मत्ती 7
7
कक्रहौ दोष नैलगा
(लूक ६:३७-३८,४१-४२)
1येशू आरहौ कहले गेलै, “दोसरके दोष नैलगा, आर परमेश्वर भी तोरासिके दोष नैलगैतौ। 2कहिनेकी जेरंके तुहेंसब दोसरके दोष लगैभैं, ओहिने करिके परमेश्वर भी तोरासिके दोष लगैतौ। परमेश्वर तोरसंगे ठीक ओहिने व्यवहार कर्तौ जेरंको तुहेंसब दोसरसंगे करैछैं। 3तुहें एकटा छोटका पापके लिए आपन विश्वासी भ्या-बहिनके कथिले दोष लगाबैछैं जे ओकर आँखीमे कुछु गन्दाके जुगुर छै, जब कि तोर आपने जीवनमे बडका पाप छौ जे तोर आँखीमे एकटा ढेंगके जुगुर छौ? 4जब तोर आपने भितरमे बहुते बडका पाप छौ ते तोरा आपनसे छोटका पाप करेवाला कोनो आदमीके सहायता करैके कोशिश नैकरना चाही! 5हे ढोंगी, पहेला आपन खुदके बडका पापके सुधारी ले, तब तुहें साफ तरिकासे आपन विश्वासी भ्या-बहिनके आँखीके धुर देखिके निकाले सक्भैं आर दोसर आदमीसिके ओकरसिके छोटका पापके सुधारैके लिए सहायता करे सक्भैं।
6ऊ आदमीसिके परमेश्वरके वचन नैसुना जे ओकरा सुनैले नैचाहैछै। अगर तुहेंसब एरं कर्भैं ते यी कोनो पवित्र चीजके कुत्ताके आगुमे फेकैके जुगुर हैछै, या सुग्गरके आगुमे मोती फेकैके जुगुर हैछै जे खाली ओकरा खुरखुन्नी कर्तौ आर तोरापर हमला कर्तौ।”
परमेश्वरसे माँगना आर पाना
(लूक ११:९-१३)
7“माँग ते तोरासिके देल जैतौ, खोज ते तोरासिके मिल्तौ, ढक्ढका ते तोरसिके लिए उघार्ल जैतौ। 8कहिनेकी जे माँग्तै, ऊ पैतै, जे खोज्तै, ओकरा मिल्तै, जे ढक्ढकैतै, ओकर लिए केबाड खोल्ल जैतै। 9अगर तोर बेटा तोरासे रोटी माँग्तौ ते कि तोरसिमेसे कोय ओकरा पत्थल देभैं? 10अगर तोर बेटा तोरासे माछ माँग्तौ ते कि तोरसिमेसे कोय ओकरा साँप देभैं? जरुर तुहेंसब नैदेभैं। 11यदि तुहेंसब दुष्ट भ्याके भी आपन बेटाबेटीसिके बढियाँ चीज दिए जानैछैं ते, निश्चय ही स्वर्गमे भेल तोरसिके परमेश्वर पिता ओकरसे माँगेवालासिके आरहौ बेसी बढियाँ चीज देतै।
12आदमीसब तोरसिसे जेरं व्यवहार करौ कहिके तुहेंसब चाहैछैं, तहुँसब ओकरसिके संगे ओहिने व्यवहार कर। कहिनेकी इहे मूसाके विधि-विधान आर परमेश्वरके वक्तासिके लिख्ल बातके मतलब छै।”
साँक्ड आर चौडा रस्ता
13“तुहें खाली साँक्ड केबाड द्याके ही परमेश्वरके राज्यमे ढुके सक्भैं, कहिनेकी विनाशमे लजाबेवाला केबाड फैल आर रस्ता आसान हैछै, आर यी द्याके चलेवाला आदमीसब बहुते हैछै। 14छोटका केबाड आर साँक्ड रस्ता कठिन हैछै, मगर इहे कहियो खतम नैहुएवाला जीवनमे पुगाबैछै। यी रस्ताके पाबेवाला आदमीसब कमे हैछै।”
फलसे गाछके पहचान
(लूक ६:४३-४६; १३:२५-२७)
15“झुट्ठा परमेश्वरके वक्तासिसे होशियार र जे तोरसिकेलगत नोक्सानी नैकरेवाला भेंडाके भेष बदलीके आबैछै, मगर वास्तवमे हानीकारक डरलग्गा खटिहासब छै, जे आदमीसिके हमला करैछै। 16तुहेंसब ओकरासिके ओकरसिके काम करैके तरिकासे चिन्भैं। काँटके गाछमे अंगुर नैफरैछै आर कटैय्या लत्तीके गाछमे अन्जीर फल नैफरैछै। 17ओहिने करिके सभे बढियाँ गाछ बढियाँ फल फराबैछै। मगर खराब गाछ खराब फल फराबैछै। 18बढियाँ गाछ खराब फल फराबे नैसकैछै, नैते खराब गाछ बढियाँ फल फराबे सकैछै। 19बढियाँ फल नैफराबेवाला सभे गाछ काटिके गिरैल जैछै आर आगिनमे फेक्ल जैछै। झुट्ठा परमेश्वरके वक्तासिके भी अहिने करिके सजाय देल जैतै। 20एरंके तुहेंसब झुट्ठा परमेश्वरके वक्तासिके ओकरसिके कामके द्वारा चिन्भैं।
21हमरा ‘प्रभु-प्रभु’ कहेवाला सभेको परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश नैकर्तै। स्वर्गमे हुएवाला हमर पिताके इच्छा पालन करेवाला आदमी खाली परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश कर्तै। 22उटा दिन बहुते आदमीसब हमरा एरं कहतै, ‘प्रभु, हे प्रभु, कि हमेसब तोर नामके अधिकारसे परमेश्वरके तरफसे नै बोल्लियै? कि तोर नामके अधिकारसे भूतसब नैभगैलियै? आर कि तोर नामके अधिकारसे अनेक शक्तिशाली काम नैकैलिहौं?’ 23तब हमे ओकरासिके साफसे कहबै, ‘हमे तोरासिके नैचिन्हैछियौ। हे दुष्ट काम करेवालासब, हमर लगतसे दूर भ्याजो।’ ”
बुद्धिमान आर मूर्ख आदमी
(लूक ६:४७-४९)
24“सेल्याके, जे आदमी हमर यी शिक्षा सुनिके ओकर पालन करैछै, हमे ओकरा एकटा बुद्धिमान आदमीसे तुलना करैछियै, जे आदमी आपन घरके जग पत्थलवाला जमिनमे बनैल्कै छे। 25बहुते जोरसे बर्षा भेलै, बाढ ऐलै, अन्हर-तूफान चल्लै आर उटा घरसे टकरैलै, तैय्योपर उटा घर नैगिर्लै। कहिनेकी उटा घरके जग पत्थलवाला जमिनमे बनैल रहै। 26जे आदमी यी हमर शिक्षा सुनिके भी पालन नैकरैछै, हमे ओकरा एकटा मूर्ख आदमीसे तुलना करैछियै, जे आपन घरके जग बालुवाला जमिनमे बनैल्कै छे। 27जब बहुते जोरसे बर्षा भेलै, बाढ ऐलै, अन्हर-तूफान चल्लै आर उटा घरसे टकरैलै ते उटा घर गिरी गेलै आर एकदम सत्यानाश भ्यागेलै।”
28जब येशू शिक्षा दियैले समाप्त कैल्कै, तब भीडके आदमीसब ओकर वचन सुनिके चकित भेलै। 29कहिनेकी ऊ ओकरसिसे यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसिके जेरं नै, मगर अधिकार भेल आदमीके जेरं शिक्षा दै।
Đang chọn:
मत्ती 7: KYVNT
Tô màu
Chia sẻ
So sánh
Sao chép
Bạn muốn lưu những tô màu trên tất cả các thiết bị của mình? Đăng ký hoặc đăng nhập
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.