YouVersion Logo
Search Icon

चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 14

14
पावल आर बरनाबासके आइकोनिया सहरमे विरोध
1आइकोनियन सहरमे एरं भेलै कि पावल आर बरनाबास यहूदी आदमीसिके सभाघरमे संगे-संगे गेलै, आर एरंको बात कैल्कै कि यहूदी आदमीसब आर गैर-यहूदी आदमीसब दोनोमेसे बहुते आदमीसब विश्वास कैल्कै। 2मगर विश्वास नैकरेवाला यहूदी आदमीसब गैर-यहूदी आदमीसिके मन विश्वासी भ्यासिके विरोधमे बहकाबे लाग्लै। आर ओकरसिके मनमे विश्वासी भ्यासिके प्रति दुश्मनी पैदा करिदेल्कै। 3तैय्योपर पावल आर बरनाबास बहुते दिनतक ओत्ते रहलै, आर ऊसब प्रभुके लिए साहासके साथ बोल्ते रहलै, आर ऊसब आपन हातसे चिन्ह आर शक्तिशाली कामसब कैल्कै। एकरासे ऊसब यी साबित कैल्कै यी अनुग्रहके बारेमे जे सन्देश छै ऊ सच छै। 4मगर सहरके आदमीसिमे फुट भेलै। एकरामे कतनें आदमी यहूदी आदमीसिके महर आर कतनें आदमी चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके महर भ्यागेलै। 5गैर-यहूदी आदमीसब आर यहूदी आदमीसब दोनो ओकरसिके शासकसिके संगे मिलिके पावल आर बरनाबासके सताबैले आर पत्थल फेकिके जान मारैके योजना बनैल्कै। 6जब चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके यी बात मालुम भेलै ते ऊसब लुकोनियाँ प्रदेशके लुस्त्रा सहर आर डर्बी सहरमे भागिके चल गेलै। 7आर ओत्ते ऊसब खुश-खबरी सुनाबे लाग्लै।
लुस्त्रा सहरमे एकटा नेंग्डा आदमी ठीक भेलै
8लुस्त्रा सहरमे एकटा आदमी रहै, ऊ जनमहैसे नेंग्डा रहै। ऊ आपन पैर चलाबे नैसक्ते रहै आर कहियो नैलर्लै रहे। 9यी आदमी बैठ्ल रहै आर पावलके बात सुन्ते रहै। जब पावल ओकर महर टकटकी लग्याके देखल्कै ते ऊ जानी गेलै कि ओकरा ठीक हुऐके विश्वास छै। 10पावल बडका आवाजमे कहैल्कै, “आपन पैरपर सिधा खडा भ्याजो।” तब ऊ तुरन्ते उछलीके खडा भ्याके चले-फिरे लाग्लै। 11आदमीसब पावलके कैल यी काम देखिके लुकोनियाँ भाषामे जोरसे कहैल्कै, “देवता आदमीसिके रुपमे हमरसिके लगत उतरिके ऐलै छे।” 12आर ऊसब बरनाबासके यूनानी देवता जिउस आर पावलके हर्मेस देवता कहे लाग्लै, कहिनेकी पावल प्रमुख वक्ता रहै। 13जिउस देवताके मन्दिर ऊ सहरके ठीक बाहारमे रहै। मन्दिरके पुजारी एकटा बडका भीडके साथ गरु आर फूलके मालासब ल्याके मन्दिरसे सहरके प्रवेश फाटक लगत ऐलै। ऊसब देवता मानिके पावल आर बरनाबासके लिए बलिदान चढाबैले चहते रहै। 14मगर जब बरनाबास आर पावल चुन्ल आर भेज्ल चेलासब यी बात सुनल्कै, तब ऊसब बहुते परेशान भेलै। सेल्याके आपन कपडा चिरिके जोरसे बोल्ते आदमीसिके बीचमे जैके एरं कहैल्कै, 15“तुहेंसब कथिले एरं करैछ? हम्हुँसब ते तोरेसिके जुगुर दुःखसुख भोगेवाला आदमी छियै, आर तोरासिके यी बेकारके चीजसे जिन्दा परमेश्वरमहर आब कहिके खुश-खबरी सुनाबैछियै, जे परमेश्वर आकाश, धर्ती, समुन्दर आर एकरामे भेल सभे चीज बनैल्कै। 16ऊ पहेलाके बित्ल समयमे जात-जातके आदमीसिके आपन-आपन रिती मुताबिक चलैले देल्कै। 17तैय्योपर भी ऊ सभे दिन आपन हुऐके सबूत आदमीसिके भलाइ करिके देल्कै छे। ऊ स्वर्गसे पानीके झडी आर फलवंत मौसम देल्कहौं छे आर तोरासिके भोजन दैछौं आर तोरसिके मन आनन्दसे भरि दैछौं।”
18यी बात कहिके भी पावल आर बरनाबास बहुत कठिनसे ओकरासिके रोकल्कै कि ओकरसिके लिए बलिदान नैचढाबै। 19मगर कतनें यहूदी आदमीसब पिसिदिया प्रदेशके एन्टीओखिया सहर आर आइकोनियन सहरसे ओत्ते ऐलै आर भीडके आदमीसिके आपन पक्षमे करिके पावलके पत्थल बर्सैल्कै आर ऊ मरे पाबै कहिके सहरसे बाहार घिसियाके ल्यागेलै। 20मगर चेलासब ओकरसिके चारो बगल आबिके खडा भेलै ते पावल उठिके सहरमे गेलै आर दोसर दिन बरनाबास संगे डर्बी सहरमे गेलै।
सिरिया प्रदेशके एन्टीओखिया सहरमे वापस ऐलै
21पावल आर बरनाबास सहरके आदमीसिके खुश-खबरी सुन्याके बहुते आदमीसिके प्रभु येशूके चेला बनैल्कै, तकरबाद पावल आर बरनाबास वापस हुए लाग्लै। ऊसब फेर लुस्त्रा सहर गेलै, तब ऊसब ओत्तेसे आइकोनियन सहर आर पिसिदिया प्रदेशके एन्टीओखिया सहरमे गेलै। 22ऊसब सभे सहरमे चेलासिके मनके मजगुत बनैते रहलै आर यी उपदेश दै कि आपन विश्वासमे स्थिर र, आर यी कहै, “अपनासिके बहुते कष्ट सहिके परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश करे पड्तै।” 23जब पावल आर बरनाबास ओकरसिके हरेक मण्डलीके समूहमे मण्डलीके अगुवासब नियुक्त कैल्कै, तब प्रार्थना आर उपास सहित ओकरासिके प्रभु येशूमे समर्पण कैल्कै जकरापर ऊसब विश्वास कैल्कै रहे।
24तकरबाद ऊसब पिसिदिया प्रदेश हैते पामफिलिया जिलामे पहुँचलै। 25आर पामफिलिया प्रदेशके पर्गा सहरमे ऊसब परमेश्वरके वचन प्रचार कैल्कै तब ऊसब अटालिया सहरमे गेलै। 26तब ऊसब ओत्तेसे जहाजसे समुन्दरके यात्रा करिके एन्टीओखिया सहरमे वापस गेलै, जतेसे ओकरासिके परमेश्वरके अनुग्रहमे समर्पण करिके उटा कामके लिए भेज्ल गेलै रहे जकरा ऊसब आब पुरा करिके लौटिके ऐलै रहे। 27ओत्ते पहुँचीके ऊसब एन्टीओखिया सहरके मण्डलीके जमा करैल्कै आर कहैल्कै कि परमेश्वर हमरसिके संगे भ्याके केरं बडका-बडका काम कैल्कै आर गैर-यहूदी आदमीसिके परमेश्वर केरंके येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैके लिए सक्षम बनैल्कै। 28पावल आर बरनाबास चेलासिके संगे बहुते दिन रहलै।

Highlight

Share

Compare

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in