लुका 21

21
गरिब बिधुवाके दान
(मरकुस १२:४१-४४)
1येसु मन्‍दिरमे रहैतखिना धनिक लोकसबके आपन-आपन दान मन्‍दिरके दान पेटिमे राखैत देखल्‍कै। 2तहै बखत ओतै उ एकटा बिधुवाके तमाके दुइ पैसा दान करैत देखल्‍कै। 3यि देखके येसु कहल्‍कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, यि बिधुवा औरो लोकसबसे बेसी दान करनेछै। 4कथिलेत औरो लोकसब बेसी भेल उबरल-पुगरलमेसे दान करनेछै, महज यि बिधुवा त गरिबो भ्‍याके आपन जिबन चलाइबला सबखरच चरहाइने छै।”
मन्‍दिर बिनास हैके भबिसबानी
(मती २४:१-१४, मरकुस १३:१-१३)
5कोनो-कोनो चेलासब छनगर-छनगर पथलसे बन्‍याल आ दानमे एल असल-असल चिजसे सजाल मन्‍दिरके बारेमे बात करेलाग्‍लै। तब येसु कहल्‍कै, 6“तोरासबके जे देखरहलचिही, ऐहनो बखत एतौ जब एकटा पथलके उपर दोसर पथल नै रहतौ, उ सब भहैरके गिरजेतौ।”
7तब उसब येसुके पुछल्‍कै, “गुरु जी, यि बातसब कहिया हेतै? यि हेबे लाग्‍तै त केहन चेन्‍हा हेतै?” 8येसु कहल्‍कै, “होसियार रह, तोरासबके कोइयो नै बहकाबे। ‘समय नजदिक चैलएलछै’ आ हमर नाममे बहुत लोकसब ‘हम्‍ही खिरिस्‍ट चियै’ कहतौ, महज ओकरासबके पछा तुसब नै जैहे। 9जब तुसब बरका लराइ, झगरा आ मारकाटके बातसब सुनबिही तैयो तुसब नै घबराइहे, कथिलेत पहिने यि घटनासब हेबैये परतै, महज अन्‍त तुरन्‍ते नै हेतौ।”
10तब येसु फेनो कहल्‍कै, “जाती-जातीमे एक-दोसरसे लराइ हेतौ। एक राज दोसर राजके उपर हमला करतौ। 11बरका बरका भुमकौन हेतौ। जते-तते भुखमरी आ महामारी फैल्‍तौ, आतङक मचतौ, तब अकाससे बरका बरका चेन्‍हासब हेतौ।
12 “महज यि सब बातसब हैसे पहिने, लोकसब तोरा पकरतौ, सताइतौ, सभाघरमे लज्‍याके जिमा लग्‍यादेतौ आ पकैरके जहलमे द्‍यादेतौ। हमर नामके खातिर तोरासबके रजा आ सासकसबके अगामे ठार करतौ। 13महज हमर बारेमे तोरासबके लेल यि एकटा गबाही दैके मौका हेतौ। 14तब तुसब आपन बचावके खातिर कथी कहबै पहिनेसे मनमे चिन्‍ता नै कर। 15कथिलेत हम तोरासबके एहेन सब्‍द आ बुधि देबौ, कि तोहर बिरोधिसब तोरासबके बात सुइनके एकोटाके जबाफ दैले नै सक्‍तौ, ओकरासबके मुहमे तला लाइग जेतौ। 16महज तोरासबके माँ-बाबु आ भाइ-भैयारीसब, कर-कुटुमसब आ साथी-भाइयोसब तोरासबके पकरादेतौ आ तोरेसबमेसे ककरो-ककरो माइरयोदेतौ। 17हमरा बिस्‍बास करलाके कारन सब लोकसब तोरासबके घिरना करतौ। 18महज तैयो तोरासबके मुरके एकोटा केसतक नै उखरतौ। 19कथिलेत तोरासबके आपन धिरजके कारन जिबन मिल्‍तौ।”
यरुसलेमके बिनास
(मती २४:१५-२१, मरकुस १३:१४-१९)
20 “जब यरुसलेम सहरके चारुकात सेनासबसे घेरल देखबिही, तब ओकर बिनास लग एलछै से बात जान। 21तैबखत यहुदिया इलाकामे रहैबला लोकसब पहार दिसन भागे। यरुसलेमके सहरमे रहैबला लोकसब सहर छोइरके बाहर दिसन भागे आ बाहर गाममे रहैबला लोकसब सहर दिसन भितर नै आबे। 22कथिलेत उ दिन सजायके दिन हेतै जे पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल सब बातसब पुरा हेतौ। 23तै दिनमे कोइखमे आ कोरामे बच्‍चा भेल जनिजाइतके लेल बहुत मुसकिल हेतौ। कथिलेत दुनियामे बहुत बरका सङकट एतौ आ परमेस्‍वरके दन्‍ड ऐहनङ लोकसबमे परतौ। 24दुस्‍मनसब ओइसबके तरबारसे काइटके मारतौ। ओकरा बन्‍दी बनाके देस-देसमे ल्‍याजेतौ। तब आन जातसे समय पुरा नै हेबे तक उसब यरुसलेमके टाङके तरमे दाइबके राख्‍तौ।”
मानब बेटा फेनो एतै
(मती २४:२९-३१, मरकुस १३:२४-२७)
25 “चान, सुरुज आ तरासबमे चेन्‍हा देखा परतौ, समुन्‍दरके हुहुवाह आ बरका बरका झोहसबके देखके सनसारके लोकसब डेराजेतै। 26सनसारमे हैले आबैबला घटनासबके समैझके लोकसब मुरछा परतौ, कथिलेत अकासके सक्‍तिसब थरथर कापे लाग्‍तौ। 27तकरबाद मानब बेटाके सक्‍ती आ महामहिमासङे बादलमे आबैत उसब देख्‍तौ। 28जब यि बातसब हेबे लाग्‍तौ तब साहस कैरके ठार हो आ आपन मुरी उठाके उपर माथे ताक, कथिलेत तोरासबके उधार नजदिक आइबरहलछौ।”
परमेस्‍वरके अटल बचन
(मती २४:३२-३५, मरकुस १३:२८-३१)
29तब येसु ओइसबके एकटा खिसा कहल्‍कै, “तुतके गाछी आ औरो गाछीसबके देख, 30ओइमे लबगोजा पत्‍ता एल देखके तोरासबके आपने थाह हेतौ, कि आब गरमिके समय नजदिक छै। 31तहिनङे जब तोरासबके यि बातसब हैत देखबिही तब परमेस्‍वरके राज नजदिक चैलएलछै से बात जान। 32साच्‍चे हम तोरासबके कहैचियौ, जाबेतक यि सब बातसब पुरा नै हेतै ताबेतक यि पुस्‍ताके अन्‍त नै हेतै। 33स्‍वरग आ पिरथिबी खतम भ्‍याजेतै, महज हमर बचन रहबे करतै।”
साबधान रह
34 “तुसब आपनमे होसियार रह, बेसी भोज-भतेरके पछा नै जो, मतबालीपना आ जिन्‍गीके बारेमे चिन्‍ता करैसे होसियार रह, नै त उ दिन नै सोचलहा बखतमे चैलएतौ। 35सारा सनसारमे रहैबला लोकसबसङे ऐहनङे हेतौ। 36महज यि सब बातसबसे बचैले आ मानब बेटाके अगामे ठार हेबे सके तै सक्‍तिके लेल परमेस्‍वरसङे हरघरी जागल रह आ परथना कर।”
37येसु सबदिन मन्‍दिरमे सिक्‍छा दैछेलै आ रातके जैतुन पहारके टुप्‍पीमे ज्‍याके रात बिताबै छेलै। 38सब लोकसब मन्‍दिरमे सबदिन अनगुते ओकर बचन सुनैले आबैछेलै।

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

लुका 21: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល