परेरित 13

13
बरनाबास आ साउलके परमेस्‍वर चुनल्‍कै
1एन्‍टिओखिया सहरके मन्‍डलीमे अगमबक्‍तासब आ सिक्‍छा दैबला लोकसब रहै। उसब बरनाबास, करिया कहाइबला सिमियोन, कुरेनीमे रहैबला लुकियस, रजा हेरोदेसङे पालन-पोसन भेल मनेन आ साउल रहै। 2एक दिन उसब उपासे रैहके परभुके आराधना करैबखत पबितर आत्‍मा कहल्‍कै, “सुन, जै कामके खातिर हम तोरासबके बोलाइने चियौ, ओहै कामके खातिर बरनाबास आ साउलके चुन।” 3तब उपासे रैहके आ परथना कैरके उसब ओकरासबके उपर हाथ राइखके परथना कैरके पठादेल्‍कै।
बरनाबास आ साउल साइपरस टपु गेलै
4बरनाबास आ साउलके पबितर आत्‍मा पठेलाके कारन उसब एन्‍टिओखियासे सिकुलिया सहरमे गेलै। ओतेसे उसब समुन्‍दरके यातरा पार कैरके साइपरस टपुमे गेलै। 5सलामिस सहरमे पुग्‍लाकेबाद उसब ओते यहुदीसबके सभाघरमे परमेस्‍वरके बचन सुनाबे लाग्‍लै। यि काममे सहयोग करैले मरकुस कहाइबला युहन्‍ना ओकरासबके सङे रहै।
6जब उसब पुरे टपुके यातरा करैत पाफोस सहरमे पहुचलै, तब ओते उसब एकटा बारयेसु नामके यहुदी जादुगरके भेटलै। उ झुठ बाइजके आपनके परमेस्‍वरके अगमबक्‍ता चियौ कहैछेलै। 7उ जादुगर साइपरस टपुके बडा हाकिम सरगियस पौलुसके सङे रहैछेलै। सरगियस पौलुस बुधिमान लोक रहै, उ बरनाबास आ साउलसे परमेस्‍वरके बचन सुनी कैहके ओइसबके आपन घरमे बजेल्‍कै। 8महज उ जादुगर एलुमास (गिरिक भसामे एलुमासके अरथ जादुगर चियै) ओकरासबके बिरोध करल्‍कै आ सरगियस पौलुसके बिस्‍बास करैसे रोकैके कोसिस करल्‍कै। 9महज साउल, जकरा पावल सोहो कहैछेलै, उ पबितर आत्‍मासे भरपुर भ्‍याके ओइ जादुगरके एकटक लग्‍याके ताकैत कहल्‍कै, 10“ए सैतानके बच्‍चा, सब सतकरमके दुस्‍मन, तु सबकिसीमके छलकपट आ बैमानीसे भरल चिही! कि तु सोझ बाटके टेढ करैले नै छोरबिही? 11आब देख, परभुके हाथ तोहर बिरोधमे उठल छौ। आब अखुन आन्‍हर हेब्‍ही आ कुछ समय तु सुरुजके इजोत नै देखबिही।” तब तखुन्‍ते ओकर आँखमे करिया धुइन लागल जखा लाग्‍लै आ उ अन्‍हरागेलै। तब कोइ ओकरा हाथ पकैरके लज्‍यादेतै कि कैहके उ सहारा ताके लाग्‍लै।
12तब बडा हाकिम यि घटना देखके परभु येसुके बिस्‍बास करल्‍कै। उ परभुके सिक्‍छासे छक परल रहै।
पिसिदिया इलाकाके एन्‍टिओखिया सहरमे
13पावल आ ओकर सङिसब पाफोस सहरसे पानी जहाज चहैरके पामफिलिया इलाकाके परगा सहरमे पहुचलै आ मरकुस कहाइबला युहन्‍ना ओतेसे यरुसलेम घुइमके एलै। 14महज उसब परगासे निकैलके पिसिदियाके एन्‍टिओखिया सहरमे एलै। ओते उसब बिसराम दिनमे यहुदीसबके सभाघरमे ज्‍याके रहलै। 15मोसाके देल बेबस्‍था आ अगमबक्‍तासबके लिखल किताब पढ़लाके बाद, सभाघरके अगुवासब पावल आ बरनाबासके बोल्‍याके कहल्‍कै, “हे यौ भैयारीसब! यदि अहाँसबसे लोकसबके साहसके खातिर कुछो कहैले चाहैचियै त, कहु।”
16तब पावल ठार भेलै आ हाथके इसरा करैत कहल्‍कै, “हे इजराएलके बासिसब आ परमेस्‍वरमे बिस्‍बास करैबला सबगोरा, किरपा कैरके हमर बात सुन, 17इजराएल जातिके परमेस्‍वर हमरासबके पुरखासबके छानल्‍कै। उसब मिसरदेसमे रहैतकाल ओइसबके खन्‍दानके बरहाइने रहै। परमेस्‍वर आपन पाखुरके तागतसे ओइसबके मिसरदेससे निकाइलके आनल्‍कै। 18चालिस बरिसतक उजार जगहमे परमेस्‍वर ओइसबके देखभाल करल्‍कै। 19तब उ कनान देसके सात जातिके नास कैरके, ओइ देसके ओकरासबके अधिकारमे चार सय पचास बरिसतक देल्‍कै। 20तहियासे सामुएल अगमबक्‍ताके बखत तक परमेस्‍वर ओइसबके सासकसब#१३:२० सासकसब- ओइ समयमे उसबके रजा नै छेलै आ सासकेसब खास कैरके नियाय करता छेलै। औरो जानकारीके लेल पुरन्‍का करारके किताबमे नियाय करताके किताब देखे सकैचियै। देल्‍कै। 21तकरबाद जब इजराएली लोकसब परमेस्‍वरसे एकटा रजा माङल्‍कै तब ओकरासबके खातिर बेन्‍यामिनके कुलके किसके बेटा साउलके देल्‍कै आ उ चालिस बरिसतक राज करल्‍कै। 22तब साउलके हटाके परमेस्‍वर दाउदके रजा बनाइल्‍कै। दाउदके बारेमे परमेस्‍वर यि बात कहने रहै, ‘यिसैके बेटा दाउद हमर मन पसनके लोक चियै। उ हमर सब इक्‍छा पुरा करैछै।’ 23परमेस्‍वरके परतिग्‍या करल जहिना दाउदके कुलसे इजराएली लोकसबके खातिर एकगोरा मुक्‍तीदाता येसुके पठेल्‍कै। 24येसु आपन सेबाके काम सुरु करैसे पहिने बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍ना एलै। उ सब इजराएलके सबलोकके आपन-आपन पापसे पस्‍चाताप कैरके बप्‍तिस्‍मा लेबे परतौ कैहके परचार करल्‍कै। 25जखुन युहन्‍ना आपन काम ओराबे लाग्‍लै तखुन कहल्‍कै, ‘तुसब हमरा जे बुइझ रहलचिही, से हम नै चियौ। महज हमरसे पछा एकगोरा आबैछौ, जकर हम जुताके फितो तक खोलैके जोकर नै चियै।’
26“ऐ, अबराहमके कुलके धियापुता आ परमेस्‍वरके डर मानैबला चाहे उ गैर-यहुदी जातिके किय नै हेबै, कथिलेत यि मुक्‍तीके खबर परमेस्‍वर अपनासबके खातिर पठाइने छै। 27महज यरुसलेमके बासि आ ओइसबके सासकसब मुक्‍तीदाता येसुके नै चिन्‍हल्‍कै। अगमबक्‍तासबके धरमसास्‍तरमे लिखल बात हरेक बिसराम दिनमे उसब परहल्‍कै तैयो उसब नै बुझल्‍कै आ ओकरा मिरतुदन्‍ड द्‍याके उ बचन पुरा करल्‍कै। 28मिरतुदन्‍डके कोनो कारन नै भेटलै तैयो उसब येसुके मारैये परतै कैहके पिलातसके अगा माङ करल्‍कै, 29आ ओकर बिसयमे लिखल सब बात उसब पुरा करलाके बाद उसब येसुके कुरूससे निचा उताइरके चिहानमे लज्‍याके राखल्‍कै। 30महज परमेस्‍वर येसुके मरलोके बाद फेनो जिबित करल्‍कै। 31गालिल इलाकासे ओकरसङे यरुसलेममे एल्‍हासब लग बहौत दिनतक ओकर देखाब दैत रहलै। अखुन्‍तो उसब इजराएलके लोकसबलग ओकर साक्‍छी छेबेकरै। 32हमसब यि सुसमाचार सुनाइले एलचियौ, जे बात परमेस्‍वर अपनासबके पुरखासबके परतिग्‍या करने रहौ। 33परमेस्‍वर येसुके मरलसे जियाके उ यि परतिग्‍या अपनासबके आ ओकरसबके धियापुताके खातिर पुरा करनेछै। जनङ धरमसास्‍तरके भजनसङगरहके दोसर अध्‍यायमे लिखल छै,
‘तु हमर बेटा चिही,
आइके दिन हम तोरा जलम देनेचियौ।’#१३:३३ आइके दिन हम तोरा जलम देनेचियौ- आइके दिन हम तोरा जलम देनेचियौ अलंकारिक रुपमे कहैके मतलब परमेस्‍वर आपन बेटाके रजा हैले नियुक्‍त करल्‍कै।
34उ येसुके फेनो कहियो नै मरे परतै तनङके जिएल्‍कै तै बातमे परमेस्‍वर अनङ कहनेछै-
‘पबितर आ अटल आसिसके बचन जे दाउदके देलगेल छेलै,
से हम तोरासबमे पुरा करबौ।’
35“अहिनङे भजनसङगरहके दोसरो ठाममे कहनेछै,
अहाँ आपन पबितर सेबकके सैरके नास हेबे नै देबै।
36“यि बात दाउद उ आपने बारेमे नै कहने रहै, कथिलेत ओकर जिबनमे परमेस्‍वरके इक्‍छा अनुसार काम कैरके उ मरलै आ आपन पुरखासब जरे गारलगेलै आ ओकर देह सैर गेलै। 37महज जकरा परमेस्‍वर मरलसे जियाइल्‍कै ओकर देह नै सरलै। 38तैखातिर भाइ-भैयारीसब, तोरासबके थाह हेबे, कि येसुवेटासे मातर तोरासबके पाप छमा भ्‍यासकैछौ। 39येसुमे बिस्‍बास करैबला जतहेक छै से सब पापसे छुटकारा पाबने छै, जे बात मोसोके लिखल धरम-नियमसे पुरा करे नै सक्‍ने रहै। 40तैखातिर साबधान रह, नै त अगमबक्‍तासबके किताबमे लिखल यि बातसब तोरासबके सङे भ्‍यासकैछौ-
41हे निन्‍दा करैबला लोकसब,
देखके चकित हो आ नास भ्‍याजो!
कथिलेत हम तोरे समयमे एहेन काम करबौ,
ओइ कामके बारेमे तोरा कोइ कहबो करतौ त,
कहियो नै तुसब बिस्‍बास करबिही।”
42जखुन पावल आ बरनाबास सभाघरसे बाहर निकलैत खिना आबैबला बिसरामके दिन यि बात सुन्‍यादैहे कैहके लोकसब ओइ दुनुगोराके बिन्‍ती करल्‍कै। 43सभा ओरेलाकेबाद बहौत यहुदी आ यहुदी धरम मानैबला लोकसब पावल आ बरनाबासके पछा लाग्‍लै। पावल आ बरनाबास ओइसबसे बात करैत परमेस्‍वरके किरपामे भरोसा राखने रह कैहके उत्‍साह देल्‍कै।
44दोसर बिसरामके दिनमे परमेस्‍वरके बचन सुनैले सब सहरके सब लोकसब उनैटके चैलएलै। 45लोकसबके भिर देखके यहुदीसब एकदमसे डाह करेलाग्‍लै। पावल जे बाजैछेलै तै बातके उसब अपमान करैत ओकर बिरोध करेलाग्‍लै। 46तब पावल आ बरनाबास साहस कैरके कहल्‍कै, “परमेस्‍वरके बचन सबसे पहिने तोरासबके सुनेनाइ जरुरी छेलै, महज तुसब सुनैले नै मानलिही। तुसब आपनके अनन्‍त जिबनके योगके नै मानैचिही। आब हमसब दोसर जातिके लोकसबके परमेस्‍वरके बचन सुनाबे जेबै। 47कथिलेत परभु हमरासबके अहिनङे आग्‍या करने छै-
‘पिरथिबीके अन्‍तके सिमा तक लोकसब हमर मुक्‍ती पाबे कैहके,
अहै कामके खातिर गैर-यहुदीके बिचमे इजोत हैले नियुक्‍त करनेचियौ।’”
48जब गैर-यहुदीसब यि बात सुनल्‍कै, तब उसब खुसी भेलै आ परमेस्‍वरके बचनके गुनगान करल्‍कै आ अनन्‍त जिबनके खातिर नियुक्‍त भेल्‍हा सबलोक बिस्‍बास करल्‍कै।
49अहिनङे परमेस्‍वरके बचन ओइ इलाकामे पसरलै। 50महज यहुदीसब परमेस्‍वरके भक्‍ती करैबला जनिसब आ सहरके नेतासबके समेत पावल आ बरनाबासके बिरोधमे चरह्‍या-बरह्‍याके ओइसबके ओइ इलाकासे भगा देल्‍कै। 51महज पावल आ बरनाबास आपन टाङके गरदा ओइसबके बिरोधमे झाइरके आइकोनियन सहर दिसन चैलगेलै। 52तब ओहै बखत एन्‍टिओखियाके बिस्‍बासी बहौत खुसी आ पबितर आत्‍मासे भरपुर भेलै।

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

परेरित 13: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល