परेरित 11

11
यरुसलेमके मन्‍डलीमे पतरुसके बयान
1गैर-यहुदीके लोकसब परमेस्‍वरके बचनमे बिस्‍बास करल्‍कै से बात परेरितसब आ यहुदिया इलाकामे रहैबला परभुमे बिस्‍बास करैबला लोकसब सुनल्‍कै। 2जब पतरुस यरुसलेम पुग्‍लै तब यहुदी बिस्‍बासीसब पतरुसके दोस लगाबे लाग्‍लै, 3“खतना नै भेल्‍हा लोकसबलग ज्‍याके ओइसबसङे अहाँ कथिले खान-पिन करलियै?” 4तब पतरुस, कनङके कथी भेल छेलै, से बातसब सुरुवेसे ओइसबके सुनाबे लाग्‍लै।
5पतरुस कहल्‍कै, “हम योप्‍पा सहरमे परथना करैत ध्‍यान-मग्‍न रहियै। तब एकटा बरका तन्‍ना जखा चारु खुटमे पकैरके स्‍वरगसे निचा खसैत हम दरसनमे देखलियै आ उ आइबके हमर कातमे ठहरलै। 6जब हम निकसे ताकलियै त ओइमे घरपोसुवा जानबर, जङली जानबर, ससरैबला जानबर आ अकासमे उरैबला चिरै-चुरगुनसब देखलियै। 7तकरबाद हम एकटा एहेन अबाज सुनलियै, ‘ए पतरुस उठ आ अकरासबके माइरके खो।’ 8महज हम कहलियै, ‘नै परभु, एहेन असुध या अपबितर चिज हमर मुहमे कहियो नै परलछै।’ 9तब फेनो अकाससे ओइ अबाजके सुनलियै, ‘जकरा परमेस्‍वर सुध कैरदेनेछै ओकरा तु असुध नै कहै।’ 10तिन बेर अहिनङ भेलै, तकरबाद फेनो उ सब चिज स्‍वरग दिसन उठाके लजाइत देखलियै। 11तहै बखत कैसरियासे हमरा बोलाइले पठेल्‍हा तिन गोरा लोकसब हमरासबके रहैबला घरमे पहुचलै। 12कोनो संका नै कैरके ओइसबके सङे जाइले हमरा पबितर आत्‍माके अगुवाइ भेलै। यि छबो गोरा बिस्‍बासीसब सोहो हमरसङे गेलरहै आ हमसब सबगोरा करनेलियसके घरमे ढुकलियै। 13करनेलियस हमरासबके सुनाइल्‍कै, एकटा स्‍वरगदुत हमर घरमे ठार भ्‍याके एहेन कहैत हम देखलियै, ‘योप्‍पामे लोकसबके पठाके पतरुस कहाइबला सिमोनके बोल्‍याके आन। 14उ तोरा बचन सुनाइतौ तब तु आ तोहर पुरा परिबार उधार पाबतौ।’ 15जब हम ओइ लोकसबसङे बाजैले लागलियै, तब जैहनङ पबितर आत्‍मा हमरासबमे एलछेलै तैहनङे ओहौसबके उपर एलै। 16तब परभुके कहल बात याद एलै, ‘युहन्‍ना त पानीसे बप्‍तिस्‍मा देने रहौ, महज तुसब पबितर आत्‍मासे बप्‍तिस्‍मा हेब्‍ही।’ 17हमसब परभु येसु खिरिस्‍टमे बिस्‍बास करलियै आ परमेस्‍वरसे पबितर आत्‍मा पाबलियै। तैहनङे ओहोसब ओकरा बिस्‍बास करल्‍कै आ ओकरसे पबितर आत्‍मा पाबल्‍कै। अहिनङे परमेस्‍वर आपनेसे पबितर आत्‍मा दैछै त ओकरा रोके सकैबला हम के चियै?”
18यि बात सुइनके परभुमे बिस्‍बास करैबला यहुदीसब पतरुसके दोस लगाइले छोइरदेल्‍कै आ परमेस्‍वरके परसन्‍सा करल्‍कै, “आब त परमेस्‍वर आनो जातीसबके पापसे पस्‍चाताप कैरके अनन्‍त जिबन पाबैके अबसर देने छै।”
एन्‍टिओखियामे मन्‍डलीके अस्‍थापना
19स्‍तिफनस मारल गेलाकेबाद परभु येसुमे बिस्‍बास करैबलासब उपर जब सताबट बरहे लाग्‍लै तब चारुदिसन छिरियागेलै आ कोइ फोनिके इलाकामे पुग्‍लै त कोइ साइपरस टपु त कोइ एन्‍टिओखिया सहर तक पहुचलै। महज सुरु-सुरुमे उसब यहुदीसबके बिचमे मातरे सुसमाचार परचार करैछेलै। 20ओइसबमेसे कोइ-कोइ साइपरस आ कुरेनीके लोकसब रहै। उसब एन्‍टिओखियामे आइबके औरो जातिके लोकसबके परभु येसुके सुसमाचार परचार करल्‍कै। 21परभुके सक्‍ती ओइसबसङे छेलै आ बहौत लोकसब परभुमे बिस्‍बास कैरके ओकर देख्‍याल रस्‍तामे चलेलाग्‍लै।
22यि खबर यरुसलेमके मन्‍डलीमे पहुचलै, तब उसब बरनाबासके एन्‍टिओखियामे पठादेल्‍कै। 23बरनाबास ओते एलै आ परमेस्‍वर ओइसबके मन्‍डली उपर करल किरपा देखके खुसी भेलै। तुसब पुरा हिरदयसे परभुके बिस्‍बासमे बरहैत रह कैहके उत्‍साह देल्‍कै। 24कथिलेत उ असल, पबितर आत्‍मा आ परमेस्‍वरके बिस्‍बासमे भरपुर भेल लोक रहै। तब बहौत लोकसब अकरे कामसे उत्‍साहित भ्‍याके बहौत लोकसब परभु येसुके बिस्‍बास करल्‍कै।
25तकरबाद साउलके ताकैले बरनाबास टारसस सहर दिसन गेलै। 26जब बरनाबास टारससमे साउलके भेटलै तब ओकरा एन्‍टिओखियामे आनल्‍कै। उ दुनुगोरे पुरा एक बरिसतक ओतेका मन्‍डलीमे संगती करैत रहलै। ओतेका बहौत लोकसबके सिक्‍छा देल्‍कै। सबसे पहिने एन्‍टिओखियामे खिरिस्‍टके बिस्‍बासीसबके इसाइ कहल्‍कै।
27तहै बखत परमेस्‍वरके अगमबक्‍तासब यरुसलेमसे एन्‍टिओखियामे एलै। 28उसबमेसे अगाबस नाम भेल एकटा लोक खरा भ्‍याके पबितर आत्‍माके अगुवाइमे भबिसबानी करैत बाज्‍लै, “सरा सनसारमे रौदी हेतौ।” (उ रौदी क्‍लौडियसके पालिमे भेलै।) 29तब अगाबसके भबिसबानी सुइनके परभुके बिस्‍बासीसब यहुदिया इलाकामे रहैबलासबके मदत करैके खातिर उसब जतहेक सक्‍तै ततहेक भेटी पठाइले बिचार करल्‍कै। 30अहिनङे उसब उठेल्‍हा पैसा बरनाबास आ साउलके हाथे यरुसलेम मन्‍डलीके एल्‍डरसबके पठादेल्‍कै।

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

परेरित 11: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល