परेरित 16

16
पावल आ सिलाससङे तिमोथीके भेट
1पावल डरबी सहर हैत लुस्‍तरा सहरमे पुग्‍लै। लुस्‍तरामे तिमोथी नामके परभुमे बिस्‍बास करैबला एकटा चेला रहै। उ बिस्‍बासी यहुदी जनिके बेटा रहै महज ओकर बाप गिरिक जातिके रहै। 2लुस्‍तरा आ आइकोनियाके बिस्‍बासीसबमे तिमोथीके असल लोकके रुपमे चिन्‍हैछेलै। 3ओकरा पावल आपनसङे लजाइले मन करल्‍कै। ओते रहैबला यहुदीसबके खातिर उ तिमोथीके यहुदी चलन अनुसार खतना कैरदेल्‍कै। कथिलेत ओइ इलाकामे रहैबला सब यहुदीसबके थाह रहै कि ओकर बाप गिरिक छेलै।
4तब उसब सहर-सहरमे गेलै आ सब ठाममे भेल्‍हा यरुसलेमके परेरितसब आ मन्डलीके एल्‍डरसबके निरनय करल बातसब सुनाइल्‍कै आ पालन करैले आदेस देल्‍कै। 5अहिनङे मन्‍डलीके लोकसब बिस्‍बासमे मजगुत हैतगेलै आ दिनदिने बिस्‍बास करैबला लोकसब बरहैत गेलै।
परचारके काममे परमेस्‍वरके अगुवाइ
6पबितर आत्‍मासे एसियाके परदेसमे बचन परचार करैले मनाही भेलाके कारन उसब फिरिगिया इलाका आ गलातियाके परदेससब हैतगेलै। 7माइसिया इलाकाके सिमानामे पुग्‍लाकेबाद उसब बेथिनिया इलाका दिसन जाइले बिचार करल्‍कै, महज येसुके आत्‍मा ओइसबके जाइले नै देल्‍कै। 8तब उसब माइसिया इलाका हैत सोजहे समुन्‍दरके कातमे परैबला तरोआस सहरमे गेलै। 9ओहै रात पावल एकटा दरसन देखल्‍कै। जैमे माकेडोनिया इलाकाके एकटा लोक “दया कैरके माकेडोनिया आबु आ हमरासबके सहायता करु” कैहके बिन्‍ती करैतरहै। 10जब पावलके यि दरसन भेलै, तुरन्‍ते हमरासबके#१६:१० हमरासबके- अते हमरासबके मतलब लुका आपने चियै जे यि किताब लिखने छै उ पावलसङे यातरामे छै। माकेडोनिया जाइले तयार भेलियै। कथिलेत हमरासबके थाह भेलै कि ओतेका लोकसबके सुसमाचार परचार करैले परमेस्‍वर हमरासबके बोलाइनेछै।
लिडियाके बेपारी जनिके बिस्‍बास
11तब हमसब तरोआससे पानी जहाज चहैरके सोजहे समोथराके टपु दिसन गेलियै आ तकर बिहानके नियापोलिस सहरमे पुगलियै। 12ओतेसे फिलिप्‍पीमे एलियै, जे माकेडोनियाके परमुख सहर आ रोमके अधिनमे छेलै। कुछदिन हमसब ओतै रहलियै। 13लदीके कातमे यहुदीसबके परथना करैबला ठाम हेतै से समैझके हमसब पबितर बिसरामके दिन ओते गेलियै तब ओते जम्‍मा भेल्‍हा जनिसबसङे बातचित करे लागलियै।
14ओते थिआटिरा सहरमे रहैबाली एकटा लिडिया नामके जनी रहै जे बैजनी रङके बस्‍तरके बेपार करैतरहै। उ परमेस्‍वरके मानैत रहै आ हमरासबके बात सुइनरहल छेलै। पावलके बात धियानसे सुनौक आ बिस्‍बास करौक कैहके परभु ओकर मनके देहरी खोइलदेल्‍कै।
15जब उ आ ओकर घरके सबलोक बप्‍तिस्‍मा लेल्‍कै आ हमरासबके आगरह करल्‍कै, “यदि अहाँसब साँचोके हमरा परभुके बिस्‍बासी कहैचियै त हमर घरमे आइबके रहु।” आ उ हमरासबके जबरजस्‍ती करेलाग्‍लै ताकि हमसब ओकर घरमे जाइ।
पावल आ सिलास जहलमे
16जब हमसब परथना करैबला ठाममे ज्‍यारहल छेलियै, तब रस्‍तामे एकटा नोकरनी छौरी हमरासबके भेटलै। ओकरा भबिसके बात बताबैबला भुत आत्‍मा लागल छेलै। उ लोकसबके भागके बात कैहके आपन मालिकसबके खातिर बहौत पैसा कमाके दैछेलै। 17उ पावल आ हमरासबके पछा आइबके चिच्‍याबे लाग्‍लै, “यिसब सबसे महान परमेस्‍वरके सेबकसब चियै। यिसब, ‘कनङ तुसब उधार पाबबिही’ से बात तोरासबके कहतौ।” 18उ छौरी बहौत दिनतक ओहिनङ करैत रहलै। बादमे पावल एक दिन दिक्‍क भ्‍यागेलै तब ओकर दिसन घुइमके भुत आत्‍माके कहल्‍कै, “हम येसु खिरिस्‍टके नाममे हम तोरा आग्‍या दैचियौ, तु यि छौरिसे निकैलके चैलजो।” पावल यि बात कहैत मातर उ भुत आत्‍मा ओइ छौरिसे निकैलके चैलगेलै।
19जब ओइ छौरिके मालिकसब देखल्‍कै कि आब कमाइके रस्‍ता ओरागेलै तब उसब पावल आ सिलासके पकैरके घिसयाइते सहरके चौकमे सासकसबलग आनल्‍कै। 20तब ओइसबके सहरके हाकिमसबलग आइनके कहल्‍कै, यि लोकसब यहुदी चियै, यिसब हमरासबके सहरमे उपदर मच्‍यारहलछै। 21यिसब एहेन-एहेन परथासब सिखाबैछै जे अपना रोमीसबके खातिर सुइकार करैले आ पालन करैले कानुनके नजरमे मनाह छै। 22तहै बखत लोकसबके भिर पावल आ सिलासके बिरोध करेलाग्‍लै। तब हाकिमसब पावल आ सिलासके जमा-जोरा फाइर-चिरके लाठीसे मारैके आग्‍या देल्‍कै। 23ओइसबके बहौत मार-पिट करलाके बाद जहलमे ढोइक देल्‍कै आ जहलके हाकिम ओकरासबके नजरसे दुर नै हेबे कैहके आग्‍या देल्‍कै। 24एहेन आग्‍या पाइबके उसब जहलके भितरी कोठलीमे लगेलै आ ओकर टाङ खुटरिमे घुरिसे बाइन्‍हदेल्‍कै।
25महज अधा रातके पावल आ सिलास परथना करैत, भजन गाबैत परमेस्‍वरके परसन्‍सा करैतरहै, आ औरो जहलमे ढोकलहा कैदीसब सुनैत रहै। 26तहै बखत अचानक बरका भुमकौन भेलै। भुमकौनके धक्‍कासे जहलके खुट्‍टा खम्‍हा सब हिलगेलै। सब केबारसब आपने खुइलगेलै आ बान्‍हल घुरीसब खुलगेलै। 27जब जहलके हाकिमके निन खुल्‍लै तब ओतेका सब केबारसब खुलल देखैत मातर कैदीसब भाइग गेलहेतै सोचके उ आपन तलबार निकाइलके अपने-आपके हतिया करैले चाहल्‍कै। 28यि देखैत मातर पावल जोरसे कहल्‍कै, “ठहर, ठहर! तु आपने आपके कुछो नै कर, कथिलेत हमसब सबगोरा अतै चियौ।”
29यि बात सुनैत मातर हाकिम इजोत मङ्‍याके दौरते भितर एलै आ डरसे थरथर कापैत पावल आ सिलासके अगा ठेङहुनिया द्‍याके बैठलै। 30तकरबाद उ ओइसबके बाहर लज्‍याके कहल्‍कै, “हे हौ मालिकसब, हमरा उधार पाबैले कथी करेपरतै?” 31तब उसब कहल्‍कै, “परभु येसुमे बिस्‍बास कर तब तु आ तोहर घर-परिबार सेहो उधार पाबतौ।” 32तब पावल आ सिलास ओकरा आ ओकर घरके लोकसबके परभुके बचन सुनाइल्‍कै। 33तकरबाद तुरन्‍ते हाकिम पावल आ सिलासके लज्‍याके राइते ओइसबके घा-घौस धुवा देल्‍कै। तब उ आ ओकर घरके लोकसब बप्‍तिस्‍मा लेल्‍कै। 34तब ओइसबके आपन घरमे आइनके भोजन कराइल्‍कै। उ आपन पुरा परिबारसब परमेस्‍वरमे बिस्‍बास करलाके कारन बहौत खुसी भेलै।
35तकर बिहानके सबेरे सहरके हाकिमसब पावल आ सिलासके छोइरदहै कैहके जहलके हाकिमके आग्‍या द्‍याके सिपाहीसबके पठाइल्‍कै। 36जहलके हाकिम पावलके कहल्‍कै, “तोरा आ सिलासके छोइरदहै कैहके सहरके हाकिमसब खबर पठाइल्‍कै। आब तुसब खुसिसे जो।” 37महज पावल ओइसबके कहल्‍कै, “हमसब रोमके लोक चियै तैयो हमरासबके कोनो दोस नै देखके उसब हमरासबके मारपिट करल्‍कै आ जहलमे ढोइक देल्‍कै। अखुन छोरैले चाहैछै? यि नै हेतै। उसब आपनेसे आबे आ हमरासबके निकालके लजाबे।”
38उ सिपाहीसब यि सब बात हाकिमसबके सुन्‍यादेल्‍कै। उसब रोमके लोकसब चियै कैहके डेरेलै। 39तब उसब आइबके पावल आ सिलाससे माफी माङल्‍कै। ओइसबके बाहर लज्‍याके यि सहर छोइरके चैलजो कैहके अनुरोध करल्‍कै। 40जहलसे निकललाके बाद पावल आ सिलास लिडियाके घरमे गेलै। ओते उसब परभुमे बिस्‍बास करैबला भाइ-भैयारीसब सङे भेटघाट करल्‍कै आ साहस द्‍याके ओतेसे बिदाह भेलै।

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

परेरित 16: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល