मती 24
24
अन्तके दिनके चेन्हासब
(मरकुस १३:१-१३, लुका २१:५-१६)
1येसु जब मन्दिरसे निकैलके जाइलाग्लै तब ओकर चेलासब मन्दिरके मकानसब देखाइले लगमे एलै। 2तब येसु ओइसबके कहल्कै, “तुसब देखरहलचिही कि नै? साँचे हम तोरासबके कहैचियौ, एक पथल दोसर पथल उपर नै रहतौ, यि सब भहैरके गिरतौ।”
3येसु जैतुन पहारमे बैठलबखत ओकर चेलासब आइबके चुपेसिना पुछल्कै, “गुरु जी, हमरासबके कहु यि बातसब कहिया हेतै? अपने दोसर बेर एबै से आ यि युगके अन्त हैबला चेन्हा कथी रहतै।”
4येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “होसियार रह कि तोरासबके कोइ नै भरमाबे। 5बहुतो लोकसब हमर नाममे एतौ आ कहतौ कि, ‘हम्ही खिरिस्ट चियै’ आ बहुतोके बहकेतौ। 6तुसब लराइ आ लराइके हल्लासब सुनबिही। महज उ समयमे तुसब नै घबराइहे, कथिलेत पहिने यि सब हेनाइ आबसेक छै, महज अन्त तुरन्ते नै हेतौ।” 7कथिलेत जातिके बिरोधमे जाती आ राजके बिरोधमे राज उठतै आ बहुतो ठामसबमे अकाल आ भुमकौन एतै। 8यिसब त कस्टके सुरुवात मातरे चियै।
9 “तब लोकसब तोरासबके पकैरके दुख दैकेलेल लजेतौ, तोरासबके मारतौ। तुसब हमरा बिस्बास करैके कारन सब जातीसब तोरासबके दुस्तौ। #
मती १०:२२
10 “ओइ बखत बहुतो लोक आपन बिस्बास गुमाइतै। उ सब एक-दोसरके धोखा देतै आ एक-दोसरके घिरना करतै। 11बहुतो झुठा अगमबक्तासब एतै, उ बहुतो लोकके बहकेतै।
12 “जते-तते पाप बढलाके कारन लोकसबके एक-दोसरके परेममे फिका पैरजेतै। 13महज अन्ततक अस्थिर रहैबला बच्याल जेतै।#मती १०:२२ 14परमेस्वरके राजके यि सुसमाचार परचार सनसार भैर करलजेतै, ताकि सब जातीके लोकसब सुनैके मौका पाबे, तकरबादे यि सनसारके अन्त हेतै।
संकटके दिनसब
(मरकुस १३:१४-२३, लुका २१:२०-२४)
15 “जब तुसब बिनास करैबला घिरनित चिज पबितर ठाममे ठारभेल देखबिही, जकर बारेमे परमेस्वरके अगमबक्ता दानिएल कहनेछै (परहैबलासब बुझे), #
दानिएल ९:२७, ११:३१, १२:११ 16तब यहुदियामे रहैबला लोकसब पहार दिसन भागे। 17जे घरके उपरका महलामे छै, से कोइ निचा उतैरके समानसब लैले घर भितर नै आबे।#लुका १७:३१ 18खेतमे काम करैबलासब घर घुइमके आपन बस्तर लैले नै आबे। 19महज तै दिनमे जे जनिसबके देहभारी रहतै आ कोरामे दुधपिया बच्चा रहतै ओइसबके लेल बहुत मुसकिल हेतै! 20यि सब जार महिना आ पबितर बिसराम दिनमे नै हेबे कैहके परथना कर। 21कथिलेत परमेस्वर पिरथिबी सिरिस्टी करल्कै तै दिनसे अखुनतक एहेन महासङकट नै भेल छै आ नै कहियो हेतै।#दानिएल १२:१, परकास ७:१४ 22यदि परमेस्वर उ बिपतके दिन कम नै करतै त लोकसब कोइ नै जिबित रहतै, महज परमेस्वर आपन छानल लोकसबके खातिर यि दिन कम कैरदेतै।
23 “ओइ बखत जब कोनो लोक तोरासबके कहतौ, ‘देख, खिरिस्ट एते छौ’ या ‘ओते छौ!’ उ बातमे बिस्बास नै कर। 24कथिलेत झुठा खिरिस्ट आ झुठा अगमबक्तासब देखा परतौ। सम्भब त अचमके कामसब आ चेन्हासब देख्याके परमेस्वरके छानल लोकसबके बहकेतौ।
25 “देख, यि बात हम तोरासबके पहिनेसे कैहदेने चियौ। 26यदि लोकसब तोरासबके ‘देख, उ सुनसान जगहमे छौ’ कैहके कहतौ त ओते नै जाइहे आ ‘देख, उ घर भितर छौ’ कैहके कहतौ त बिस्बास नै करिहे।#लुका १७:२३-२४ 27कथिलेत जनङ बिजली अकासके कोनो एक कात चम्कैछै त दोसरकातके अन्ततक इजोत देखापरैछै, अहिनङे मानबके बेटा आबैके दिनमे सबकोइ देख्तै। 28जते मरी रहैछै, गिधसब ओतै जम्मा हेतौ।#लुका १७:३७
मानबके बेटा परगट हैबला दिन
(मरकुस १३:२४-२७, लुका २१:२५-२८)
29 “जब बरका महासङकटके दिनसब बित्तै सुरुज अन्हार हेतै आ चान आपन चमक दैले छोरतै, अकासके तरासब खस्तै आ अकासके सक्तिसब थरथर काप्तै। #
यसैया १३:१०, योएल २:१०,३१, ३:१५, परकास ६:१२, यसैया १३:१०, इजकिएल ३२:७, योएल २:१०,३१, ३:१५, यसैया ३४:४, परकास ६:१३
30 “तकरबाद मानबके बेटा आबैके चेन्हा अकासमे देखा परतै। पिरथिबीके सब जातीसब कना रोहैट करतै आ मानबके बेटाके बादलमे सक्ती आ बरका महिमाके सङे आबैत देख्तै। #
दानिएल ७:१३, जकरिया १२:१०-१४, परकास १:७ 31तुरहीके अबाजसङे उ आपन स्वरगदुतसबके पठेतै आ अकास आ पिरथिबीके चारु दिसरसे उ आपन छानल लोकसबके जम्मा करतै।
अन्जिरके गाछके खिसा
(मरकुस १३:२८-३१, लुका २१:२९-३३)
32 “अन्जिरके गाछसे यि पाठ सिख, जब ओइमे नरम ठार आ लबगोजा पता एल देखके तोरासबके थाह हैछौ कि गरमिके समय नजदिक एलछै।
33 “तहिनङे जब तुसब हमर यि कहल बातसब हैत देखबिही तब उ आबैबला समय चैलएलछै से बात तुसब जानिहे। 34साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, जाबेतक यि सब बातसब पुरा नै हेतै ताबेतक यि पुस्ताके अन्त नै हेतै। 35स्वरग आ पिरथिबी बित जेतै, महज हमर बचन रहबे करतै।
साबधान रह
(मरकुस १३:३२-३७, लुका १७:२६-३०)
36 “महज उ संकटके दिन आ घरी कहिया एतै से ककरो नै थाहछै, नै स्वरगदुतसबके नै परमेस्वरके बेटाके, परमेस्वर पिता मातरे जानैछै। 37नोआके दिनमे जेहन भेल छेलै, हम मानबके बेटा आबैके दिनमे ओहिनङ हेतौ।#उतपती ६:५-८ 38जल परलयसे पहिने नोआ जहाज भितर नै ढुकैतक लोकसब खाइछेलै, पियैछेलै, बियाहबारी करैछेलै। 39जब जलपरलय आइबके ओकरासबके नै दहाबे लाग्लै तबतक ओइसबके थाहे नै भेलै। मानबके बेटा आबैके दिनमे ओहिनङे हेतै।#उतपती ७:६-२४ 40खेतमे काम करैले गेल दुइगोरामेसे एकटाके लजेतै आ दोसर छोरलजेतै। 41तैहनङे दुइगोरा जनिसब सङे-सङे जाँत पिसैत रहतौ, महज एकटाके लजेतै त दोसरके छोरलजेतै।
42 “अहैलेल तुसब जागल रह, कथिलेकी तुसब नै जानैचिही कि तोरासबके परभु कोन दिन आइबजेतौ। 43महज यि जानैत रह, कि चोर कोन बखत एतै कैहके मालिकके थाह हेतियै त उ जागले रहतियै आ चोरके सिन कोरके घर ढुकैले नै देतियै।#लुका १२:३९-४० 44तैखातिर तुहुसब तयार रह, कथिलेत तोरासबके नै सोचलहा बखत मानबके बेटा एतौ।
45 “के एहेन बिस्बास जोग्य आ बुधिमान नोकर चियै जेकर मालिक आपन घरके औरो नोकरसबके मुखिया बनेतै जे उ ठिकसे रेखदेख कैरके ओइसबके समयमे खान-पिनके बेबस्था करतै? 46उ नोकर धैनके हेतै, जब मालिक एतै त ओकरा ठिकसे काम करैत देख्तै। 47साँचे हम तोरासबके कहैचियौ, मालिक सारा सम्पतिके जिमा ओइ नोकरके देतै। 48महज यदि दुस्ट नोकर हेतै त उ अपने-आपके कहतै, ‘हमर मालिक आबैमे देरी कैररहलछै’ कैहके, 49उ आपन जरे काम करैबला नोकरसबके मारपिट करे लाग्तै आ अपने पियकर सङे खाइ-पिये लाग्तै त, 50ओइ नोकरके मालिक नै सोचलहा दिन आ घरिमे चैलएतै। 51तब मालिक ओकरा कठोर दन्ड देतै आ ओकरा कपटीसबके बिचमे फेकदेतै, जते लोकसब कानैत रहैछै आ दाँत किटकिटाइत रहैछै।”
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
मती 24: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: