रोमी 16:25-27
रोमी 16:25-27 MTHB
आब अपनासबके परमेस्वरके आदर आ सम्मान हेबे। हमर करल खिरिस्टके सुसमाचार परचारसे उ तोरासबके बिस्बासमे बलगर बनाइले सकल छै। येसु खिरिस्टके बारेमे हमर करल परचार, जे जुगो-जुगसे घोसाइरके राखल छेलै, आब परकट भेलछै। अकर बारेमे अनन्त परमेस्वरके आग्या अनुसार अगमबक्तासबके लिखल बात सब जातिके लोकसबलग अखुन परकट भेल छै ताकि उसब बिस्बास करे आ ओकर आग्यापालन करे। एक मातरे सरबग्यानी परमेस्वरके येसु खिरिस्ट दुवारा सबदिन महिमा हैतरहे! आमेन।

