लुका 4
4
येसुके जाँच
(मती ४:१-११, मरकुस १:१२,१३)
1येसु पबितर आत्मासे भरपुर भ्याके यरदन लदीसे जब घुम्लै तब पबितर आत्मा येसुके उजार जगहमे ल्यागेलै। 2चालिस दिन उजार जगहमे सैतानसे येसु परिक्छामे परलै। ओइ बखत येसु कथियो नै खेने रहै तब ओकरा चालिस दिनके बाद भुख लाग्लै। 3ओइ बखत सैतान येसुके कहल्कै, “अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै त यि पथलके आदेस करु ताकि रोटी बने।” 4तब येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, ‘लोक रोटिएटासे जिबित नै रहैछै।’”#बेबस्था ८:३
5तकरबाद सैतान येसुके पहारके टुप्पीमे लज्याके एके झलकमे सनसारके सारा राजसब देखेल्कै। 6सैतान ओकरा कहल्कै, “हम यि सब राजके रजा, यि सब धन-सम्पतीके मालिक बन्या सकैचियै कथिलेत यि सब अधिकार हमर हाथमे देल छै आ हम जकरा चाहबै तकरा दैले सकैचियै। 7झुकके हमर टाङमे गोरलागबै त, यि सब चिज अहाँके भ्याजेतै।” 8तब येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, ‘तु परमपरभु, खालि आपन परमेस्वरके गोर लाग आ ओकरेटा सेबा कर।’”#बेबस्था ६:१४
9तब उ येसुके यरुसलेममे परमेस्वरके मन्दिरके टुप्पीमे लजाइल्कै आ कहल्कै, “यदि अहाँ साच्चेके परमेस्वरके बेटा चियै त, अहाँ अइ ठामसे निचा कुदु। 10कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे येहेन लिखल छै,
‘तोरा बचाइले परमेस्वर आपन स्वरगदुतसबके पठाइतौ
11आ उसब तोरा हाथे-हाथ
लोइकलेतौ नै त तोहर टाङ पथलमे बजारलजेतौ।’” #भजनसङगरह ९१:११, १२
12तब येसु ओकरा कहल्कै, “पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, ‘तु परमपरभु आपन परमेस्वरके जाँच नै कर।’”#बेबस्था ६:१६ 13सैतान येसुके अनेक दाउपेच लग्याके पापमे फसाइके कोसिस करलाके बाद दोसर मौका नै पाबैतक छोइरके चैलगेलै।
गालिलमे येसुके काम सुरु
(मती ४:१२-१७, मरकुस १:१४-१५)
14येसु पबितर आत्माके सक्ती पाइबके गालिलमे घुइमके गेलै। से बात चारु दिसरके लोकसबके थाह भेलै। 15येसु ओइ ठामके यहुदी सभाघरमे सिक्छा देल्कै आ सबकोइ ओकर परसन्सा करेलाग्लै।
नासरतमे येसुके इन्कार
(मती १३:५३-५८, मरकुस ६:१-६)
16येसु नासरत गाममे एलै, जते उ बरहल छेलै। ओते उ पबितर बिसरामके दिन यहुदी सभाघरमे जाइ छेलै। पबितर धरमसास्तर परहैले ठार भेलै। 17तब ओकरा यसैया अगमबक्ताके लिखल किताब परहैले देल्कै आ किताब खोइलके एहेन लिखल पन्ना निकालके परहल्कै,
18 “परमपरभुके आत्मा हमर उपर छै,
गरिबसबके सुसमाचार सुनाइले उ हमरा अभिसेक कैरके पठाइने छै।
बन्धनमे परलसबके छुटकाराके लेल, अन्हरासबके आँख देखैके लेल,
अत्याचारमे परलाहासबके सोतन्तर करैके लेल,
19 आ परमपरभु मानब जातिके अखुन्ते मुक्तीके
घोसना करैले हमरा पठाइने छै।” #
यसैया ६१:१, २
20तकरबाद येसु किताब बन करल्कै तब किताब फिरता द्याके बैठलै। यहुदी सभाके सब लोकसबके नजर ओकर दिसन छेलै। 21तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “आइ पबितर धरमसास्तरमे लिखल यि बातसब सुइनके तोरासबमे पुरा भेलछौ।”
22सब लोकसब येसुके परसन्सा करल्कै आ अनुगरहसे भरल येसुके बचन सुइनके छक परलै। तब उसब कहैछेलै, “कि यि योसेफके बेटा नै चियै?” 23तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “साँचोके तुसब हमरा यि फोकरा कहबिही, ‘ए बैध, तु अपने-आपके निक कर।’ तोहे कफरनहुममे जे जतेक करलिही से हमरासबके सुन्ने छेलियौ, से आपने गाम-ठाममे कर।”
24तब येसु कहल्कै, “साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, कोनो भि अगमबक्ताके लोकसब आपन गाम-ठाममे मान-दान नै करैछै। 25दोसरो एकटा बात हम तोरासबके कहैचियौ, इजराएलके एलिया अगमबक्ताके बखत ओते बहुते बिधुवासब रहै, तैबखत साढे तिन बरिस बरखा नै भेलै आ देसमे बरका रौदी भेल छेलै। 26एलियाके कोनोभी बिधुवा लग इजराएलमे नै पठाइल्कै। महज सिदोन इलाकाके सारपात ठामके बिधुवा लग पठाइल्कै। 27ओहिनङे एलीसा अगमबक्ताके बखत इजराएलमे बहुत लोकसबके कोढि-कुस्टी रहै, महज ओइसबगोरेमे से कोइ नै निक भेलै। सिरिया देसके नामान मातरे निक भेलै।”
28यि बात सुइनके यहुदी सभाघरके सब लोकसब खिस्यागेलै। 29सबकोइ उठलै आ येसुके ओइठामसे धक्का-धुक्कि दैत सहर बाहर निकालल्कै, जै पहारमे सहर बनाइने छेलै ओहैके पहारके टुप्पीमे लज्याके ओकरा खसाइले चाहल्कै। 30महज उ ओइसबके भिरभारसे निकैलके आपन रस्ता चैलगेलै।
भुत लागल लोक
(मरकुस १:२१-२८)
31तब येसु गालिलके एकटा सहर कफरनहुममे गेलै। पबितर बिसराम दिनमे येसु सबके सिक्छा दैछेलै। 32उसब येसुके सिक्छा सुइनके छक्के परलै, कथिलेत ओकर बचन अधिकारसे भरल छेलै।
33यहुदी सभाघरमे भुत आत्मा लागल एकटा लोक छेलै आ उ जोरसे चिच्याके कहल्कै, 34“हौ नासरतके येसु अहाँसे हमरासबके कोन काम? अहाँ हमरासबके बरबाद करैले एलचियै? अहाँ के चियै कैहके हमरा थाहछै, अहाँ परमेस्वरसे पठेल्हा एकटा पबितर जन चियै।” 35तब येसु ओकरा खिस्याके कहल्कै, “चुप हो बेसी नै बाज आ ओइ लोकसे बाहर निकैलजो!” ओइ लोकके ओहै ठाम सब लोकसबके अगामे उठासुठाके पटैकके भुत कथियो नै कैरके बाहर निकैल गेलै।
36तब सबलोक छक परलै आ आपनेमे बात करेलाग्लै, “यि केहन बचन चियै? अकर सङे केहन सक्ती आ अधिकार छै जब भुत आत्माके आग्या करैछै त निकैल जाइछै।” 37तब कफरनहुम सहरके चारुदिसन येसुके चरचा हेबे लाग्लै।
येसु बिमारीसबके निक करल्कै
(मती ८:१४-१७, मरकुस १:२९-३४)
38यहुदी सभाघरसे निकैलके येसु सिमोनके घरमे गेलै। तैबखत सिमोनके सौसके बहुत जोरसे जर-बोखार लागल छेलै। तकर घरके लोकसब, “अकरा निक कैरदिय” कैहके येसुके आगरह करल्कै। 39तब ओकरलग ठार भ्याके येसु कहल्कै, “जर-बोखार अकरा छोर!” तब उ निक भ्यागेलै आ तखुन्ते उठके ओकरासबके स्वागत सत्कार करल्कै।
40रौद डुब्लाके बाद बहुत किसिमके रोगीसबके येसुलग आनल्कै। येसु ओकरासबके उपरमे हाथ राखल्कै आ सब रोगीसबके निक करल्कै। 41बहुत लोकसबके देहसे भुतसब चिच्याइते ऐहेन कैहके निकल्लै, “अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै!” महज येसु खिस्याके भुतसबके बोले नै देल्कै कथिलेत खिरिस्ट चियै कैहके चिन्हैछेलै।
येसुके परचार
(मरकुस १:३५-३९)
42बिहान हैतसाथ येसु सुनसान जगहमे गेलै। लोकसब येसुके खोज्ते-खोज्ते एलै, येसु भेटलाके बाद उसब, “हमरासबके छोइरके नै जाउ” कैहके बिन्ती करल्कै। 43महज येसु ओकरासबके कहल्कै, “हमरा परमेस्वरके राजके सुसमाचार औरो ठामसबमे सुनाइले परतै कथिलेत येहा कामके लेल परमेस्वर हमरा पठाइने छै।” 44तब येसु यहुदियाके यहुदी सभाघरसबमे गेलै आ लगातार परचार करेलाग्लै।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
लुका 4: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: