परेरित 9
9
साउलके जिबन बदललै
(परेरित २२:६-१६, २६:१२-१८)
1साउल परभु येसुके बिस्बासीसबके बिरोधमे धम्की दैछेलै आ मारैके धुनमे परधान पुजारी लग गेलै, 2आ उ दमस्कसके सभाघरसबके नाममे पुरजी माङल्कै, चाहे उ मरद हेबे या जनी, परभुके बाटमे चलैबला#९:२ परभुके बाटमे चलैबला- परभुके बाटमे चलैबलाके मतलब येसुमे बिस्बास करैबलाके जोर दैछै। यि खास कैरके मुक्ती आ अनन्त जिबनके रस्ताके बारेमे बताइछै अरथात येसु चियै। ओइसबके पकैरके यरुसलेम आने सकि कैहके अधिकार माङल्कै।
3जब साउल जाइत-जाइत दमस्कस लग पुग्लै, तब अचानक अकाससे इजोत ओकर चारुकात चमकलै। 4उ भुइयामे खैसपरलै आ तखुन्ते एकटा एहेन अबाज सुनल्कै, “साउल, साउल, तोहे कथिले हमरा सताबैचिही?”
5तब साउल कहल्कै, “परभु, अहाँ के चियै?” उ कहल्कै,
“हम येसु चियौ, जकरा तु सताबैचिही। 6महज आब तु उइठके सहरमे जो, ओते तोरा कथिकरे परतौ से कहलजेतौ।”
7साउलसङे जाइबला लोकसब डेराके बौक जखा ठार भ्यागेलै कथिलेत उसब अबाज त सुनल्कै, महज ककरो नै देखल्कै। 8साउल भुइयासे उठलै आ आँख चियाइरके ताकल्कै त कुछो नै देखल्कै। तब ओकर साथीसब हाथ पकैरके दमस्कस सहरमे ल्यागेलै। 9ओते उ तिन दिनतक कुछो नै देखल्कै, नै कुछो खेल्कै नै कुछो पिल्कै।
10दमस्कसमे हननिया नामके एकगोरा येसुके बिस्बासी रहै। ओकरा दरसनमे परभु कहल्कै, “ए हननिया।” उ कहल्कै, “हम अतै चियै परभु।”
11परभु आग्या करैत कहल्कै, “उठ आ सोझ्का गल्ली नामके रस्तामे जो आ यहुदाके घरमे टारससके बासि साउल नामके लोकके खोज, ओते उ परथना कैररहलछौ। 12उ फेनसे देखे सकै कैहके दरसनमे हननिया नाम भेल एकटा लोक भितर आइबके आपन उपर हाथ राखैत देखल्कै।”
13महज हननिया कहल्कै, “परभु, यि लोक यरुसलेममे अहाँके चेलासबके बहौत दुख देनेछै से हम बहौत लोकसबसे सुन्ने चियै। 14अतौ अहाँके चेलासबके पकरैके अधिकार मुल पुजारीसब ओकरा देने छै।”
15महज परभु ओकरा कहल्कै, “जो, कथिलेकी साउल गैर-यहुदीसब, रजासब आ इजराएलीसबके सामने हमर नामके परचार करैबला उ हमर छानल लोक चियै, 16कथिलेकी हमर नामके खातिर ओकरा कतहेक दुख भोगे परतै, आब हम ओकरा देखाइबै।”
17तब हननिया गेलै आ ओइ घरमे ढुइकके साउल उपर हाथ राइखके कहल्कै, “भाइ साउल, तोहे आबैतखिना जे परभु येसु तोरा रस्तामे दरसन देनेछेलौ, ओह्या हमरा तोहर खातिर तु देखे पाबबिही आ पबितर आत्मासे भरपुर हेब्ही कैहके हमरा पठाइने छै।”
18यि बात कहते मातर साउलके आँखसे पपरा जखा कुछो खस्लै आ तखुन्ते उ फेनो देखेलाग्लै। तब उ उइठके बप्तिस्मा लेल्कै, 19तब उ भोजन करल्कै आ ओकरमे फेनसे तागत एलै।
साउल अत्याचारीसे परचारक बन्लै
साउल ओते कुछ दिनतक दमस्कसके चेलासबसङे रहलै। 20तब उ तुरन्ते सभाघरसबमे ज्याके परचार करेलाग्लै, “येसुवे परमेस्वरके बेटा चियै।” 21यि बात सुनैबला सबकोइ अच्चम मानैत कहेलाग्लै, “यरुसलेममे येसुके बिस्बास करैबलासबके सताबैबला एह्या नै चियै त? आ अतौ ओइसबके बाइन्हके मुल पुजारी लग लेजेबै कैहके आबल नै छै त?” 22महज साउलके परचार सक्तिसाली हैतगेलै आ येसुवे खिरिस्ट चियै से परमान द्याके दमस्कसमे रहैबला यहुदीसबके मुह बन्द कैरदेल्कै।
23तब बहौत दिन बितलाके बाद यहुदीसब साउलके मारैके जुक्ती निकालल्कै। 24उसब हमरा मारैके जुक्ती निकाइलरहलछै से बात साउलके थाह भेलै। यहुदीसब साउलके मारैके खातिर रातदिन दमस्कस सहरके दबालके केबारसबमे पहरा द्याके बैठल रहै। 25एक दिन ओकर चेलासब रातमे ढकियामे बैठाके सहरसे बाहर दबालके खिरकीबाटे ओइकात उतारके भगादेल्कै।
साउल यरुसलेम सहरमे
26साउल यरुसलेम एलाकेबाद उ परभु येसुके चेलासबसङे भेट करैले ताकैछेलै। महज उसब डराबैछेलै कथिलेत ओहो येसु खिरिस्टके साँचोके चेला भेलै से बातके बिस्बास नै हैछेलै। 27महज बरनाबास साउलके आपनसङे परेरितसब लग ल्याके गेलै। तब साउल रस्तामे परभुके देखल आ परभु ओकरसङे बोलल आ दमस्कसमे साहसके साथ येसुके नाममे परचार करलहा बातसब ओइसबके कैहदेल्कै। 28तकरबाद साउल यरुसलेममे सब सङे घुमफिर करेलाग्लै आ साहसके साथ परभुके नाममे परचार करेलाग्लै, 29तब उ गिरिक बोलैबला यहुदीसबसङे बताबती करैछेलै, महज उसब ओकरा मारैके कोसिस करै। 30महज यि बात जाइनके बिस्बास करैबला भाइ-भैयारीसब ओकरा कैसरिया सहरमे ल्यागेलै आ ओतेसे ओकर सहर टारससमे पठादेल्कै।
31तकरबाद सारा यहुदिया, गालिल आ सामरियाके मन्डलीसबमे सताबटसे सान्ती भेलै। परभुके डर मानैत बिस्बासमे मजगुत भेलै। परमेस्वरके पबितर आत्माके जोस पाइबके मन्डलीसब बरहैत गेलै।
पतरुस लुड्डामे
32पतरुस अने-ओने घुमैत-फिरैत लुड्डा नामके सहरमे परभुमे बिस्बास करैबलासबके लग भेट करैले एलै। 33ओते उ एनियास नाम भेल्हा लोकके भेटलै। जे आठ बरिससे लकबा मारलाके कारन बिछोनामे परल छेलै। 34पतरुस ओकरा कहल्कै, “ए एनियास, येसु खिरिस्ट तोरा निक करतौ। उठ आ तोहर बिछोना मिला।” तब उ तुरन्ते उइठके ठार भेलै। 35लुड्डा आ सारोनमे रहैबला सबलोक ओकरा देखके परभु येसुमे बिस्बास कैरके ओकर देख्याल रस्तामे चलेलाग्लै।
36योप्पा सहरमे एकटा तबिता नामके जनी बिस्बासी रहै, जकरा गिरिक भसामे “डोरकस” कहैछेलै। (जकर मतलब हरिनी चियै।) उ असल काम आ गरिबसबके दान द्याके हरदम सहयोग करैछेलै। 37तहै बखत उ बिमार भेलै आ उ मैरगेलै। लोकसब ओकर लहासके नहाके उपरका एकटा कोठलीमे राइखदेल्कै। 38लुड्डा योप्पासे बेसी दुर नै छेलै। चेलासब पतरुस ओतै छै से बात सुइनके ओकरलग दुइगोरा लोकके अनङ कैहके बिन्ती करैले पठाइल्कै, तब उसब आइबके कहल्कै “परभु, देर नै कैरके अहाँ हमरासबसङे झटसिना आबु।” 39तब पतरुस उइठके ओइसबसङे गेलै। ओते पहुचलाके बाद उसब ओकरा उपरका कोठलीमे ल्यागेलै। बिधुवासब ओकर लगमे ठार भ्याके काने लाग्लै आ डोरकस ओकरासबसङे रहैत बखत बन्याल कुरता आ औरो बस्तरसब देखेल्कै।
40तकरबाद पतरुस सबलोकके घरसे बाहर निकालल्कै आ ठेङहुनिया द्याके परथना करल्कै। तब लहास दिसन घुइमके कहल्कै, “तबिता, उठ!” तब उ आँख उघारल्कै त सामनेमे पतरुसके देखके उइठके बैठलै। 41पतरुस तबिताके हाथ पकैरके उठेल्कै। तब बिस्बासीसब आ बिधुवासबके बोलाइल्कै आ ओइसबके जिते छै कैहके देखेल्कै।
42यि बात पुरा योप्पामे फैलगेलै, तब ओतेका बहौत लोकसब परभुमे बिस्बास करल्कै। 43तकरबाद पतरुस बहौत दिनतक योप्पामे छलाके काम करैबला सिमोन सङे रहलै।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
परेरित 9: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: