YouVersion Logo
Search Icon

रोमी 8

8
पबितर आत्‍मासे पाबैबला जिबन
1ओहैसे जेसब येसु खिरिस्‍टमे बिस्‍बास करैछै, तकरासबके परमेस्‍वर दन्‍ड नै दैछै। 2कथिलेत परमेस्‍वरके आत्‍मा येसु खिरिस्‍टमे बिस्‍बास करैबलासबके अनन्‍त जिबन दैछै। अपनासबके पापके नियम आ मिरतुसे छुटकरा दैछै। 3बेबस्‍था जे करैले नै सक्‍लै, से परमेस्‍वर करल्‍कै, कथिलेकी अपनासबके पापी स्‍वभाबके कारनसे बेबस्‍था कमजोर भेलै। परमेस्‍वर अपनासबके पापसे छुटकरा करैके लेल आपनेसब जखा आपन बेटाके देहमे पठेल्‍कै आ उ खिरिस्‍टके देहके बलिदान कैरके अपनासबके पापके नास करल्‍कै। 4बेबस्‍थाके कहल अनुसार हमसब चलैले सकि कैहके परमेस्‍वर अनङ करल्‍कै। आब हमसब आपन इक्‍छा अनुसार नै, महज पबितर आत्‍माके इक्‍छा अनुसार चलैचियै। 5आपन पाप स्‍वभाबके अधिनमे चलैबला लोक पापे स्‍वभाबके इक्‍छामे मन लगाइछै महज पबितर आत्‍मा अनुसार चलैबला लोक पबितर आत्‍माके इक्‍छामे मन लगाबैछै। 6पाप स्‍वभाबके इक्‍छामे चलैबला लोकके मिरतु हेतै, महज जे पबितर आत्‍मामे मन लगेतै, उ अनन्‍त जिबन आ सान्‍ती पाबतै। 7पाप स्‍वभाबके इक्‍छामे चलैबला लोक परमेस्‍वरके बिरोधी रहैछै, कथिलेत उसब परमेस्‍वरके बेबस्‍था पालन नै करैछै आ करैयोले नै सकैछै। 8जे लोक पाप स्‍वभाबके अधिनमे रहैछै, उ परमेस्‍वरके खुसी करैले नै सकैछै।
9यदि साँचोके परमेस्‍वरके आत्‍मा तोरासबमे बास करैछौ त, तुसब पाप स्‍वभाबके अधिनमे नै, महज पबितर आत्‍माके अधिनमे रहैचिही। यदि कोनो लोकमे खिरिस्‍टके आत्‍मा नै छै त, उ खिरिस्‍टके लोक हेबे नै करतै। 10यदि खिरिस्‍ट तोरासबमे छौ त, तोरासबके देह पापके कारनसे मरतौ तैयो तोरासबके आत्‍मा सबदिनके लेल जिबित रहतौ, कथिलेत परमेस्‍वर तोरासबके आपन अगा धरमी बनाइनेछौ। 11यदि येसुके मरलसे जिबित करैबला परमेस्‍वरके पबितर आत्‍मा तोरासबमे बास करैछौ त, येसु खिरिस्‍टके मरलसे जिबित करैबला वह्‍या आत्‍मा तोरासबके नास हैबला देहके सेहो जिबन देतौ।#१ कोरन्‍थी ३:१६
12अहैलेल हे हमर भाइ-भैयासब, अपनासबके पाप स्‍वभाबके इक्‍छा अनुसार चलैले कोनो कर-काप नै छै। 13यदि तुसब पाप स्‍वभाबके इक्‍छा अनुसार चलबिही त, तुसब मरबिही। महज पबितर आत्‍माके सक्‍तिसे पाप स्‍वभाबके नास करबिही त, तुसब अनन्‍त जिबन पाबबिही। 14परमेस्‍वरके आत्‍मा अनुसार चलैबलासब परमेस्‍वरके बेटा-बेटिसब चियै। 15कथिलेत तुसब फेनसे दास बनैले डरके आत्‍मा नै पाबनेचिही बरु तुसब पोसपुत हैले पबितर आत्‍मा पाबनेचिही, तैल्‍याके हमसब परमेस्‍वरके “हे हमर अब्‍बा, पिता!” कैहके पुकारैचिही।#मरकुस १४:३६, गलाती ४:५-७ 16हमसब परमेस्‍वरके बेटाबेटी चियै कैहके पबितर आत्‍मा स्‍वयम आपनेसे अपनासबके आत्‍माके गबाही दैछै। 17हमसब परमेस्‍वरके बेटाबेटी चियै त ओकर हकबला सेहो चियै, परमेस्‍वरके हकबला आ खिरिस्‍टसङे सझिया हकबला हेबै। यदि हमसब खिरिस्‍टसङे दुख-कस्‍ट भोग्‍बै त ओकरेसङे आदर-सम्‍मानमे सेहो सहभागी हेबै।
पाछुसे पाबैबला महिमा
18हमर बिचारमे अइ जिबनमे अपनासबके भोगल दुख अपनासबमे पछा परकट हैबला महिमासे तुलना करतै त, अखुनके दुख त ओइके अगा कुछो नै चियै। 19परमेस्‍वर आपन बेटा-बेटिसबके परकट करैबला दिनके सारा सिरिस्‍टी भारी उतसुकताके साथ असियालछै। 20कथिलेत सारा सिरिस्‍टीमे परमेस्‍वरके सराप परलै, महज एहन हेबेमे सिरिस्‍टीके कोनो इक्‍छा नै छेलै। सिरिस्‍टी आसा करैत रहे कैहके परमेस्‍वर अनङ करल्‍कै।#उतपती ३:१७-१९ 21सिरिस्‍टी आपनेसे बिनासके बन्‍धनसे एक दिन छुटकरा पाइबके परमेस्‍वरके सन्‍तानके महान छुटकरामे सहभागी हेतै। 22हमसब जानैचियै कि, सारा सिरिस्‍टी अखुनतक जनिके बच्‍चा जलमाइबला पिरा जखा दुखमे कुहरैतछै। 23सिरिस्‍टी करल चिज मातरे नै, अपनोसब भितरे भितर दुखसे कुहरैचियै। अपनासब परमेस्‍वरके परतिग्‍याके रुपमे पबितर आत्‍मा पाबनेचियै। ओहैसे अपनोसबके कहिया पुरा हकबला ओकर सन्‍तान बनेतै आ सब खराब बातसे अपनासबके देहके छुटकरा देतै कैहके असियाल चियै।#२ कोरन्‍थी ५:२-४ 24कथिलेत अहै बरका आसाके लेल परमेस्‍वर अपनासबके बचेल्‍कै आ हमसब अहै आसामे बाँचल चियै। आसा त अपनासबके नै देखल चिज पाबैले असिएनाइ चियै। लोक पहिने पाबलहा चिजके आसा नै करैछै। 25यदि अपनासब नै देखलहा चिजके आसा करैचियै त, धिरजसे अपनासब ओहै चिजके लेल असियाल रहैचियै।
26ओहिनङे पबितर आत्‍मा अपनासबके बिस्‍बासमे कमजोर हैतकाल मदत करैछै। कनङ परथना करैछै कैहके सब्‍दमे बेक्‍त करैले नै सैकके कुहरैत बखत पबितर आत्‍मा अपनासबके लेल परथना कैरदैछै। 27परमेस्‍वर सब लोकसबके हिरदयके भेद जानैछै। पबितर आत्‍मा कथी कहैले चाहैछै ओकर अरथ परमेस्‍वर जानैछै, कथिलेत पबितर आत्‍मा परमेस्‍वरके इक्‍छा अनुसार परमेस्‍वरके लोकसबके लेल परथना करैछै।
28अपनासबके थाहछै कि, परमेस्‍वरके परेम करैबला आ ओकर उदेस्‍य अनुसार बोल्‍याल लोकसबके लेल सब बातमे परमेस्‍वर भलाइ करैछै। 29परमेस्‍वर सनसार बनाबैसे पहिने ओकरासबके चिन्‍हने छेलै आ उसब ओकर बेटा येसु खिरिस्‍ट जखा बने आ उ सब भाइ-भैयासबसे जेठ हेबे कैहके चुनल्‍कै। 30जकरा-जकरा परमेस्‍वर पहिनेसे चुनल्‍कै, उ ओकरासबके बोलेबो करल्‍कै। जकरा बोलेल्‍कै ओकरासबके आपन नजरमे धरमी ठहरेल्‍कै। जकरा-जकरा धरमी ठहरेल्‍कै, ओकरासबके आपन महिमामे सहभागी सेहो करेल्‍कै।
येसु खिरिस्‍टमे परमेस्‍वरके परेम
31परमेस्‍वरके करल कामसबके बिसयमे अपनासब कथी कहबै त? यदि परमेस्‍वर अपनासबके पक्‍छमेछै त, अपनासबके बिरोधमे के खरा हेतै? 32परमेस्‍वर आपने निज बेटाके बचाके नै राखल्‍कै, महज ओकरा अपनेसबके लेल देल्‍कै त, कि उ अपनासबके जम्‍मे चिज ओकरसङे नै देतै से? 33परमेस्‍वरके चुनल लोकसबके के दोस लगाइले सक्‍तै? कोइ नै सक्‍तै, कथिलेकी उ आपनेसे ओकरासबके आपन अगा धरमी ठहरेनेछै। 34तब के अपनासबके दन्‍ड दैले सक्‍तै? कोइ नै सक्‍तै, कथिलेत येसु खिरिस्‍ट अपनासबके लेल मरलै। ओतबे नै, परमेस्‍वर ओकरा मरलसे जियेल्‍कै आ अखुन परमेस्‍वरके दहिनाकात बैठलछै आ अपनासबके लेल परमेस्‍वरसे बिन्‍ती कैररहलछै। 35कोन बातसे अपनासबके खिरिस्‍टके परेमसे अलग करैले सक्‍तै? अपनासबके दुख, कठिनाइ, सताबट, नाङट आ भुखल रहैबला अबस्‍था आबैले सक्‍तै। अपनासब कोनो भारी बिपतमे या मरैयोले सक्‍बै महज यि कोनो चिजसे अपनासबके खिरिस्‍टके परेमसे अलग करैले नै सक्‍तै। 36पबितर धरमसास्‍तरमे एहेन लिखलछै,
“अहाँके लेल त हमसब हरेक दिन मरैचियै।
हमसब काटैके लेल तयार करल भेंरासब जखा चियै।”#भजनसङगरह ४४:२२
37यि सब बात हैतोपरभी अपनासबके परेम करैबला खिरिस्‍टे दुवारा हमसब यि सब चिज उपर बरका जित पाबनेचियै। 38हमरा पक्‍का थाहछै कि परमेस्‍वरके परेमसे अपनासबके कोनो चिज अलग करैले नै सक्‍तै। नै त मिरतु, नै त जिबन, नै स्‍वरगदुतसब, नै त सनसारके सासकसब, नै त अखुनके या भबिसके बातसब, नै त कोनो सक्‍तिसब, 39नै त अकास, नै त पताल, सिरिस्‍टीके कोनो सक्‍ती अपनासबके परमेस्‍वरके परेमसे अलग करैले नै सक्‍तै। कथिलेत खिरिस्‍ट दुवारा परमेस्‍वर अपनासबके परेम करनेछै।

Currently Selected:

रोमी 8: MTHB

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in