परेरित 2
2
पेन्तिकोसमे पबितर आत्मा
1जब पेन्तिकोस पाबैनके दिन एलै, परभु येसुमे बिस्बास करैबला सबकोइ एके ठाममे जम्मा भेलरहै। 2तब अचानक स्वरगसे बरका बिहाइरके एकटा अबाज जखा एलै आ उसब बैठलहा पुरे घर गोङिया उठलै। 3आइगके चिनगारी जखा ओइसबलग देखा परलै आ चिनगारीसब भाग-भाग कैरके ओते भेल सब लोकसबके उपरमे बैठलै। 4तब उ सबगोरे पबितर आत्मासे भरलै आ पबितर आत्माके सक्तिसे उसब आन भसासबमे बोले लाग्लै।
5ओइ बखत सनसारके सब देसके यहुदी धरमी लोकसब यरुसलेममे रहैतरहै। 6तब यि अबाज सुइनके भिर जम्मा भेलै। उसब दोधारमे परलै, कथिलेत सबकोइ आपन-आपन भसामे ओइसबके बोलैत सुनल्कै। 7उसब आस्चरजमे परलै आ अचम माइनके कहेलाग्लै, “कि यि बोलैबलासब गालिलीसब नै चियै त? 8उसब जे बोइलरहल छै से बात अपनासब कनङके आपन-आपन मातरी भसामे सुइनरहल चियै? 9हमसब त पारथीसब, मादीसब आ एलामीसब, मेसोपोटामियाके, यहुदियाके, कापाडोकियाके, पोन्टस आ एसियाके बासिसब चियै। 10तब फिरिगिया, पामफिलिया, मिसर आ लिबिया देसके एकटा कुरेनी सहर नजदिकके कतहेक ठामसब आ रोमसे एल्हा यहुदी आ यहुदी धरम मानेबलासब दुनु छै, 11केरेटके बासिसब आ अरेबियोसब छै, तब हम आपन-आपन भसामे परमेस्वरके महान कामसबके चरचा ओइसबके करैत सुनैचियै।”
12उसब आस्चरजमे परलै आ अलमलमे पैरके एक-दोसरके एहेन कहेलाग्लै, “अकर अरथ कथी चियै?” 13महज औरोसब हँसिमे उराइत कहल्कै, “यिसब त लबका अङगुरके मध पिके मातल छै।”
भिरमे पतरुसके उपदेस
14तब पतरुस एगारहो गोरेसङे ठार भ्याके जोरसे कहल्कै, “यहुदियाके लोकसब आ यरुसलेममे रहैबला जम्मे लोकसब, तुसब धियान द्याके सुन ओते कथी भेल छेलै से हम तोरासबके बुझाइबौ। 15तोरासबके बिचार करल जखा यि सब अङगुरके मध पिके नै मातल छै, कथिलेत अखुन बिहानके न मातरे बाजल छै। 16महज आइ तोरासबके देखल आ सुनल योएल अगमबक्ताके कहल बात एह्या चियै,
17परमेस्वर कहैछै, ‘अन्तके दिनमे
हम सब लोकसबके आपन आत्मा परसस्त कैरके देबै,
तोहर बेटासब आ बेटिसब अगमबानी बोल्तौ
आ तोरासबके जबानसब दरसन देख्तै आ बुढबासब सपना देख्तै।
18हँ, तै दिनमे हम आपन आत्मा नोकर-नोकरनीसब उपर परसस्त कैरके बरसेबै
आ उसब अगमबानी बोल्तै।
19उपर अकासमे हम अच्चमके काम आ
निचा पिरथिबीमे लहु, आइग
आ धुवाँके रेतके चेन्हासब देखेबौ।#२:१९ निचा पिरथिबीमे लहु, आइग आ धुवाँके रेतके चेन्हासब देखेबौ- पद १९-२० मे “निचा पिरथिबीमे लहु, आइग आ धुवाँके रेतके चेन्हासब देखेबौ” कहैबला बातसब पुरन्का करारके बहुतो अध्यायसबमे परमेस्वरके आबैबला नियायके बारेमे कहनेछै। उदाहरनके लेल देखे सकैचियै, यसैया १३:९-१०, २४:२१-२३, ३४:४, इजकिएल ३२:७-८, योएल २:१०-११, ३:१५, आमोस ८:९
20परमपरभुके उ महान आ गौरबमय दिन आबैसे पहिने
सुरुज अन्हार आ चान लहु जखा लाल हेतौ।
21महज जे कोइ परमपरभुके नाम लेतै, से कोइ उधार पाबतै।’”#योएल २:२८-३२
22“इजराएलके लोकसब, यि बात सुन, नासरतके येसु एहेन लोक छेलै, जकरा परमेस्वर सक्तिसाली कामसब, अच्चमके कामसब आ चेन्हासबसे तोरासबके अगा साबित करल्कौ। तोरासबके थाहेछौ कि परमेस्वर तोरासबके बिचमे यि सब कामसब ओकरसे कराइने छै। 23परमेस्वरके आपन निस्चित योजना आ ग्यान अनुसार पकरल गेलै। एह्या येसुके अधरमी लोकसबके हाथसे तुसब कुरूसमे किल्ला ठोइकके मारलिही। 24महज ओकरा परमेस्वर मरनके दुखसे छुटकारा द्याके जिबित करल्कै। कथिलेत ओकरा मिरतुके अधिनमे रहनाइ असम्भब छेलै। 25जनङ दाउद ओकर बारेमे कहल्कै,
‘हम परभुके आपन सामने देखलियै,
उ हमर देहना कात रहैछै,
तैल्याके हम नै डगमगाइबै।#२:२५ यि सब्दसब पद २५-२८ मे यधपी रजा दाउद बोलैत छै महज येसुके बारेमे कैहरहल छै। परमेस्वर ओकरा मिरतुके चिहानसे जियाके बचेल्कै।
26अहै खातिर हमर हिरदय आनन्दित आ हमर जिह खुसिसे इस्तुती करैछै।
अतबेहेक नै हमर देह सेहो आसेमे जिबित रहैछै।
27कथिलेत अहाँ हमर परानके पतालमे नै छोरबै,
नै त अहाँ आपन पबितर सेबकके देह सरे देबै।
28अहाँ हमरा जिबनके बाटसब देखेलियै,
अहाँ आपन उपस्थितीमे हमरा आनन्दसे गदगद कैरदेबै।’”#भजनसङगरह १६:८-११
29“हौ भाइसब, हमर पुरखा दाउदके बिसयमे हम अहाँसबके पक्का कहैचियै, कि उ मरलै आ गारलगेलै, तब ओकर चिहान आइतक छेबेकरै। 30एकटा अगमबक्ता भेलाके कारन उ जानैछेलै कि परमेस्वर ओकरे धियापुतासे ओकरे सिंहासनमे बैठाबैके बचन देने छेलै। 31पैहनैयेसे यि देखके उ खिरिस्ट जिके उठनाइ बिसयमे कहल्कै नै त उ पतालमे छोरल गेलै, नै त ओकर देहे सरलै।
32“अहै येसुके परमेस्वर जिबित करल्कै। यि हम सबकोइ अकर साक्छी चियै। 33अहैसे परमेस्वर पिता आपन देहना हाथ कात बैठेल्कै आ आपन परतिग्या अनुसार ओकरा पबितर आत्मा देल्कै। ओह्या पबितर आत्मा हमरासबके देने छै, जे अहाँसब देखैचियै आ सुनैचियै। 34दाउद त स्वरगमे नै चढ़लै,
महज उ आपने कहैछै, परमपरभु हमर परभुके कहल्कै,
तु हमर देहना हाथ कात बैठ,
35‘जाबेतक हम तोहर दुस्मनसबके
तोहर टाङके खराम नै बनाइबौ।’#भजनसङगरह ११०:१
36“तैखातिर इजराएलके पुरे खानदान निकसे जाने कि येसु जकरा, तुसब कुरूसमे लटकेल्ही, परमेस्वर ओकरा परभु आ खिरिस्ट बनाइल्कै।”
37यि बात सुइनके उसब दुखी भेलै आ पछताबे लाग्लै, तब पतरुस आ औरो परेरितसबके उसब कहल्कै, “भाइसब, हमसब कथी करबै?” 38पतरुस ओइसबके कहल्कै, “पस्चाताप कर आ तुसब पापसे छमा पाबैके खातिर येसु खिरिस्टके नाममे तुसब सबकोइ बप्तिस्मा ले, तुसब पबितर आत्माके बरदान पाबबिही। 39कथिलेत यि परतिग्या तोरासबके खातिर, तोरासबके धियापुताके खातिर आ दुर-दुरमे रहैबला सबके खातिर चियै, जकरासबके परभु परमेस्वर बोलाइछै।”
40औरो बहुत बातसबसे उ ओइसबके गबाही देल्कै आ सम्झाइत कहल्कै, “यि भरस्ट पुस्तासे तोरासबमे आबैबला दन्डसे अपने-आपके बचा।” 41तब जे-जे ओकर बातमे बिस्बास करल्कै, सेसब बप्तिस्मा लेल्कै आ ओहै दिन करिब तिन हजार लोक बिस्बासीसबके समुहमे थपेलै। 42उसब परेरितसबके उपदेस सुनैले, संगती, परभु-भोज आ परथना करैले भक्तिसाथ लागल रहै।
बिस्बासीसबके संगती
43परेरितसब अचमके काम करैत बहौत चेन्हासब देखेल्कै तब सब लोकसबके हिरदयमे डर उतपन भेलै। 44सब बिस्बासीसब एके ठाम रहैतरहै आ ओइसबके सब चिज सझिया रहै। 45उसब आपन धन-सम्पती आ घरदुवार बेचके जकरा-जकरा जै-जै चिजके जरुरत परैछेलै सबके उ बाइटदैछेलै। 46उसब एकेमन भ्याके सबदिन मन्दिरमे जम्मा हैछेलै, घर-घरमे परभु-भोज करै आ सबकोइ खुसी मनसे मिल-जुइलके खाइछेलै, 47आ परमेस्वरके परसन्सा करैक। औरो लोकसब सेहो ओकरासबके असल नजरसे देखैक। तब उधार पाबैबलासबके समुहमे दिनदिने परभु बिस्बासीसबके संख्या थैप दैछेलै।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
परेरित 2: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: