मती 28
28
येसु मरलसे जिके उठलै
(मरकुस १६:१-११, लुका २४:१-१२, युहन्ना २०:१-१८)
1बिसराम दिनके बिहान अरथात हप्ताके पहिन्का दिन, एकदम भिनसरमे मरियम मग्दलिनी आ दोसर मरियम चिहान देखैले गेलै। 2अचानक भुमकौन भेलै कथिलेकी परमपरभुके एकटा स्वरगदुत स्वरगसे निचा उतरलै आ चिहानके मुहमे राखल पथल गुरकाके हटाइल्कै आ ओहिउपरमे बैठलै। 3ओकर चेहरा बिजलीके चमक जखा आ ओकर बस्तर हेम जखा उजर छेलै। 4पहरा दैबला सिपाहीसब ओकरा देखके डरेसे थरथर कापैत भुइयामे खैसके मुरदा जखा भेलै।
5तब स्वरगदुत ओइ जनिसबके कहल्कै, “नै डेरा, हमरा मालुम छै कि तुसब कुरूसमे टाइङके मारल येसुके खोजैचिही। 6उ अते नै छौ महज जनङ कहने छेलै तहिनङ उ जिके उठल छौ। अते या, ओकरा राखलहा ठामके देख। 7झटसिना ज्याके ओकर चेलासबके यि समाचार सुनादहै जे, ‘उ मुरदासे जिके उठल छै आ उ तोरासबसे अगा-अगा गालिलमे ज्यारहलछौ। ओतै तोरासबके भेट हेतौ।’ से बात तोरासबके कहैचियौ।”
8उ जनिसबमे डर भेलै तैयो खुसिसे यि समाचार चेलासबके सुनाबैके लेल चिहानसे दौरते गेलै।
9अचानक येसु ओइसबके अगा देखा परलै आ कहल्कै, “तोरासबके सान्ती!” उसब लगमे जाके गोरलागल्कै। 10येसु ओकरासबके कहल्कै, “नै डराइ जाइजो, ज्याके हमर भाइसबके गालिलमे जाइले कैहदहै। ओतै उसब हमरा देख्तै।”
सिपाहीसबके आनल समाध
11जब उ जनिसब रस्तामे जाइते रहै, ओहै समयमे कुछ सिपाहीसब सहरमे ज्याके मुल पुजारीसबके चिहानमे घटल सब घटनाके बारेमे सुनेल्कै। 12तब मुख पुजारीसब अगुवासबके जम्मा कैरके बिचार करल्कै आ उसब सिपाहीसबके बहौत घुस दैत कहल्कै, 13“तुसब लोकसबके यि कहिहे कि ‘रातमे जब हमसब सुतल छेलियै तखैन ओकर चेलासब आइबके ओकर लहासके चोराके ल्यागेलै।’ 14यदि यि बात पिलातसके कानमे पुग्तै त हमसब ओकरासे यि बात मिलाके तोरासबके खतरासे बचालेबौ।” 15उ सिपाहीसब पैसा-कौरी ल्याके मुख पुजारीके कहल बमौजी करल्कै। यि बात यहुदीसबमे फैलगेलै आ अखुन्तो तक ओकरासबमे यि बातके चरचा हैत रहैछै।
महान आग्या
(मरकुस १६:१४-१८, लुका २४:३६-४९, युहन्ना २०:१९-२३, परेरित १:६-८)
16एगारहो चेलासब गालिलके ओइ पहारमे गेलै जते येसु ओइसबके जाइले कहने छेलै।#मती २६:३२, मरकुस १४:२८ 17जब उसब येसुके देखल्कै तब ओकरा गोरलागल्कै, महज ककरो-ककरो मनमे संका भेलै। 18तखने येसु ओइसबलग आइबके कहल्कै, “स्वरगके आ पिरथिबीके सब अधिकार हमरा देलगेल छै। 19तहैलेल जो आ सब देसके लोकसबके चेला बना, पिता, बेटा आ पबितर आत्माके नाममे बप्तिस्मा दहै।#परेरित १:८ 20हम तोरासबके आग्या करल सब बात मानैले ओकरासबके सिखा। देख, हम युगके अन्ततक सबदिन तोरासबके सङे चियौ।”
Đang chọn:
मती 28: MTHB
Tô màu
Chia sẻ
So sánh
Sao chép
Bạn muốn lưu những tô màu trên tất cả các thiết bị của mình? Đăng ký hoặc đăng nhập
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.