Biểu trưng YouVersion
Biểu tượng Tìm kiếm

मती 3

3
बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍नाके परचार
(मरकुस १:१-१८, लुका ३:१-१८, युहन्‍ना १:१९-२८)
1ओहै बखत बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍ना यहुदियाके उजार जगहमे एलै आ एहेन कहैत परचार करेलाग्‍लै, 2“आपन पापके खातिर पस्‍चाताप कर, कथिलेत स्‍वरगके राज नजदिक आइबगेलछौ।#मती ४:१७, मरकुस १:१५ 3युहन्‍ना त ओह्‍या लोक चियै, जकर बिसयमे यसैया अगमबक्‍ता एहेन कहने छेलै:
उजार जगहमे एकगोरा जोरसे हल्‍ला कैरके कैहरहल छै,
‘परभु आबैबला रस्‍ता दुरुस कर,
उ चलैबला रस्‍तासब सोझ कर।’” #यसैया ४०:३
4युहन्‍ना उंटके रुइयाँसे बन्‍याल बस्‍तर पिन्‍हैछेलै। उ डाँरमे छलाके डरकस्‍ना बान्‍हैत रहै। ओकर खाइबला चिज फैनगा आ बोन मौध छेलै।#२ रजा १:८ 5यरुसलेम, सब यहुदिया परदेस आ यरदन लदीके लग पासमे रहल सब इलाकाके लोकसब ओकरलग एलै, 6आ आपन पाप सुइकार करैत यरदन लदीमे ओकरसे बप्‍तिस्‍मा लेबे लाग्‍लै।
7महज फरिसीसब आ सदुकीसब मेसे बहौत गोराके बप्‍तिस्‍मा लैले आबैत देखके उ ओकरासबके कहल्‍कै, “ऐ, साँपके बच्‍चासब, परमेस्‍वरके आबैबला करोधसे भागैले तोरासबके के सिखाइल्‍कौ?#मती १२:३४, २३:३३ 8तुसब आपन-आपन पाप माइनके पस्‍चाताप करनेचिही त, असल बेबहार कैरके देखा। 9‘हमसब अबराहमके सन्‍तान भेलाके कारनसे बाँच्‍बै’ कैहके नै सोच। कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, परमेस्‍वर यि पथलोसे अबराहमके खातिर धियापुता जलमा सकैछै।#युहन्‍ना ८:३३ 10अखुन गाछके जैरमे कुरहाइर परे लागल छै#३:१० अखुन गाछके जैरमे कुरहाइर परे लागल छै- बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍ना अते यि कहैले चाहैछै कि, “परमेस्‍वर एकटा लोकके हाथमे कुरहाइर लेल जखा चियै आ जे गाछ फल नै फराइतै ओकरा काटल जेतै। अकर मतलब जे कोइ आपन खराब बेबहारके नै बदल्‍तै उ परमेस्‍वरके नियाएके अगा खरा हेबेपरतै।” , कथिलेत असल फल नै फरैबला सबगाछ काइटके आइगमे फेकल जेतै।
11“हम पस्‍चातापके खातिर तोरासबके पानीसे बप्‍तिस्‍मा देबौ, महज हमरसे पाछे जे आबैबला छै, उ हमरोसे सक्‍तिसाली छै, जकर हम जुतो बोकैके जोकर नै चियै। उ तोरासबके पबितर आत्‍मा आ आइगसे बप्‍तिस्‍मा देतौ। 12फटकैबला सुपा ओकरे हाथमे छौ आ उ आपन खरहियानके आपने साफ करतौ। आपन गहुम बेखारीमे जम्‍मा करतौ, महज भुसा जतेक सब नै बुताइबला आइगमे जराइतै।”
येसुके बप्‍तिस्‍मा
(मरकुस १:९-११, लुका ३:२१-२२, युहन्‍ना १:३२-३४)
13तब येसु गालिल परदेससे युहन्‍ना लग ओकरसे बप्‍तिस्‍मा लैले यरदन लदीमे एलै। 14महज युहन्‍ना एहेन कहैत ओकरा रोकैले चाहल्‍कै, “कि अहाँ हमरसे लैले एलचियै? बरु हमरे अहाँसे बप्‍तिस्‍मा लेनाइ जरुरी छै।” 15तब येसु युहन्‍नाके कहल्‍कै, “अखुन अहिनङे हेबे दियौ। कथिलेत अपनासबके खातिर एह्‍या उचित छै जे अहिनङे सब धारमिकताके पुरा करेपरतै।” तब युहन्‍ना ओकर बात मानैले राजी भेलै।
16तब येसु बप्‍तिस्‍मा ल्‍याके तुरन्‍ते पानीसे बाहर निकल्‍लै, तब स्‍वरग उघरलै आ उ परमेस्‍वरके आत्‍मा पौरकीके रुपमे आपन उपरमे आबैत देखल्‍कै। 17तब स्‍वरगसे एहेन एकटा अबाज एलै, “यि हमर दुलरुवा बेटा चियै, अकरसे हम बहौत खुसी चियै।”#उतपती २२:२, भजनसङगरह २:७, यसैया ४२:१, मती १२:१८, १७:५, मरकुस १:११, लुका ९:३५

Đang chọn:

मती 3: MTHB

Tô màu

Chia sẻ

So sánh

Sao chép

None

Bạn muốn lưu những tô màu trên tất cả các thiết bị của mình? Đăng ký hoặc đăng nhập