मती 28:12-15
मती 28:12-15 MTHB
तब मुख पुजारीसब अगुवासबके जम्मा कैरके बिचार करल्कै आ उसब सिपाहीसबके बहौत घुस दैत कहल्कै, “तुसब लोकसबके यि कहिहे कि ‘रातमे जब हमसब सुतल छेलियै तखैन ओकर चेलासब आइबके ओकर लहासके चोराके ल्यागेलै।’ यदि यि बात पिलातसके कानमे पुग्तै त हमसब ओकरासे यि बात मिलाके तोरासबके खतरासे बचालेबौ।” उ सिपाहीसब पैसा-कौरी ल्याके मुख पुजारीके कहल बमौजी करल्कै। यि बात यहुदीसबमे फैलगेलै आ अखुन्तो तक ओकरासबमे यि बातके चरचा हैत रहैछै।