मरकुस 10

10
छोरपतरके बारेमे येसुके सिक्‍छा
(मती १९:१-१२)
1तब येसु उ ठाम छोइरके यरदन लदीके ओइपार यहुदियाके इलाकामे गेलै। बहुत लोकसबके भिर ओकरलग एलै आ उ आपन आदत अनुसार ओइसबके फेनो सिक्‍छा दैले लाग्‍लै।
2तब कुछ फरिसीसब येसुके ओकरे बातमे फसाइले ताकैछेलै आ ओकरा पुछल्‍कै, “कोनो बियाह भेल लोक आपन घरबालीसे छोरपतर करनाइ उचित छै कि नै?” 3येसु उसबके जबाफदैत कहल्‍कै, “तोरासबके मोसा कथी आग्‍या देनेछेलौ।” 4उसब कहल्‍कै, “यि समबन्‍धमे मोसा त एकटा छोरपतरके नालिस लिखके आपन घरबालीके छोरपतर करैले अनुमति देनेरहै।” 5महज येसु उसबके कहल्‍कै “तोरासबके कठोर हिरदय भेलाके खातिर यि आग्‍या देनेछेलौ। 6महज परमेस्‍वर सुरुवेसे लोकके मरद आ जनी कैरके उसबके सिरिस्‍टी करनेरहै। 7अहैकारनसे लोक आपन बाप-महताइरके छोरैछै आ आपन घरबालीसङे मिलल रहैछै, 8आ उ दुनुगोरा एके देह हैछै। आबसे उसब दुइ नै महज एके देह हैछै।#उतपती २:२४ 9तैल्‍याके जकरा परमेस्‍वर एकसाथ जोरने छै, तकरा लोकसब नै छुटाबे।”
10जब उसब घर घुइमके एलै तब चेलासब फेनो ओहैके बारेमे येसुके पुछल्‍कै। 11येसु उसबके कहल्‍कै, “जे आपन घरबालीके छोइरके दोसरसे बियाह करैछै, उ लोक आपन घरबालीके बिरोधमे बेबिचार करैछै। 12तहिनङे जे कोनो जनी आपन घरबलाके छोइरके दोसरसे बियाह करैछै, ओहो बेबिचार करैछै।”#१०:१२ रोमीके नियम अनुसार कोनो जनी आपन घरबलासे छुट पतर लेबेके अधिकार हैछै, महज यहुदी नियममे जनिके यि करैके अधिकार नै छै।
येसु छोट बच्‍चासबके आसिरबाद देल्‍कै
(मती १९:१३-१५, लुका १८:१५-१७)
13तब लोकसब आपन धियापुतासबके उपर हाथ राइखके आसिरबाद देबे से बिचार कैरके येसुलग आनल्‍कै। महज यि देखके चेलासब ओइसबके खिस्‍याइल्‍कै। 14तब यि देखके येसु खिस्‍याके आपन चेलासबके हपारल्‍कै आ कहल्‍कै, “छोट बच्‍चासबके हमरलग आबैले नै रोकै, कथिलेत परमेस्‍वरके राज ओहनेसबके चियै। 15साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जे एकटा बच्‍चा जखा परमेस्‍वरके राजके गरहन नै करतै त उ कहियो नै परमेस्‍वरके राज भितर ढुकैले सक्‍तै।” 16तब येसु बच्‍चासबके कोरामे ल्‍याके ओइसबके उपर आपन हाथ राइखके आसिरबाद देल्‍कै।
धनिक लोक
(मती १९:१६-३०, लुका १८:१८-३०)
17जब येसु रस्‍तामे जाइछेलै तब एकटा लोक दौरके ओकर अगा एलै आ ठेङहुनिया दैत कहल्‍कै, “हे असल गुरु जी, अनन्‍त जिबन पाबैले हमरा कथी करेपरतै?” 18येसु ओकरा कहल्‍कै, “हमरा कथिले असल गुरु कहैचिही? परमेस्‍वर बाहेक कोइ नै असल छै। 19तु त आग्‍यासब जान्‍बे करैचिही- हतिया नै कर, बेबिचार नै कर, चोरी नै कर, झुठा साक्‍छी नै दहै आ आपन माँ-बाबुके आदर कर।” 20उ जबाफ देल्‍कै, “गुरु जी, यि आग्‍यासब त हम छोटेसे पालन कैरते आबैचियै।” 21तब येसु ओकर दिसन ताइकके परेमसे कहल्‍कै, “तोहरमे एकटा औरो चिजके कमी छौ। तोहरसङे भेल्‍हा सब धन-सम्‍पती बेचके गरिबसबके बाइट दहै, तब स्‍वरगमे तोरा बहुत धन भेटतौ आ हमर पछा लाग।” 22यि बात सुइनके उ लोक उदास भेलै आ दुखी भ्‍याके चैलगेलै, कथिलेत उ बहुत बरका धनिक छेलै।
23तब येसु चारुदिसन ताइकके आपन चेलासबके कहल्‍कै, “धनिक लोकसबके परमेस्‍वरके राजमे आबैले बहुत कठिन हैछै।” 24यि बात सुइनके चेलासब आस्‍चरजमे परलै महज उसबके येसु फेनो कहल्‍कै, “हे बालकसब! परमेस्‍वरके राजमे आबैले कतेक कठिनछै! 25धनिक लोक परमेस्‍वरके राजमे आबैसे त बरु उंट टिपनीके नाथिमे ढुकैले असान हैछै!” 26उसब औरो आस्‍चरजमे परके येसुके कहल्‍कै, “तब के उधार पाबतै त?” 27तब येसु उसबके ताकैत कहल्‍कै, “जे काम लोकके लेल असम्‍भब छै महज परमेस्‍वरके लेल नै, कथिलेत परमेस्‍वरके लेल सबकुछ सम्‍भब छै।”
28पतरुस ओकरा कहल्‍कै, “देखु, हमसब त आपन घरदुवार सब चिज छोइरके अहाँके पछा लग्‍लेचियै।” 29येसु कहल्‍कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जे हमरा आ सुसमाचारके खातिर आपन घरदुवार, माँ-बाबु, बेटाबेटी, भाइ-बहिन आ जगहा-जमिन छोरतै, 30तकरा सताबटके साथ-साथे अहै युगमे सय गुना बेसी घरदुवार, माँ-बाबु, बेटाबेटी, भाइ-बहिन आ जगहा-जमिन भेटतै। तब आबैबला युगमे अनन्‍त जिबन मिल्‍तै। 31जेसब अखन अगा छै, उ पछा हेतै आ जेसब अखन पछा छै उसब अगा हेतै।”
तेसर बेर आपन मिरतु बारेमे येसुके चरचा
(मती २०:१७-१९, लुका १८:३१-३४)
32येसु आ ओकर चेलासब यरुसलेम दिसन ज्‍यारहलछेलै आ अगा-अगा येसु बरहैत ज्‍यारहलछेलै। चेलासब आस्‍चरजचकित रहै आ पछा-पछा आबैबलासब डराएल रहै। बारहो चेलासबके येसु फेनो अलग लज्‍याके ओकरासबके बुझादेल्‍कै जे आपन उपर हैबला घटनाके बिसयमे ओइसबके सुनाइल्‍कै। 33येसु कहल्‍कै, “सुन, अपनासब यरुसलेम दिसन जाइचियै। ओते मानबके बेटाके मुल पुजारी आ धरमगुरुसबके जिम्‍मा लगेतौ। उसब ओकरा मिरतुदन्‍डके लेल दोसी ठहरेतै आ गैर-यहुदीसबके हाथमे सोप देतै। 34तब उसब ओकरा हसी उराइत, ओकरा थुक्‍तौ आ ओकरा कोरासे पिटतौ आ माइर देतौ। महज तिन दिनके बाद उ फेनो जिबित भ्‍याके उठतौ।”
याकुब आ युहन्‍नाके बिन्‍ती
(मती २०:२०-२८)
35जब्‍दियाके दुनु बेटा याकुब आ युहन्‍ना येसुलग आइबके कहल्‍कै, “गुरु जी, हमरासबके इक्‍छाछै, हमसब अहाँसङे जे माङैचियै से हमरासबके खातिर कैरदिय।” 36येसु ओइसबके पुछल्‍कै, “तोरासबके इक्‍छा कथी छौ, जे हमरसे कराबैले चाहैचिही?” 37उसब जबाफ देल्‍कै, “अहाँके महिमीत राजमे हमरासबमेसे एक गोराके देहना कातमे आ दोसरके आपन बमा कातमे बैठेके मन्‍जुरी दिय।” 38महज येसु ओइसबके कहल्‍कै, “तुसब कथी माङैचिही से तुसब नै जानैचिही। जे दुखके बाटी हम पियैचियै, से तुसब पिए सकबिही? या जे बप्‍तिस्‍मा हम लेनेचियै, उ बप्‍तिस्‍मा तुसब लेबे सकबिही?” 39उसब जबाफ देल्‍कै, “हँ हमसब सक्‍बै।” ओइसबके येसु कहल्‍कै, “जे दुखके बाटी हम पियैचियौ उ तुसब पिब्‍ही आ जे बप्‍तिस्‍मा हम लेनेचियौ उ बप्‍तिस्‍मा तुहेसब लेब्‍ही। 40महज आपन देहना कात आ बमाकात बैठाबैके अधिकार हमरा नै छै। परमेस्‍वर यि ठाम जैसबके खातिर तयार कैररहलछै, उ ओइसबके खातिर चियै।”
41जब यि बात बाकी दसो चेलासब सुनल्‍कै तब उसब याकुब आ युहन्‍नाके खिस्‍येलै। 42तब येसु ओइसबके आपनलग बोल्‍याके कहल्‍कै, “तुसब जानैचिही कि गैर-यहुदीमे सासन करैबलासब मनमानी करैछै आ पैध लोकसब ओकरासबके उपर अधिकार जमाबैछै। 43महज तोरासबमे एहेन नै हेतौ, जे तोरासबमेसे पैध हैके इक्‍छा करतौ, ओकरा तोरेसबके सेबक हेबेपरतै। 44तब तोरासबमेसे जे बरका हैके इक्‍छा करतौ, ओकरासबके दास हेबेपरतै। 45कथिलेत मानबके बेटा सेबा लैले नै, महज सेबा करैले आ बहौत लोकके छुटकाराके दामके खातिर आपन परान दैले एलछै।”
अन्‍हरा बारतिमै
(मती २०:२९-३४, लुका १८:३५-४३)
46तब येसु चेलासबसङे यरिहो सहरमे पुग्‍लै। येसु आपन चेलासब आ एकटा बरका भिरके साथ यरिहोसे निक्‍लै बखत रस्‍ताके कातमे तिमैके बेटा बारतिमै नामके अन्‍हरा भिखमङा बैठल छेलै। 47जब उ भिखमङा नासरतके येसु आइबरहलछै सुनल्‍कै तब उ जोरसे हल्‍ला करैत कहल्‍कै, “हे येसु, दाउदके बेटा, हमर उपर दया करु!”
48बहुत लोकसब ओकरा चुप हो कैहके फटकारल्‍कै। महज उ औरो जोरसे कहेलाग्‍लै, “हे दाउदके बेटा, हमर उपर दया करु!” 49तब येसु ठार भेलै आ कहल्‍कै, “ओकरा बोलाके अते आन!” उसब ओइ भिखमङा लोकके बोल्‍याके कहल्‍कै, “साहस कर, उठ येसु तोरा बोल्‍यारहल छौ।” 50उ आपन ओढना फेकैत खुरखुराके उठलै आ येसुलग गेलै। 51येसु ओकरा पुछल्‍कै, “तु कथी चाहैचिही? हम तोहर लेल कथी कैरदेबौ?” उ कहल्‍कै, “परभु, हम देखैले चाहैचियै।” 52येसु ओकरा कहल्‍कै, “जो, तोहर बिस्‍बाससे तु निक भेल्‍ही।” तब उ तखुन्‍ते देखेलाग्‍लै आ परमेस्‍वरके परसन्‍सा करैत ओकर पछा लाग्‍लै।

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

मरकुस 10: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល