससंगे रहते रहै। सर्गीयस पौलुस बुद्धिमान आदमी रहै। ऊ बरनाबास आर शाउलके बोल्याके परमेश्वरके वचन सुनैके इच्छा कैल्कै। 8मगर ऊ एलुमास, जकर नाम यूनानी भाषामे जादुगर रहै, ऊ शाउल आर बरनाबासके विरोध करिके सर्गीयस पौलुसके येशूमे विश्वास करैसे रोकैके कोशिश कैल्कै। 9मगर शाउल जकरा पावल भी कहैछै, पवित्र आत्मासे परिपूर्ण भ्याके जादुगर महर टकटकी लग्याके देखिके कहैल्कै, 10“हे शैतानके बच्चा! हरेक बढियाँ कामके विरोध करेवाला! तुहें सभे तरहके छल-कपट आर बैमानीसे भर्ल छैं। कि तुहें प्रभुके सोझ रस्ताके टेढ करैले नैछोड्भैं? 11देख! आब प्रभु तोरा सजाय देतौ। आर कुछु समयतक तुहें अनराह भ्या जैभैं आर सुरुजके उजेत नैदेख्भैं।” तखनिहैं ओकर आगुमे धुनरह आर अनहार भरि गेलै, आर ऊ इन्हर-उन्हर हथरे लाग्लै ताकी कोय ओकर हात पक्डीके ओकर सहायता करै। 12तब प्रदेशके शासक जे कुछु ओत्ते भेलै रहे से देखिके प्रभु येशूमे विश्वास कैल्कै। प्रभुके शिक्षा ओकरा चकित करिदेल्कै।
पावल पिसिदियाके एन्टीओखिया सहरमे प्रचार कैल्कै
13पावल आर ओकर साथीसब पाफोस सहरसे समुन्दरके यात्रा शुरु कैल्कै आर ऊसब पानी जहाजमे चढिके पामफिलिया प्रदेशके पर्गा सहरमे पहुँचलै आर यूहन्ना मर्कूस ओकरासिके छोडिके यरूशलेम सहर वापस भ्यागेलै। 14आर ऊसब पर्गा सहरसे निक्लीके गलातिया प्रदेशके पिसिदिया प्रदेशके एन्टीओखिया सहरमे पहुँचलै। आर यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे यहूदी आदमीसिके सभाघरमे जैके बैठ्लै। 15मूसाके विधि-विधान आर परमेश्वरके वक्तासिके किताबसे पाठ पढ्लके बाद यहूदी आदमीसिके सभाघरके मुखियासब ओकरसिके लगत एरं कहिके आदमी भेजल्कै, “हे भैय्यासब तोरसिकेलगत आदमीसिके लिए उपदेशके कुछु वचन छै ते कह।” 16तब पावल खडा भ्याके हातके इशारा करिके शान्त करैल्कै आर कहैल्कै, “हे इस्राएलीसब आर परमेश्वरके डर मानेवाला गैर-यहूदी आदमीसब, सुन। 17यी इस्राएलीसिके परमेश्वर आपनसिके बाप-पुर्खासिके चुनल्कै, आर जब ऊसब मिश्र देशमे परदेशी भ्याके रहते रहै ते ओकरसिके उन्नति कैल्कै, आर आपन महान शक्ति देख्याके ओकरासिके मिश्र देशसे निकालीके आनल्कै। 18सुनसान जगहमे लगभग चालीस सालतक परमेश्वर ओकरसिके देखभाल कैल्कै। जब कि ऊसब बार-बार परमेश्वरके आज्ञाके उलंघन कैल्कै। 19आपन बाप-पुर्खासब मिश्र देशमे ऐल चार स पचास सालके बाद कनान देशके सातटा जातके खतम करिके अधिकार करे लाग्लै। 20यी घटनाके बाद परमेश्वर न्यायकर्तासिके इस्राएलीसिपर शमूएल परमेश्वरके वक्ताके समयतक शासन करैले नियुक्त कैल्कै। 21तकरबाद जब शमूएल ओकरसिके अगुवा रहबे करै ऊसब एकटा राजा माँगल्कै, तब परमेश्वर बेन्यामिन कुलके कीशके बेटा शाऊलके ओकरसिके राजा बनैल्कै। शाऊल इस्राएलीसिपर चालीस सालतक राज कैल्कै। 22फेर परमेश्वर राजा शाऊलके पदसे हट्याके ओकर जगहमे दाऊदके राजा बनैल्कै, जकर विषयमे परमेश्वर गवाही द्याके कहैल्कै, ‘हमे यिशैके बेटा दाऊदके हमर हृदय मुताबिकके आदमी पैलियै, जे हमर सभे इच्छा पुरा कर्तै।’ 23ओकरे वंशसे परमेश्वर आपन प्रतिज्ञाके मुताबिक इस्राएलीसिके लिए एकटा उद्धारकर्ता यानिकी येशूके भेजल्कै। 24ओकर आबैसे पहेला बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना सभे इस्राएलीसिके पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा आर बप्तिस्मा ले कहिके प्रचार कैल्कै। 25आर जब बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना आपन सेवाके काम खतम करै पर रहै ते, ऊ कहैल्कै, ‘तुहेंसब हमे के छियै कहिके सोचैछैं? हमे ख्रीष्ट नैछियै। मगर देख, हमरबाद एकझन आबेवाला छै, ऊ हमरासे बहुते महान छै एत्तेतक कि हमे ओकर पैरीके जुत्ताके फित्ता भी खोलैके लायक नैछियै।’
26हे भैय्यासब, तुहेंसब जे अब्राहमके सन्तान छह, आर तुहेंसब जे परमेश्वरके डर मानेवाला यहूदी आदमीसब छह, परमेश्वर तोरसिकेलगत येशूके विषयमे यी सन्देशके भेजल्कहौं छे, जे आदमीसिके बचाबैछै। 27यरूशलेम सहरमे रहेवाला आदमीसब आर ओकरसिके अगुवासब येशू ख्रीष्टके नैपहचानल्कै आर ऊसब सभे यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे पढ्ल ज्यावाला परमेश्वरके वक्तासिके वचन नैबुझल्कै। सेल्याके ऊसब ओकरा सजाय देल्कै आर एरंके ऊसब परमेश्वरके वक्तासिके कहेल वचन पुरा कैल्कै। 28ऊसब येशूके मौतके सजाय दियैके कोनो दोष नैपैल्कै तैय्योपर ऊसब येशूके मौतके सजाय देल जै कहिके रोमी राज्यपाल पिलातससे माँग कैल्कै। 29येशूके बारेमे जे कुछु पहेलासे धरमशास्त्रमे लिख्ल रहै, ऊ सभे बात ओकरसिके द्वारा पुरा भेलै, ऊसब येशूके क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मारल्कै आर ओकरा क्रूससे निच्चा उतारिके सारामे राखल्कै। 30मगर परमेश्वर ओकरा मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै। 31आर ऊ जेसब ओकरसंगे गालील जिलासे यरूशलेम सहरमे ऐलै रहे, बहुते दिनतक आपन चेलासिके दिखाई देते रहलै। आब यी आदमीसब जे येशूके देखल्कै, उहेसब आदमीसिके लिए गवाह छै। 32हमेसब यी खुश-खबरी तोरासिके सुनाबैके लिए ऐलियै छे जे बातके प्रतिज्ञा परमेश्वर आपनसिके बाप-पुर्खासिके संगे कैल्कै रहे, 33यानिकी, केरंके परमेश्वर येशूके मुर्दासे जिन्दा करिके उठ्याके उहे प्रतिज्ञा आपनसिके सन्तानके लिए पुरा करिदेल्कै, जेरं भजन संग्रहके किताबमे भी लिख्ल छै, परमेश्वर ख्रीष्टके बारेमे कहैल्कै,
‘तुहें हमर बेटा छैं, ऐज हमे तोरा आपन बेटाके रुपमे प्रकट करैछियौ।’
34कहिनेकी परमेश्वर यी प्रतिज्ञा कैल्कै रहे कि ओकरा मुर्दासे जिन्दा बनैतै, ताकी ओकर शरीर फेर कहियो नैसड्तै। यी बातके प्रतिज्ञा ऊ यी वचनमे देल्कै रहे,
‘पवित्र आर अटल रहेवाला आशीर्वादके वचन जे दाऊद राजाके देल गेलै रहे,
ऊ वचन हमे तोरासिमे पुरा कर्बौ।’
35दाऊद राजा यी बात फेर दोसर भजनमे भी कहैछै,
‘हे परमेश्वर, तुहें आपन पवित्र जनके लासके पाताल लोकमे सडैले नैदेभ।’
36कहिनेकी दाऊद राजा ते परमेश्वरके इच्छाके मुताबिक आपन समयमे सेवा करिके मर्लै, आर आपन बाप पुर्खासंगे गाड्ल गेलै, आर ओकर शरीर सडी भी गेलै। यी बातसे हमरासिके मालुम छै कि दाऊद राजा आपन विषयमे नैबोल्ते रहै। 37मगर ऊ येशू ख्रीष्टके बारेमे कहते रहै, जकरा परमेश्वर मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै, ओकर शरीर सडैले नैपैल्कै।
38सेल्याके, हे भैय्यासब, तुहेंसब जानी ल्या कि येशूके द्वारा पापसिके माफीके समाचार तोरासिके देल जैछौं। 39आर जे बातसिसे तुहेंसब मूसाके विधि-विधानके द्वारा निर्दोष नैठहरे सक्ते रह, ओक्रहैसिमेसे हरेक विश्वास करेवाला आदमी येशूके द्वारा निर्दोष ठहरैछै। 40सेल्याके होशियार रह, एरं नैहै कि जे बात परमेश्वरके वक्तासिके किताबमे लिख्ल छै, तोरहौसिपर आबी जहौं:
41‘हे निन्दा करेवाला आदमीसब, देख आर चकित हु, आर नाश भ्याजो,
कहिनेकी तोरसिके समयमे हमे एकटा काम कर्बौ,
एरंको काम जकर विषयमे कोय बयान भी करि देतौ ते तुहेंसब कहियो विश्वास नैकर्भैं।’ ”
42जब पावल आर बरनाबास यहूदी आदमीसिके सभाघरसे निक्लीके जैबेरियाँ आबेवाला यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे भी यी बातसब हमरासिके सुनाब कहिके आदमीसब ओकरासिके बिन्ती करे लाग्लै। 43सभा विसर्जन भेलके बाद यहूदी आदमीसब आर यहूदी धरम मानेवाला बहुते गैर-यहूदी आदमीसब पावल आर बरनाबासके पाछु लाग्लै आर ऊसब ओकरसिके संगे बातचित कर्ते परमेश्वरके अनुग्रहमे बन्ल रहैके लिए सम्झैल्कै।
44अगला यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे सहरके लगभग सभे आदमीसब परमेश्वरके वचन सुनैले जमा भेलै। 45मगर यहूदी आदमीसिके अगुवासब भीडके देखिके जर्नीसे भरि गेलै, आर निन्दा कर्ते पावलके कहेल बातके विरोधमे बोले लाग्लै। 46तब पावल आर बरनाबास निडर भ्याके कहैल्कै, “परमेश्वरके वचन सभैसे पहेला तोरहैसिके सुनाना जरुरी रहै। मगर तुहेंसब एकरा नकारी देल्ह छे आर अपने आपके कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके अयोग्य ठहरैलह छे। सेल्याके आब हमेसब गैर-यहूदी आदमीसिके लगत जैबै। 47कहिनेकी प्रभु हमरासिके आज्ञा देल्कै छे,
‘हमे तोरा गैर-यहूदी आदमीसिके लिए उजेत ठहरैलियौ छे,
तुहें परमेश्वरके बचाबेवाला शक्ति धर्तीके सभे आदमी लगत पुगाबेवाला छैं।’ ”
48यी बात सुनिके गैर-यहूदी आदमीसब आनन्दित भेलै, आर परमेश्वरके वचनके प्रशंसा करे लाग्लै आर जतनें आदमी कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके लिए परमेश्वरसे चुन्ल रहै ऊसब येशू ख्रीष्टमे विश्वास कैल्कै। 49तब प्रभुके वचन सभे इलाका महर फैले लाग्लै। 50मगर यहूदी आदमीसिके अगुवासब परमेश्वरके भक्ति करेवाला आर कुलीन जनानीसिके आर सहरके प्रमुख आदमीसिके भडकैल्कै, आर पावल आर बरनाबासके विरुद्ध उपद्रव कर्याके ओकरासिके आपन सिमानासे बाहार निकाली देल्कै। 51तब पावल आर बरनाबास ऊ आदमीसिके परमेश्वर इन्कार कैल्कै छे आर सजाय देतै कहिके देखाबैके लिए आपन पैरीके धुर झाडल्कै आर आइकोनियन सहरमे चल गेलै। 52चेलासब एन्टीओखिया सहरमे आनन्दसे आर पवित्र आत्मासे परिपूर्ण हैते रहलै।

Highlight

Share

Compare

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in