युहन्ना 12
12
येसुके सम्मानमे भोज
(मती २६:६-१३, मरकुस १४:३-९)
1निस्तार पाबैनके छ दिन पहिने येसु बेथानिया गाममे एलै। ओते लाजरस रहैछेलै, जकरा येसु मुरदासे जियाइने छेलै। 2येसु एलाके खुसियालीमे भोजन तयार करल्कै। मारथा सेबा टहल करेमे लागलछेलै आ लाजरस येसु आ औरो मेजवानसबसङे खाइले बैठल छेलै। 3तब मरियम करिब अधा लिटर बहौत महग अतरके गमकौवा तेल आइनके येसुके टाङमे लग्यादेल्कै आ आपन केससे पोइछ देल्कै। ओइ तेलके गमकसे पुरे घर गमगम करेलाग्लै।#लुका ७:३७-३८ 4महज येसुके चेलासबमेसे एकगोरा यहुदा इस्करियोती कहल्कै, (जे पछा आइबके धोखा देल्कै) 5“कि यि गमकौवा तेल तिन सय चानीके डलरमे बेचके गरिबसबके देतियै त नै हेतियै?” 6उ गरिबसबके वास्ता करैबला भेलाके कारनसे एहेन नै कहने छेलै कथिलेकी उ चोर छेलै आ पैसा-कौरीके बटुवा ओह्या राखैछेलै आ ओहैमेसे उ चोराइ छेलै। 7तब येसु कहल्कै, “भेलै, अकरा कुछो नै कहि, हमरा गारैबला दिनके तयारिके लेल यि गमकौवा तेल बचाके राखने छेलै। 8गरिबसब त सबदिन तोरेसबसङे रहतौ, महज हम त सबदिन नै रहबौ।”#बेबस्था १५:११
9यहुदी लोकसबके एकटा बरका भिर येसु बेथानियामे छै कैहके थाह पाबल्कै। उसब ओते येसुके लेल मातरे नै महज येसु मुरदासे जिबित करल लाजरसके सेहो देखैके लेल एलछेलै। 10अहैलेल मुल पुजारीसब लाजरसके सेहो मारैके पका करल्कै। 11कथिलेत लाजरस जिबित भेलासे बहुतो यहुदीसब पुजारीसबके छोइरके येसुमे बिस्बास करैछेलै।
यरुसलेममे येसुके स्वागत
(मती २१:१-११, मरकुस १:१-११, लुका १९:२८-४०)
12बिहान खिना निस्तार पाबैनमे एल बरका भिर येसु यरुसलेममे आइबरहलछै कैहके सुनल्कै। 13उसब खजुरके ठाइरसब ल्याके एहेन कहैत ओकरा भेटैले निकल्लै, “होसन्ना! धैन इजराएलके रजा! जे परमपरभुके नाममे आबैछै!” #भजनसङगरह ११८:२५-२६
14येसु गदहाके बच्चामे चहरलै। यि बात पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै,
15“हे सियोनके बेटिसब, नै डेरा!
देख, तोरासबके रजा गदहाके बच्चामे चहैरके आइबरहलछौ।” #जकरिया ९:९
16ओकर चेलासब पहिने यि बात नै बुझल्कै। महज येसु महिमीत भेलाके बाद ओकरासबके याद एलै कि यि बात ओकरे बारेमे लिखल छेलै आ उ लोकसब यि सबकाम ओकरे लेल करल्कै कैहके बुझल्कै।
17ओइ बखत यरुसलेममे बहुतो लोकसब छेलै, जे-जे येसु लाजरसके चिहानसे बाहर बोल्याके मिरतुसे जिबित कैने देखल्कै, उ सब औरोसबके अइ घटनाके बारेमे बताइत रहलै। 18येसु एहेन अजगुतके काम करनेछै कैहके भेटैले भिरके लोकसब ओकरलग गेलै। 19ओहैसे फरिसीसब एक-दोसरके एहेन कहेलाग्लै, “आब तुसब कुछो करे नै सकैचिही। देख, सारा दुनिया ओकर पछा लाइग गेलछै!”
गिरिकसब येसुके खोजल्कै
20निस्तार पाबैनमे यरुसलेममे आराधना करैले गेलसबमेसे कतहेक लोक गिरिक जातिके लोकसब छेलै। 21उसब गालिल परदेसके बेथसेदा गामके फिलिप लग आइबके बिन्ती करैत कहल्कै, “हजुर, हमसब येसुसे भेट करैले चाहैचियै।” 22फिलिप ज्याके अन्दिरियासके कहल्कै तब अन्दरियास आ फिलिप दुनु ज्याके यि बात येसुके कहल्कै। 23येसु ओइसबके कहल्कै, “मानब बेटाके महिमा परगट हैबला समय आइबगेल छै। 24हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, जाबेतक गहुमके दाना माटीमे पैरके नै मरैछै ताबेतक उ एकटा दाना मातरे रहैछै। महज यदि उ मैरजाइछै त, बहौत फल फराइछै। 25ओहिनङ जे आपन जिनगिके परेम करैछै उ गुमाइछै, महज जे अइ सनसारमे आपन जिनगिके अबहेलना करैछै उ ओकरा अनन्त जिबनके लेल जोग्याके राखैछै।#मती १०:३९, १६:२५, मरकुस ८:३५, लुका ९:२४, १७:३३ 26जे हमर सेबा करैले चाहैछै उ हमर पछा आबे आ हम जते रहबै ओते हमर सेबक सेहो रहतै। जे कोइ हमर सेबा करैछै हमर पिता तकरा आदर करतै।
येसु आपने मिरतुके बारेमे बतेल्कै
27 “आब हमर मन बेचैन भेल छै, हम कथी कहु? कि हम यि कहबै ‘हे परमेस्वर पिता, आबैबला दुखसे हमरा बचाबु’? नै, एह्या कारनसे हम अइ समयतक आइबगेलियै। 28हे पिता, अहाँ आपन नामके महिमा परगट करु।” तब स्वरगसे एकटा एहेन अबाज एलै, “हम आपन महिमा परकट करनेचियै आ फेनो महिमा परकट करबौ।”
29ओते ठार भ्याल लोकसब यि सुइनके कहल्कै, “मेघ गरजैछै!” औरो गोरा कहल्कै, “स्वरगदुत ओकरसङे बोल्लै!” 30येसु ओइसबके कहल्कै, “यि अबाज हमर लेल नै महज तोरेसबके लेल एलौ। 31आब अइ सनसारके नियाय हैबला समय चैलएलछै। अइ सनसारके सासक बाहर निकालल जेतै। 32जब हम पिरथिबीसे उपर उठ्याल जेबै तब सब लोकसबके हम आपन दिसन तान्बौ।” 33उ कनङके मरतै, से बात देखाइले उ अनङ कहल्कै।
34तब भिरके लोकसब ओकरा पुछल्कै, “खिरिस्ट त सबदिन रहतै कैहके हमसब बेबस्थासे सिखने चियै। तब अहाँ कनङ कहैचियै कि मानबके बेटा उपर उठ्याल जेतै? यि मानबके बेटा के चियै?”#भजनसङगरह ११०:४, यसैया ९:७, इजकिएल ३७:२५, दानिएल ७:१४ 35तब येसु ओइसबके कहल्कै, “औरो कुछ समयतलिक इजोत तोरासबसङे छौ। इजोत रैहते तुसब चलफिर कर, नै त अन्हार तोरासबके झाइपदेतौ। जे अन्हारमे चलैछै, उ कते ज्यारहलछै से उ नै जानैछै। 36जाबेतक इजोत तोरासबसङे छौ, इजोतमे बिस्बास कर तब तुसब इजोतके बेटाबेटी हेब्ही।”
यि बात कहलाके बाद येसु ओतेसे चैलगेलै आ ओइसबसे घोसैरके रहेलाग्लै।
यहुदीसबके अबिस्बास
37येसु लोकसबके अगा बहुतो अजगुतके कामसब करल्कै, तैयो उसब ओकरमे बिस्बास नै करल्कै। 38अनङ यसैया अगमबक्ताके कहल बात पुरा हैकेछेलै-
“हे परमपरभु, हमरासबके कहल बचनमे के बिस्बास करनेछै?
परमपरभुके बाँइहके तागत ककर लग परगट करल छै?”#यसैया ५३:१
39तैल्याके उसब बिस्बास करे नै सकल्कै, कथिलेकी यसैया अगमबक्ता फेनो अनङ कहनेछै,
40“परमेस्वर ओइसबके आँख बन्द कैरदेनेछै
आ ओकरासबके हिरदय कठोर बन्यादेनेछै।
तैल्याके उसब आपन आँखसे नै देखे आ हिरदयसे नै बुझे,
नै त उसब घुइमके एतै
आ हम ओइसबके निक करतियै।” #यसैया ६:१०
41यसैया यि बात कहल्कै, कथिलेकी उ येसुके महिमा देखल्कै आ ओकर बारेमे बाज्लै।
42तैयो यहुदी अगुवासबमेसे बहुतो गोरा येसुमे बिस्बास करल्कै। महज फरिसीसबके डरसे उसब आपन बिस्बासके बारेमे ककरो नै कहल्कै, कथिलेकी फरिसीसब यहुदी सभाघरसे निकाइलदेतै कैहके डराइछेलै। 43कथिलेकी उसब परमेस्वरके परसन्सासे लोकके परसन्सा बेसी मन पराइछेलै।
बिस्बास नै करैबला दोसी हेतै
44येसु जोरसे कहल्कै, “जे हमरा बिस्बास करैछै, उ हमरा मातरे नै, महज हमरा पठाइबलाके बिस्बास करैछै। 45जे हमरा देखैछै, उ हमरा पठाइबलाके देखैछै। 46हम सनसारके इजोत बैनके एलचियै, तैल्याके हमरा बिस्बास करैबला कोइने अन्हारमे रहतै। 47यदि कोइ हमर कहल बचन सुनैछै आ ओइ बचनके पालन नै करैछै तकर हम नियाय नै करबै। कथिलेकी हम सनसारमे नियाय करैले नै एलचियै, महज सनसारके बचाइले एलचियै। 48जे हमरा आ हमर बचनके इन्कार करैछै तकरा नियाय करैबला एकगोरा छै। हमर बोलल बचनेसे अन्तके दिनमे ओइसबके उ नियाय कैरदेतै। 49कथिलेकी हम आपने मनसे नै बाजैचियै महज हम कथी कहबै आ बोल्बै तैके आदेस हमरा पठाइबला पिता आपनेसे देने छै। 50हम जानैचियै कि ओकर आग्या अनन्त जिबन चियै। ओहैसे पिता हमरा जे कहैले लगाइने छेलै ओह्या बात हम बाजैचियै।”
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
युहन्ना 12: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: