युहन्ना 17
17
आपन खातिर येसुके परथना
1येसु यि सब बात कहलाके बाद स्वरग दिसन ताइकके कहल्कै, “हे पिता, आब समय आइबगेल छै। अहाँ आपन बेटामे महिमा परकट करु, ताकि बेटो अहाँके महिमा परकट करे। 2कथिलेत अहाँ आपन बेटाके सब लोकसब उपर अधिकार देनेचियै, ताकि अहाँके देल सब लोकसबके अनन्त जिबन देबेसकी। 3अनन्त जिबन एह्या चियै कि, उसब अहाँ एक मातरे सत परमेस्वरके आ अहाँके पठाएल येसु खिरिस्ट चियै से जाने। 4अहाँ जे काम करैले हमरा जिम्मा देनेछेलियै, से काम पुरा कैरके पिरथिबीमे हम अहाँके महिमा करनेचियै। 5हे पिता, सनसार सिरिस्टी हैसे पहिने अहाँसङे हमर जे महिमा छेलै, ओह्या महिमासे आब अहाँके अगा हमरा महिमीत करु।
चेलासबके लेल येसुके परथना
6 “जे लोकसब अहाँ हमरा सनसारसे देलियै हम ओइ लोकसबके अहाँके बारेमे सब चिज कैहदेलियै। उसब अहाँके छेलै आ उसबके अहाँ हमरा देलियै आ उसब अहाँके बचन पालन करनेछै। 7आब उसब जानैछै कि, अहाँके द्याल हमर सब चिज अहैसे एलछै। 8कथिलेत अहाँके देल सिक्छा हम ओइसबके देनेचियै आ उसब उ सुइकार करनेछै। हम अहाँसे एलचियै कैहके उसब साँचोके बुझनेछै। तब हमरा अहै पठेलियै कैहके उसब बिस्बास करनेछै।
9 “आब हम ओइसबके लेल परथना करैचियै। हम सनसारके लेल परथना नै करबै, महज ओकरासबके लेल, जकरा अहाँ हमरा देनेचियै। कथिलेत उसब अहैके चियै। 10हमरसङे भेल सब अहाँके चियै आ अहाँसङे भेल सब हमरे चियै। ओकरेसबसे हमर महिमा भेल छै। 11आब हम सनसारमे नै रहबै, महज उसब त सनसारेमे रहतै आ हम अहाँके लग आइबरहल चियै। हे पबितर पिता, अहाँ आपन नामके सक्तिसे एकरासबके रक्छा करु, जे नाम अहाँ हमरा देलियै, ताकि ओहोसब हम आ अहाँ एक भ्याल जखा एक हेबे। 12जब हम सनसारमे ओइसबसङे छेलियै, तब हम ओइसबके अहाँके आपन नामके सक्तिसे रक्छा करलियै, जे नाम अहाँ हमरा देनेछेलियै। हम ओइसबके बचेलियै आ ओइसबमेसे नास हैबलाके छोइरके औरो कोइ नास नै भेलै, महज पबितर धरमसास्तरमे लिखल बचन पुरा हेबे कैहके यि भेलै।#भजनसङगरह ४१:९, युहन्ना १३:१८
13 “महज आब हम अहाँ लग आइबरहल चियै। हमर आनन्द ओइसबमे पुरा हेबे कैहके हम सनसारमे रैहते यि बात कहैचियै। 14हम ओइसबके अहाँके बचन देलियै, महज सनसारके लोकसब ओकरासबके घिरना करल्कै, कथिलेत उसब सनसारके नै चियै, जहिनङे हम सनसारके नै चियै। 15यि सनसारसे ओकरासबके ल्याजाउ कैहके हम परथना नै करैचियै, महज ओकरासबके दुस्टसे बचाबु कैहके परथना करैचियै। 16जहिनङे हम यि सनसारके नै चियै, तहिनङे ओहोसब यि सनसारके नै चियै। 17अहाँके सत्यतासे ओइसबके पबितर करु, कथिलेत अहाँके बचन सत छै। 18जहिनङे अहाँ हमरा सनसारमे पठेलियै, तहिनङे हम्हु ओइसबके सनसारमे पठाइनेचियै। 19हम ओइसबके खातिर आपनेके पबितर करैचियै, ताकि उसब सेहो सत्यतामे पबितर हेबे।
बिस्बासीसबके लेल परथना
20 “हम यि चेलासबके खातिर मातरे परथना नै करैचियै, महज ओहोसबके लेल करैचियै, जे उसबके सिक्छासे हमर उपर बिस्बास करतै। 21हम परथना करैचियै कि उ सबकोइ एक हेबे। हे पिता, जहिनङे अहाँ हमरमे आ हम अहाँमे चियै, तहिनङे ओहोसब अपनासबसङे एक हेबे, ताकि अहाँ हमरा पठाइनेचियै कैहके सनसारके लोकसब बिस्बास करे। 22जे महिमा अहाँ हमरा देनेचियै, ओह्या महिमा हम ओइसबके देनेचियै, ताकि जहिनङे हम आ अहाँ एक चियै तहिनङे ओहोसब एक हेबे। 23हम ओकरासबमे आ अहाँ हमरमे चियै। अहिनङके उसब पुरा रुपसे एक हेबे आ अहाँ हमरा पठाइनेचियै आ जहिनङे अहाँ हमरा परेम करैचियै तहिनङे हमरमे बिस्बास करैबलासबके परेम करैचियै से सनसारके लोकसब जाने।
24 “हे पिता, हम इक्छा करैचियै कि, जकरासबके अहाँ हमरा देनेचियै, सेसब हमरसङे रहे आ हमर महिमा देखे, जे महिमा सनसार सिरिस्टी हैसे पहिने अहाँ हमरा परेम करलाके कारनसे देनेछेलियै।
25 “हे धारमिक पिता, सनसारके लोकसब अहाँके नै जानैछै, महज हम अहाँके जानैचियै आ अहाँ हमरा पठाइनेचियै कैहके यि चेलासब जानैछै। 26हम ओकरासबके अहाँके चिन्हादेनेचियै आ अहाँके चिन्हाइते रहबै, ताकि जे परेम अहाँ हमरा करलियै, ओह्या परेम ओइसबमे रहे आ हम ओइसबमे रही।”
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
युहन्ना 17: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: