परेरित 24
24
पावल फेलिक्सके अगामे
1पाँच दिनके बाद परधान पुजारी हननिया, कुछ अगुवासब आ तरतुल्लस नामके एकटा वकिलके ल्याके कैसरिया सङे ओते एलै। तब उसब पावलके बिरोधमे हाकिमके अगा आरोप लगाइल्कै। 2तब पावलके बोलाइल्कै आ तरतुल्लस ओकरा आरोप लगाइले लाग्लै, “माननिय फेलिक्स, अहैके कारन हमसब अतहेक बरिससे सान्तीसे बैठे सकल चियै आ यि देसमे अहाँके बुइधसे बहुतो सुधारके कामसब भेल छै। 3यि बात हर परकारसे सगरो हमसब धन्यबादके साथ सुइकार करैचियै। 4आब हम अहाँके बेसी समय लैले नै चाहैचियै, तैयो हमरासबके बिन्ती दया कैरके कन्हिको सुइनलिय। 5कथिलेत यि कलह मचाइबला लोक चियै, सरा सनसारके यहुदीसबमे हुलदङा मचाइते घुमैछै आ नासरी कहाइबला झुठा-पन्थके मुल अगुवा चियै। 6यि लोक मन्दिरके असुध करैके कोसिस करैछेलै, महज हमसब एकरा पकरलियै। [हमसब आपन धारमिक नियम अनुसार फैसला कैरदेने रहतियै। 7महज सेनापती लुसियस आइबके अकरा जबरजस्ती हमरासबके हाथसे बचाके ल्यागेलै, 8आ अहाँके लग हाजिर हैले हमरासबके आग्या देल्कै।] यदि अहाँ आपनेसे सबाल करबै त, हमसब ओकर बिरोधमे लग्याल आरोप ठिक छै कैहके थाह हेतै।” 9तब औरो यहुदीसब यि बात ठिक छै कैहके सहमति जनाइल्कै।
पावलके जबाफ
10जब बडा हाकिम पावलके बोलैके इसरा करल्कै तब पावल जबाफ देल्कै, “हमरा थाहछै कि, अहाँ बहुत बरिस पहिनेसे यहुदी जातीके नियायधिस भेलचियै, तैल्याके हमरा अहाँके अगामे बयान दैले उत्साह मिलल छै। 11हम यरुसलेममे परमेस्वरके आराधना करैले एल बारह दिनसे बेसियो नै भेल छै। अहाँ यि बात आपनोसे पता लगाबे सकैचियै। 12हमरा दोस लगाइबलासब नै त कोनो लोकसङे झगरा करैत देखल्कै, नै त मन्दिरमे, नै त सभाघरमे या सहरमे लोकसबके बहकाइत देखल्कै। 13नै त उसब हमर उपर लग्याल आरोपके कोनो परमान दैले सक्तौ। 14हँ, हम सुइकार करैचियौ कि, परभुके रस्तामे हम चलैचियै, जकरा उसब झुठा पन्थ कहैछै। हम आपन पुरखासबके परमेस्वरके आराधना करैचियै आ मोसाके देल बेबस्था आ अगमबक्ताके किताबमे लिखल बमौजी सब बातमे बिस्बास करैचियै। 15हम्हु उसब जखा परमेस्वरमे धरमी आ अधरमी दुनु मरलाके बाद फेनो जिबित हेतै तैमे आसा राखैचियै। 16तैखातिर परमेस्वर आ लोकसबके नजरमे हम निरदोस रहैले चाहैचियै।
17“बहुत बरिस बितलाके बाद हम आपन जातीके भाइ-भैयारीसबके दान आ परमेस्वरके भेटी चरहाबैके लेल यरुसलेम एल छेलियै। 18एह्या काम कैरते-कैरते उसब हमरा मन्दिरमे देखल्कै। तखैन हम सुध हैबला बिधी पुरा कैरलेने छेलियै। ओते कोनो किसिमके भिर-भार आ हो-हल्लो नै छेलै। 19महज हमरा एसियाके कुछ यहुदीसब मन्दिरमे देखल्कै। यदि हमर बिरोधमे कुछो छै त उसब आरोप लगाबैले सकतियै। 20या त आपनेसे आइबके कहे कि हमरमे कोन दोस भेटेल्कै। 21केबल एकटा बातके मातरे दोस लगाइले सकैछै, कि हम उसबके बिचमे जोरसे कहने छेलियै ‘मरलसब फेनो जिबित हैछै तकर बिसयमे आइ हमर मुदा चैलरहल छै।’”
22महज फेलिक्सके परभुके उ रस्ताके बारेमे निकसे जानकारी भेलाके कारन उ एहेन कैहके उसबके पठादेल्कै, “जबतक सेनापती लुसियस नै एतौ ताबेतक यि मुदाके फैसला नै हेतौ।” 23अतबे कैहके फेलिक्स पावलके कुछ स्वतन्तरसङे पहरामे राखिहे आ ओकर सङिसबके आबसेक्ता पुरा करैले नै रोकिहे कैहके कप्तानके आदेस देल्कै।
फेलिक्स आ दुरसिल्लाके सामने पावल
24कुछ दिनके बाद फेलिक्स आपन यहुदी घरबाली दुरसिल्लाके ल्याके एलै। तब पावलके बोल्याके येसु खिरिस्टके बिस्बासके बारेमे ओकरसे सुनल्कै। 25जब पावल धरमी भ्याके काम करेपरतै, आपन मनके बसमे राखे परतै आ आबैबला नियायके बारेमे बोल्लै तब फेलिक्स डेरेलै आ कहल्कै, “अखुन जो, मौका मिल्तौ त हम फेनो तोरा बोलाइबौ।” 26पावलसे कुछ पैसा मिल्तै कि तैके आस करने छेलै। तैल्याके उ पावलके बेर-बेर बोल्याके बातचित करैछेलै। 27दुइ बरिसके बाद फेलिक्सके ठाममे परकियस फेस्तस बडा हाकिम भेलै। तब उ यहुदीसबके खुसी राखैले पावलके जहलेमे बन्द कैरके गेलै।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
परेरित 24: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: