Biểu trưng YouVersion
Biểu tượng Tìm kiếm

मती 9

9
येसु लकबा मारल लोकके निक करल्‍कै
(मरकुस २:१-१२, लुका ५:१७-२६)
1तकरबाद येसु नाहमे चहैरके तालके दोसरकात उ आपने सहरमे घुइमके एलै। 2तब कुछ लोकसब झोल्‍ङामे बोइकके एकटा लकबा मारल लोकके येसुलग आनल्‍कै जे बिछोनासे उठे नै सकैछेलै। येसु ओइसबके बिस्‍बास देखके लकबा मारल लोकके कहल्‍कै, “बेटा, साहस कर।#९:२ बेटा, साहस कर- जब येसु ओइ लकबा मारल लोकके “बेटा” कहल्‍कै, अकर मतलब उ ओकर सारिरीक रुपमे बाबु नै चियै, महज एकदम माया देखेल्‍कै। तोहर पाप छमा भेल छौ।” 3येसुके कहल यि बात सुइनके कुछ धरमगुरुसब मनेमन सोचे लाग्‍लै, “यि लोक त परमेस्‍वरके निन्‍दा करैछै।” 4येसु ओइसबके मनके बात जाइनके कहल्‍कै, “तुसब आपन मनमे कथिले अधलाह बात सोचैचिही? 5आब कह त हम यि लोकके, ‘तोहर पाप छमा भेलौ’ कि ‘उइठके चल’ कहैमे कोन असान हेतौ? 6महज मानबके बेटाके पिरथिबीमे पाप छमा करैके अधिकार छै, से तुसब जान।” तकरबाद उ लकबा मारल लोकके कहल्‍कै, “उठ, तोहर बोरिया बिस्‍तर बोक आ घर जो।” 7तब उ उठलै आ आपन घर दिसन गेलै। 8जब लोकसबके भिर यि देखल्‍कै तब उसब डेरागेलै आ लोकसबके एहेन सक्‍ती दैबला परमेस्‍वरके परसन्‍सा करल्‍कै।
मतीके बोलाबट
(मरकुस २:१३-१७, लुका ५:२७-३२)
9येसु ओतेसे जाइतखिना एकगोरा बटी उठाइबला मती नाम भेल लोकके बटी उठाइबलाके अडामे बैठल देखल्‍कै आ येसु ओकरा कहल्‍कै, “हमर पछा लाग।” तब उ उइठके ओकर पछा लाग्‍लै।
10जब येसु मतीके घरमे खाइले बैठलै तब बहौत गोरा बटी उठाइबलासब आ पापीसब आइबके येसु आ ओकर चेलासबसङे खाइले बैठलै।#लुका १५:१-२ 11यि देखके फरिसीसब येसुके चेलासबके कहल्‍कै, “तोरासबके गुरु बटी उठाइबलासब आ पापीसबसङे कथिले खाइछौ?” 12यि बात सुइनके येसु ओइसबके कहल्‍कै, “निरोगीसबके बैधके जरुरत नै परैछै, महज रोगीसबके परैछै। 13तुसब परभुके कहल बातके अरथ ज्‍याके सिख, ‘हम बैलभोग नै महज दया चाहैचियौ।’ कथिलेत हम धरमीसबके नै, महज पापीसबके बोलाइले एलचियौ।”#मती १२:७, होसे ६:६
उपासके सबाल
(मरकुस २:१८-२२, लुका ५:३३-३९)
14तब बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍नाके चेलासब येसुलग एलै आ ओकरा पुछल्‍कै, “हमसब आ फरिसीसब बेर-बेर उपास बैठैचियै, महज अहाँके चेलासब कथिले नै उपास बैठैये?” 15तब येसु जबाफ देल्‍कै, “जाबेतक बर, बरियातीसङे रहैछै, कि उसब सोक मनाइछै? महज उ दिन एतै जहिया बर ओइसबके बिचसे अलग हेतै तब उसब उपास बैठतै।
16 “कोइ पुरना बस्‍तरमे लबका ढप्‍पा नै लगाइछै। कथिलेत लबका ढप्‍पा पुरना बस्‍तरके घोकच्‍याके पहिन्‍कोसे बेसी फाइरदैछै। 17कोइ पुरना छलाके थैलीमे लबका अङगुरके मध नै राखैछै, यदि राख्‍तै त थैली फुइटजेतै आ मध बैहजेतै। तैखातिर लबका अङगुरके मध लबके छलाके थैलीमे राखे परैछै, तब मध आ थैली दुनु जोगल जाइछै।”
याइरसके बेटी
(मरकुस ५:२१-४२, लुका ८:४०-५६)
18जब येसु ओइसबके यि बात सुनाइछेलै, तब अचानक सभाघरके एकगोरा सासक एलै आ ठेङहुनिया दैत ओकरा कहल्‍कै, “हमर बेटी अखुन तुरन्‍ते मैरगेलै, महज अहाँ चलु आपन हाथ ओकर उपरमे राइखदेबै त उ जिबित भ्‍याजेतै।” 19येसु उठलै आ आपन चेलासबसङे ओकर पछा-पछा गेलै।
20तहै बखत बारह बरिससे खुन खसैबाला रोग लागल एकटा जनी पछासे आइबके ओकर बस्‍तरके खुँट छुवल्‍कै। 21कथिलेत उ आपन मनेमन सोच्‍ने छेलै, “हम ओकर बस्‍तर मातरे छुब्‍बै त हम निक भ्‍याजेबै।” 22तब ठामे घुइमके येसु ताकल्‍कै त ओइ जनिके देखल्‍कै आ कहल्‍कै, “बेटी, साहस कर, तोहर बिस्‍बास तोरा निक करल्‍कौ।” उ जनी तखुन्‍ते निक भ्‍यागेलै।
23जब येसु सासकके घरमे पुग्‍लै, तब बौसली बजाइबलासब आ औरो लोकसबके कना-रोहट करैत देखल्‍कै। 24येसु ओइसबके कहल्‍कै, “हट, हट बाहर जो, कथिलेत छौरी मरल नै छै, महज सुतल छै।” ओकरे बातके उसब हसी उरेल्‍कै। 25महज लोकसबके बाहर निकाइलके उ आपने भितर ढुक्‍लै आ ओइ छौरिके हाथ पकैरके उठाइल्‍कै त उ खुरखुराके उठलै। 26तब यि बात चारु इलाका दिसना फैलगेलै।
येसु दुइगोरा अन्‍हरा लोकके निक करल्‍कै
27येसु ओतेसे जाइतखिना दुइगोरा आन्‍हर लोकसब पछुवाइत जोरसे कहल्‍कै, “हौ दाउद रजाके बेटा, हमरासबके उपर दया करु।” 28येसु घर भितर ढुक्‍लै त अन्‍हरो लोकसब ओकरलग एलै। येसु ओकरासबके पुछल्‍कै, “कि हम यि काम करे सक्‍बै से तोरासबके बिस्‍बास छौ?” उसब जबाफदैत कहल्‍कै, जी, “छै परभु।” 29तब येसु ओइसबके आँख छुबैत कहल्‍कै, “जैहनङ तोरासबके बिस्‍बास छौ, तैहनङ तोरासबके खातिर हेबे।” 30अतहेक कहैत मातर ओकरासबके आँख खुइलगेलै। तब येसु एहेन कैहके ओइसबके करा आग्‍या दैत कहल्‍कै, “याद राख, यि बात ककरो नै कहिहे।” 31महज उसब ओतेसे निकलैत मातर ओकर सब करल कामके बातसब पुरे इलाकामे फैलादेल्‍कै। 32जब उसब निकैलके जाइतरहै, तब एकटा भुत लागल बौक लोकके येसुलग आनल्‍कै। 33भुत आत्‍मा ओकर देहसे निकैलगेलाके बाद उ बौक लोक बाजे लाग्‍लै। यि देखके लोकसब आस्‍चरजचकित भेलै आ कहेलाग्‍लै कि “इजराएलमे एहेन बात कहियो नै देख्‍ने रहियै।” 34महज फेनो फरिसीसब कहेलाग्‍लै कि “यि भुतसबके मालिकसे भुत निकालैछै।”#मती १०:२५, १२:२४, मरकुस ३:२२, लुका ११:१५
थोरबेक परभुके जनसब
(मरकुस ६:३४, लुका १०:२)
35येसु सब सहर-सहर आ गाम-गाम घुमे लाग्‍लै। उ यहुदीसबके सभाघरसबमे सिक्‍छा दैत, परमेस्‍वरके राजके सुसमाचार सुनाइत आ लोकसबके हरेक किसिमके रोग-बिमारसे निक करैत गेलै।#मती ४:२३, मरकुस १:३९, लुका ४:४४ 36लोकसबके भिर देखके ओकर हिरदय दयासे भैरगेलै। कथिलेकी चरबाहा बिनाके भेंरासब जखा निरास आ लाचार छेलै।#गन्‍ती २७:१७, १ रजा २२:१७, मरकुस ६:३४ 37तब उ आपन चेलासबके कहल्‍कै, “उबजल बाली त परसस्‍त छै, महज काटैबला जनसब कमे छै।#लुका १०:२ 38तैखातिर खेतके मालिकके परथना कर, उ आपन बाली काटैले जनसब पठादेतौ।”

Đang chọn:

मती 9: MTHB

Tô màu

Chia sẻ

So sánh

Sao chép

None

Bạn muốn lưu những tô màu trên tất cả các thiết bị của mình? Đăng ký hoặc đăng nhập