लुका 4:9-12
लुका 4:9-12 MTHB
तब उ येसुके यरुसलेममे परमेस्वरके मन्दिरके टुप्पीमे लजाइल्कै आ कहल्कै, “यदि अहाँ साच्चेके परमेस्वरके बेटा चियै त, अहाँ अइ ठामसे निचा कुदु। कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे येहेन लिखल छै, ‘तोरा बचाइले परमेस्वर आपन स्वरगदुतसबके पठाइतौ आ उसब तोरा हाथे-हाथ लोइकलेतौ नै त तोहर टाङ पथलमे बजारलजेतौ।’” तब येसु ओकरा कहल्कै, “पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, ‘तु परमपरभु आपन परमेस्वरके जाँच नै कर।’”