परेरित 5

5
हननिया आ सफिराके छलकपट
1हननिया नामके कोनो एक आदमी आ ओकर घरबाली सफिरा सल्‍लाह कैरके आपन जमिन बेचल्‍कै, 2आ घरबालीके सहमतमे जमिन बेचलहा कुछ पैसा आपनसङे राखल्‍कै आ औरो बाकी पैसा आइनके परेरितसबके अगा राइखदेल्‍कै। 3तब पतरुस कहल्‍कै, “ए हननिया, पबितर आत्‍मा सङे कथिले झुठ बोलैचिही, जमिन बेचलहा कन्‍हिक हिस्‍सा आपनसङे राखबै से बात सैतान कनङके तोहर मनमे भैर देल्‍कौ? 4उ जमिन नै बेच्‍ने रहै ताबेतक कि तोहर आपने नै रहौ? आ बेचलाके बादो कि उ तोहर अधिकारमे नै रहौ? एहेन काम करैके बिचार तोहर मनमे कनङके फुरलौ? तु त लोकसबके नै, महज परमेस्‍वरके ठगने चिही।” 5यि बात सुइनके हननिया भुइयामे खस्‍लै आ मैरगेलै। यि बात सुनैबला सबकोइके मनमे डर ढुइकगेलै। 6तब जबानसब उइठके ओकर लहासके कपरासे लपेटल्‍कै आ बोइकके बाहर लज्‍याके गाइर देल्‍कै।
7हननियाके मरल घटना थाह नै पाइबके तिन घन्‍टाबाद ओकर घरबाली ओहो भितर एलै। 8तब पतरुस ओकरा पुछल्‍कै, “हमरा कह, तुसब जमिन ओतबेहेकमे बेच्‍नेचिही त?” तब उ कहल्‍कै, “हँ ओतबेहेकमे।” 9पतरुस फेनो ओकरा कहल्‍कै, “तुसब दुनुगोरा कनङ परभुके आत्‍माके जाँचै खातिर एकमत भेल्‍ही? देख, तोहर घरबलाके गारैबलासब देहरिएमे छौ आ ओहोसब तोरो बोइकके बाहर ल्‍याजेतौ।” 10तब तुरन्‍ते सफिरा पतरुसके टाङलग अगामे खस्‍लै आ मरगेलै। जब जबानसब भितर एलै, ओकरा मरगेल देखके बाहर बोइकके ल्‍यागेलै आ ओकर घरबलाके कातमे गाइर देल्‍कै। 11अहैसे पुरा मन्‍डलीके बिस्‍बासीसब आ सुनैबला लोकसबमे बरका डर भ्‍यागेलै।
अच्‍चमके काम आ चेन्‍हासब
12परेरितसबके हाथसे लोकसबके बिचमे बहुत चेन्‍हासब आ आस्‍चरजके कामसब हैतरहै। उसब सोलोमनके दरबजामे सङे एक जुट हैतरहै। 13लोकसब ओइसबके आदर करैत रहलै, महज ओकरासबमेसे ककरो ओइसबसङे सामेल हैके साहस नै भेलै। 14तब परभुमे बिस्‍बास करैबला बहुत मरद आ जनिसबके भिर औरो बेसी बरहे लाग्‍लै। 15परेरितसबके अच्‍चमके काम देखके लोकसब बिमारसबके रस्‍तामे पटिया आ खटियामे राखल्‍कै आ पतरुस ओतेसे आबैतखिना ओकर छाह रोगी-बिमारीसब उपर परे आ ठिक हेबे कैहके सुताके राखने रहैतरहै। 16यरुसलेमके अगल-बगल बहुत बिमार लोकसब आ भुत आत्‍मा लागल लोकसबके ओकरलग आनैत रहै आ सबलोक निक हैतरहै।
परेरितसब उपर सताबट
17महासभाके परधान पुजारी आ ओकरसङे रहैबला सदुकी समुह एकदमे डाहसे परेरितसबके बिरोधमे खरा हेबे लाग्‍लै, 18आ परेरितसबके पकैरके सारबजनिक इस्‍थानिय जहलमे राइखदेल्‍कै। 19महज ओहै रात परभुके एकटा स्‍वरगदुत जहलके केबारसब खोइलदेल्‍कै आ बाहर लज्‍याके कहल्‍कै, 20“जो आ मन्‍दिरमे ठार भ्‍याके लया जिबन दैबला सब सन्‍देस लोकसबके सुना।” 21यि सुनलाके बाद उसब अनगुते मन्‍दिरमे गेलै आ उपदेस देबे लाग्‍लै।
महज मुल पुजारी आ ओकरसङे रहैबलासब एलै, महासभामे भेल्‍हा सब इजराएलीसबके बोलाइल्‍कै आ परेरितसबके जहलसे लाबैले लोकसबके पठेल्‍कै। 22महज हाकिमसब ओइसबके जहलमे नै भेटलाके कारनसे आइबके यि खबर देल्‍कै, 23“हमसब जहलके केबारमे निकसे तला लागल आ पहरेदारसब देहरीमे ठारभेल देखलियै, महज जब केबार खोललियै तब हमसब भितर ककरो नै देखलियै।” 24जब यि बात मन्‍दिरके कप्‍तान आ मुल पुजारीसब सुनल्‍कै तब अइसबके नतिजा कथी हेतै कैहके परेरितसबके बारेमे दोधारमे पैरगेलै। 25तहै बखत कोइ एकगोरा आइबके कहल्‍कै, “सुनैचियै, जै लोकसबके अहाँसब जहलमे राखने छेलियै, उसब त मन्‍दिरमे ठार भ्‍याके लोकसबके सिक्‍छा दरहलछै।” 26तब हाकिमसब कप्‍तानसबसङे ज्‍याके परेरितसबके पकैरके आनल्‍कै। लोकसब पथल फेकके मारत से डरसे परेरितसबके जबरजस्‍ती नै कैरके आनल्‍कै।
27उसब परेरितसबके आइनके महासभाके अगामे ठार करेल्‍कै आ मुल पुजारीसब ओइसबके पुछल्‍कै, 28“कि हम तोरासबके यि सिक्‍छा नै दैले करा आग्‍या देने नै छेलियौ, महज तुसब आपन सिक्‍छासे पुरे यरुसलेम भैरदेल्‍ही आ ओइ लोकके खुनके दोस हमरासबके उपर आनैले चाहैचिही।”
29महज पतरुस आ परेरितसब जबाफ देल्‍कै, “हमसब लोकसबके नै महज परमेस्‍वरके आग्‍यापालन करैये परतै। 30हमरासबके पितापुरखाके परमेस्‍वर येसुके मरलसे जियाइल्‍कै, जकरा तुसब कुरूसमे लटकाके मारने छेल्‍ही। 31इजराएलके लोकसबके पस्‍चातापके खातिर आ ओइसबके पापसे छमा दैके खातिर परमेस्‍वर येसुके परभु आ मुक्‍तीदाता बनाके आपन देहना कात बैठेल्‍कै। 32यि सब बातसबके हमसब साक्‍छी चियै आ परमेस्‍वर आपन आग्‍यापालन करैबलासबके देल पबितर आत्‍मा सेहो साक्‍छी दैछै।”
33जब उसब यि बातसब सुनल्‍कै तब महासभाके सदससब रिससे चुरभेलै आ ओइसबके मारैले चाहल्‍कै। 34महज बेबस्‍थाके पन्‍डित आ लोकसबमे फरिसी पन्‍थके एकगोरा नाम चलल गमलिएल महासभामे उइठके परेरितसबके कुछदेर बाहर जाइले आग्‍या करल्‍कै, 35आ उ महासभाके लोकसबके कहल्‍कै, “हे इजराएलीसब, यि लोकसबके तुसब जे करैले चाहैचिही से सोचबिचार कैरके कर। 36कथिलेत कुछ समय पहिने थुदास नामके लोक आपन परसन्‍साके दाबी करल्‍कै आ लगभग चार सय लोक ओकर पछा लाग्‍लै, महज उ मारल गेलाकेबाद ओकर पछा लागैबलासब सब तितर-बितर भ्‍यागेलै आ सब बातसबके नाम निसान हरागेलै। 37तकरबाद जनगननाके समयमे गालिलके यहुदा कहाइबला लोक ठार भेलै आ कतहेक लोकसबके आपन पछा लगेल्‍कै। ओहो मारलगेलै आ ओकरो पछा लागैबला तितर-बितर भ्‍यागेलै। 38अखुन्‍का मामलामे हम तोरासबके कहैचियौ, यि लोकसबसे अलग रह, बरु अइसबके छोरदहै, कथिलेत अइसबके बिचार आ काम लोकसबसे भेल छै से आपने खतम भ्‍याजेतै। 39महज यदि यि परमेस्‍वरसे चियै त तुसब अकरा नै रोके सकबिही। नै त अनङ करबिही त तुसब परमेस्‍वरके बिरोधमे ठरा भेल देखबिही।”
40तब महासभाके सदससब गमलिएलके सल्‍लाह मानल्‍कै। तब उसब परेरितसबके भितर बोल्‍याके मारपिट करल्‍कै आ “येसुके नाममे नै बोलिहे” कैहके आग्‍या द्‍याके ओइसबके छोइरदेल्‍कै। 41तब येसुके नाममे अपमान सहैके योग्‍य चियै कैहके खुसी मनाइत उसब महासभामे गमलिएलके बात मानैत निकैलके गेलै। 42उसब सबदिन मन्‍दिर आ घर-घरमे ज्‍याके येसुवे खिरिस्‍ट चियै से कैहके सिक्‍छा दैले आ परचार करैले नै छोरल्‍कै।

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

परेरित 5: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល