YouVersion Logo
Search Icon

रोमी 7

7
बियाहके उदाहरन
1हे भाइ-भैयासब, हम यि बात बेबस्‍था जानैबलासबके कहैचियौ। लोक जिबित रहेतक मातरे बेबस्‍थाके अधिनमे रहैछै कि तोरासबके थाह नै छौ? 2उदाहरनके लेल, कोनो एकटा बियाह भेल जनी बेबस्‍था अनुसार ओकर घरबला जिबित रहेतक आपन घरबलासङे रहैछै, महज यदि ओकर घरबला मैरजाइछै त, बेबस्‍थाके बन्‍धनसे सोतन्‍तर हैछै। 3ओहिनङे, यदि ओकर घरबला जिबिते रहतै आ उ दोसर पुरुखसङे बियाह करैछै त, उ बेबिचार करैछै। महज ओकर घरबला मैरजाइछै त, ओइ बेबस्‍थामे उ बान्‍हल नै रहैछै आ दोसर पुरुखसङे बियाह करतै त उ बेबिचार नै करैछै। 4अहैलेल हे हमर भाइ-भैयासब, तुसब खिरिस्‍टसङे बेबस्‍थाके लेल मरल चिही त तुसब सेहो खिरिस्‍टेसङे मरलसे जिबित भ्‍याके एक भेलचिही, ताकि अपनासब परमेस्‍वरके लेल असल काम करैले सकि। 5अपनासब एक समय देहके पाप स्‍वभावमे जिबन बिताइत रहियै। ओइ बखत पापी स्‍वभाव बेबस्‍थाके बिरोधमे अपनासबके बहुत पाप करैले लगेल्‍कै आ मिरतुके भागिदार बनेल्‍कै। 6महज अपनासबके अधिनमे राखैबला बेबस्‍थाके लेल मैरके आब ओइसे छुटकरा पाबनेचियै, ओहैसे अपनासब पुरन्‍का लिखल बेबस्‍था अनुसार सेबा नै करैचियै, महज पबितर आत्‍माके देल लया बिधी अनुसार परमेस्‍वरके सेबा करैचियै।
बेबस्‍था आ पाप
7ओनङ चियै त हमसब आब कथी कहबै? कि बेबस्‍था पाप चियै त? ओनङ नै चियै। बेबस्‍था नै रहतियै त पाप कथी चियै से हम थाहे नै पाबतियै, कथिलेत “तु लोभ नै कर” कैहके बेबस्‍था नै कहने रहतियै त लोभ नै करैके हैछै कैहके हम थाहे नै पाबतियै।#परस्‍थान २०:१७, बेबस्‍था ५:२१ 8महज यि आग्‍याके कारनसे पाप मौका पाइबके हमरा सब परकारके लोभ करैले लगेल्‍कै। कथिलेत बेबस्‍था नै रहतियै त पाप अपनासबके जिबनमे कोनो अधिकार नै करतियै। 9एक समय हम बेबस्‍था नै जाइनके आपन हिसाबसे जिबन बिताइ छेलियै, महज बेबस्‍थाके कहल बात बुझलाके बाद हम पाप करिये रहलचियै कैहके थाह पाबलियै आ पापके कारनसे हम मैरगेलियै। 10जे आग्‍या जिबन दैछेलै ओहे आग्‍या हमर लेल मिरतु आनल्‍कै। 11कथिलेत पाप आग्‍या दुवारा मौका पाइबके हमरा छल करल्‍कै आ ओहैके हथियार बनाके हमरा मारल्‍कै।#उतपती ३:१३ 12बेबस्‍था आपनेमे पबितर छै। ओहैसे ओकर आग्‍यासब पबितर, नियाय सङगत आ असल छै। 13कि असल बेबस्‍था हमरा मिरतुदन्‍ड देल्‍कै त? पक्‍का नै! पापे त असल बेबस्‍थाके हथियार बनाके हमरा मिरतुदन्‍ड देल्‍कै। तैल्‍याके पाप बेबस्‍थाके आग्‍या दुवारा साँचेके घिनलागैबला पाप छै कैहके देखाइछै।
लोकके दुइ किसिमके स्‍वभाब
14अपनासबके यि बात थाहेछै कि बेबस्‍था त आत्‍मिक चियै कथिलेकी यि परमेस्‍वरसे एल छै। महज हम देहके पाप स्‍वभाब अनुसार चलैबला आ दास जखा पापमे बेचलगेल लोक चियै। 15हम कोन काम करैचियै, अपने उ नै बुझैचियै। कथिलेत हम जे असल काम करैले चाहैचियै, उ हम नै करैचियै, महज जे खराब काम करैले नै चाहैचियै, उ हम करैचियै।#गलाती ५:१७ 16ओहैसे हमर इक्‍छा नै करल खराब काम करैचियै त, हम बेबस्‍था असल छै कैहके सहमत चियै से देखाबैछै। 17ओहैसे हमर करल खराब काम हम नै करनेचियै, यि त हमर भितरमे रहल पापके करल काम चियै। 18हमर कहैले चाहैबला बात यि चियै कि हमरमे अरथात हमर पाप स्‍वभाबमे कोनो असल चिज बास नै करैछै, कथिलेत असल काम करैले हमर इक्‍छा हैतोपरभी यि करैले नै सकैचियै। 19कथिलेत असल काम जे हम करैले चाहैचियै, उ हम नै करैचियै, महज दुस्‍ट काम, जे हम करैले नै चाहैचियै, वह्‍या हम करैत रहैचियै। 20हम जे करैले नै चाहैचियै वह्‍या करैचियै त, उ काम करैबला हम नै महज हमर भितरमे बास करैबला पाप चियै।
21हमर जिबनमे एकटा नियम काम करनेछै कैहके थाह पाबलियै। जब हम भलाइके काम करैले चाहैचियै, तब दुस्‍ट इक्‍छा सेहो हमरसङे रहैछै। 22कथिलेत हमर मन परमेस्‍वरके बेबस्‍थामे आनन्‍दित हैछै। 23महज हमर देहमे कोनो दोसर नियम काम करैत थाह पाबैचियै। उ पापके नियम हमर आपन मनसे चाहना करल नियमके बिरोधमे उठैछै आ हमरा पापके दास बनाइछै। 24हम केहन दुखी लोक चियै! पाप आ मिरतुके कैदमे रहल देहके हमरा के छुटकरा करेतै? 25हम परमेस्‍वरके धन्‍यबाद दैचियै। येसु खिरिस्‍ट दुवारा परमेस्‍वर हमरा छुटकरा दैछै। तैल्‍याके आपन हिरदयमे परमेस्‍वरके बेबस्‍था पालन करैचियै महज हमरमे भेल पाप स्‍वभाब हमरा पापके नियमके अधिनमे राखैछै।

Currently Selected:

रोमी 7: MTHB

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in