YouVersion Logo
Search Icon

२ कोरन्‍थी 5

5
अपनासबके स्‍वरगके घर
1हमरासबके थाहछै कि हमसबके यि बास करल नासबान देह पाल जखा चियै, जे एक दिन नास हेतै तैयो परमेस्‍वरके देल देह स्‍वरगमे अनन्‍ततक रहैबला घर जखा हेतै, जे लोकके हाथसे नै बनलछै। 2हमसब अइ सनसारमे रहैतकाल बेचैन रहैचियै आ अपनासबके स्‍वरगिय देह बस्‍तर लखा लगाइले उतकट इक्‍छा करैचियै। 3कथिलेकी जब अपनासब स्‍वरगिय देह बस्‍तर जखा लगाइबै, तब अपनासब स्‍वरगमे आत्‍मा सहितके देह पाब्‍बै। 4हमसब यि देहमे रहैतक बोझसे दब्‍याके छटपटाबैचियै। अइ देहके मैरके त्‍यागबै कैहके नै छटपटाबैचियै बरु कहिया स्‍वरगिय देह बस्‍तर जखा लगाइबै कैहके चियै, ताकि नास हैबला देह कहियो नास नै हैबला देहमे बदैलजेतै। 5परमेस्‍वरे अपनासबके स्‍वरगिय देहके पाबैके लेल तयार करनेछै, जकरा पक्‍का करैके लेल बैनाके रुपमे उ आपन पबितर आत्‍माके देनेछै।
6तहैलेल हमरासबके पुरा भरोसा छै। हमसब जानैचियै कि, जाबेतक हमसब देहमे रहबै ताबेतक हमसब परभुके आमने-सामने नै रहबै। 7अपनासब आँखसे देखल बातके आधारमे नै, बल्‍की बिस्‍बासके आधारमे जियैचियै। 8अपनासबके पुरा भरोसा छै, बरु हमसब अइ भौतिक देह त्‍यागके परभुसङे रहैले चाहैचियै। 9ओहैसे हमसब चाहे देहमे या चाहे देहसे अलग रैहके, ओकरा खुसी बनाबैके हमरासबके लक्‍छ चियै। 10कथिलेकी हम सबगोरा खिरिस्‍टके नियाय आसनके सामने खरा हैलेपरतै। ताकि हमसब अइ देहमे करल असल या खराब काम अनुसारके परतिफल पाब्‍बै।#रोमी १४:१०
मेलमिलापके सेबा
11परभुके डर कथी चियै कैहके हमरासबके थाहछै, ओहैसे हमसब लोकसबके सम्‍झाबैके कोसिस करैचियै। हमसब के चियै कैहके परमेस्‍वरके निकसे थाहछै आ हमर जिबन तोरासबके अगा खुलस्‍तछौ कैहके हम आस करैचियै। 12हमसब फेनसे आपनेके तोरासबके अगा बराइ नै करैचियौ, बरु तोरासबके हमरासबमे गर्‌भ करैके मौका दैचियौ, ताकि तुसब ओकरासबके जबाफ दैले सक, जे लोक हिरदयके बातमे नै महज बाहरके बातमे घमन्‍ड करैछै। 13यदि कोइ हमरासबके होसमे नै चियै कहैछै त, यि परमेस्‍वरके खातिर चियै। यदि हमसब होसमे चियै त, यि तोरासबके भलाइके लेल चियौ। 14हमसब त खिरिस्‍टके परेमके बसमे चियै, कथिलेकी हमसब निसचिन्‍त चियै कि सबलोकके लेल खिरिस्‍ट मरलाके कारन सबके मिरतु भेलै। 15उ सबके लेल मरलै, ताकि बाचैबलासब आबसे आपने लेल नै बाँच्‍तै, महज ओकरलेल बाँचे, जे ओकरासबके खातिर मरलै आ फेनसे जिबित भ्‍याके उठ्‍यालगेलै।
16अहैलेल आबसे हमसब ककरो लोकके दिरिस्‍टीसे नै देखब। हमसब खिरिस्‍टके एक समय लोकके दिरिस्‍टीसे देखै छेलियै महज आबसे ओकरा हमसब ओनङके नै देख्‍बै। 17अहैलेल यदि कोइ खिरिस्‍टमे छै त उ लोक लया सिरिस्‍टी चियै। पुरना जिबन बितके चैलगेलै, देख, आब लया जिबन सुरु भेलछै। 18यि सब करैबला परमेस्‍वरे चियै, जे अपनासबके खिरिस्‍टसे आपनसङे मिलापमे आनल्‍कै। औरो लोकसबके ओकरसङे मेलमिलापमे लाबैबला काम अपनासबके देनेछै। 19परमेस्‍वर आपनेसे खिरिस्‍टमे रैहके सनसारके सब लोकसबके अपराधके लेखा नै ल्‍याके मिलापमे आइनरहलछेलै। आबसे यि मिलापके सेबा अपनासबके जिम्‍मा देनेछै। 20ओहैसे हमसब खिरिस्‍टके राजदुतसब चियै आ परमेस्‍वर हमरासबके दुवारा तोरासबके बिन्‍ती कैररहलछौ। तुसब परमेस्‍वरसङे मेलमिलाप कर कैहके हमसब सेहो खिरिस्‍टके तरफसे तोरासबके बिन्‍ती करैचियौ। 21येसु खिरिस्‍टमे पाप नै छेलै, तैयो परमेस्‍वर अपनासबके खिरिस्‍टमे धरमी ठहराबैके लेल अपनासबके पाप खिरिस्‍टमे राइखदेल्‍कै।

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in