१ कोरन्‍थी 13

13
परेम
1यदि हम लोकसबके किसिम-किसिमके भसा आ स्‍वरगदुतसबके भसामे बाज्‍बै महज हमरमे परेम नै छै त, हम टिङ-टिङ बजैबला घन्‍टी या झाइ-झाइ करैबला झाइल मातरे हेबै। 2हमरसङे अगमबानी बोलैबला बरदान छै आ सब रहस आ सब किसिमके ग्‍यान बुझैले सक्‍बै आ पहार हटाबे सकैबला पुरा बिस्‍बास हमरसङे छै, महज हमरमे परेम नै छै त, हम किछो नै चियै।#मती १७:२०, २१:२१, मरकुस ११:२३ 3यदि हम आपन सब धन-सम्‍पती गरिबसबके बाइट देबै आ आपन देह सेहो जराइले देबै महज हमरमे परेम नै छै त, हमरा किछो फाइदा नै हेतै।
4परेम सहनसिल आ दयालु हैछै। परेम डाह नै करैछै, नै आपनके बरका ठानैछै आ नै घमन्‍ड करैछै। 5परेम हठी नै हैछै, नै जिद्‍दी हैछै। परेम आपने बारेमे मातरे नै सोचैछै, दिक्‍क नै मानैछै आ खराबीके हिसाब नै राखैछै। 6परेम खराबीमे खुसी नै हैछै, महज सत बातमे खुसी हैछै। 7परेम सब बात सहैछै आ सब बातमे बिस्‍बास करैछै, सब बातमे आसा राखैछै आ सब बातमे अस्‍थिर रहैछै।
8परेमके कहियो अन्‍त नै हैछै। अगमबानीसब बितके जेतै, भसासब बन भ्‍याजेतै आ ग्‍यान हर्‌या जेतै। 9कथिलेत अपनासबके ग्‍यान आ अगमबानी अधुरा छै। 10महज जब पुरा करैबला एतै तब अधुरा बात हर्‌या जेतै।
11जब हम बच्‍चा छेलियै तब बच्‍चे जखा बाजैछेलियै, बच्‍चे जखा सोचै छेलियै आ बच्‍चे जखा तरक करैछेलियै। महज जब हम जबान भेलियै, तब बच्‍चाके बेबहार छोइरदेलियै। 12अखुन हमसब ऐनामे धोनराह देखैचियै, महज ओइ बखतमे साफ-साफ देख्‍बै। अखुन हम कमे बुझैचियै महज ओइ बखत परमेस्‍वर हमर बारेमे सब बात जानल जखा, हम्‍हु सब बात जान्‍बै। 13आब बिस्‍बास, आसा आ परेम यि तिन बात रहैछै, महज ओइमेसे सबसे बरका परेम चियै।

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

१ कोरन्‍थी 13: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល