मती 20
20
काम करैबला जनसबके खिसा
1 येसु कहैतगेलै, “स्वरगके राज जमिनके एकटा एहेन मालिक जखा चियै जे, बिहान सबेरे-सबेरे अङगुर बारीमे काम करैबला जनसबके ताकैले निकल्लै। 2तब ओइ जनसबके एक दिनके बैन चानीके एक टका तोइकके आपन अङगुरके बारीमे काम करैले पठेल्कै। 3जब उ न बजेदिसन बजारमे निकल्लै त लोकसबके काम नै कैरके ठारभेल देखल्कै। 4तब उ ओइसबके कहल्कै, ‘तुसब हमर अङगुर बारीमे काम करैले जो, जे उचित हेतै से हम तोरासबके देबौ।’ 5तब उसब काम करैले ओकर अङगुर बारीमे गेलै। तकरबाद उ लोक फेनो बारह बजे आ तिन बजेदिसन बाहर ज्याके औरो लोकसबके ओहिनङे कैरके काममे लगाइल्कै। 6फेनो पाँच बजेदिसन गेलै तखुन्तो उ कुछ लोकसबके ओइहनङे बजारमे काम नै भ्याके ठारभेल देखल्कै। तब उ ओइसबके पुछल्कै, ‘तुसब अते कथिले दिनभैर बेगारी भ्याके ठार रहैचिही?’ 7उसब जबाफ देल्कै, ‘हमरासबके अखुनतक कोइ नै बारीमे काम करैके लेल अरहाइल्कै।’ उ गिरहत ओइसबके कहल्कै, ‘तुहुसब हमर अङगुर बारीमे ज्याके काम कर।’
8 “जब साँझ परलै, तब उ मालिक आपन मुख नोकरके बोल्याके कहल्कै, ‘जनसबके बोला आ सबसे पछा आबैबलासे सुरु कैरके सबसे पहिन्का आबैबला तक सबके बैन द्यादहै।’ #
लेबी १९:१३, बेबस्था २४:१५ 9तब पाँच बजे काम सुरु करैबलासबके पहिने बोल्याके सबके एक दिन बराबरके बैन देल्कै। 10तैबखत सबसे पहिनेसे काम करैबलासब बेसी बैन मिलत कैहके बिचार करल्कै, महज ओहोसब एके दिन बराबरके बैन पाबल्कै। 11उसब बैन पाबलाके बाद जमिनके मालिकके बिरोधमे किच-किच करेलाग्लै। 12उसब कहेलाग्लै, ‘यि पाछे एल्हासब एक घन्टा मातरे काम करल्कै, हमसब त घामे-पसिने मैर-मैरके दिनभैर खटलचियै! महज अहाँ ओहोसबके बराबरे बैन देलियै।’ 13महज मालिक ओइसबमेसे एक गोराके जबाफदैत कहल्कै, ‘देख, हम तोरा अन्याय नै करनेचियौ। तु त दिनभैरके बैनमे काम करैले राजी नै भेल छेल्ही? 14तु आपन बैन ल्याके जो। हम यि पाछे काममे एल्होसबके तोरासबके जतहेक देनेचियौ ततहेक दैले चाहैचियै। 15कि आपन इक्छा लागल लोकके आपने पैसा-कौरी दैले हमरा अधिकार नै छै? हम ओकरा दया करलियै त तोरा कथिले डाह हैछौ’?”
16 तब येसु बातके ओराइत कहल्कै, “अहिनङे जे पछा छै, से अगा हेतै आ जे अगा छै से पछा हेतै।” #
मती १९:३०, मरकुस १०:३१, लुका १३:३०
तेसर बेर येसु आपन मिरतुके चरचा करल्कै
(मरकुस १०:३२-३४, लुका १८:३१-३४)
17येसु अगा यरुसलेम दिसन जाइतखिना आपन बारहो चेलासबके रस्ताके कातमे लज्याके कहल्कै, 18“देख, अपनासब यरुसलेम दिसन ज्यारहल चियै। ओते मानब बेटा मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसबके हाथमे सौपल जेतै आ उसब ओकरा मिरतुदन्डके जोकर ठहराइतै। 19तब ओकरा गैर-यहुदीसबके हाथमे सौपतै। ओकरा गिल्ला करतै, कोरासे पिटतै आ कुरूसमे टाङइके माइरदेतै। महज फेनो उ तेसर दिनमे जिबित भ्याके उठतै।”
माँके बिन्ती
(मरकुस १०:३५-४५, लुका २२:२४-२७)
20तकरबाद जब्दियाके बेटासब आपन माँ सङे येसुलग एलै आ ओकर अगा ठेङहुनिया द्याके बिन्ती करल्कै, “हमर उपर दया करु।” 21तब येसु ओइ जनिके पुछल्कै, “तु कथी चाहैचिही?” उ जनी कहल्कै, “अहाँ रजा हेबै त अहाँके राजमे यि हमर दुनु बेटासबमेसे एकटा देहना कात आ दोसर बमाकात बैठे पाबे।” 22येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “तुसब कथी माइङरहलचिही से नै जानैचिही। जे दुखके बाटी हम पिये लागल चियै, कि उ तुसब पिये सकबिही?” उसब कहल्कै, “जी, सक्बै।” 23तब येसु फेनो कहल्कै, “हँ, हमर पियैबला दुखके बाटीसे तुसब पिब्ही, महज हमर देहना आ बमा कातमे बैठे दैके अधिकार हमर हाथमे नै छै। उ ठाम ओइसबके चियै, जकर खातिर हमर पिता तयार करनेछै।”
24यि बात सुइनके औरो दस गोरा चेलासब उ दुइगोराके देखके खिसयाइलै। 25तब येसु ओइ सबगोराके बोल्याके कहल्कै, “तोरासबके थाहेछौ कि, अहै सनसारके रजासब जनतासब उपर हुकुम चलाइत रहैछै आ जनतामे जे पैध लोकसब रहैछै उ ओइसब उपर अधिकार जमाइछै।#लुका २२:२५-२६ 26महज तोरासबके बिचमे एहेन नै हेबे। बल्की, तोरासबमेसे जे पैध हैके इक्छा करैछौ, उ तोरासबके सेबक बने।#मती २३:११, मरकुस ९:३५, लुका २२:२६ 27जे तोरासबमेसे बरका हैके इक्छा करैछै, उ तोरासबके नोकर बने। 28तैहनङे मानबोके बेटा दोसरसे सेबा लैले नै, महज सेबा करैले आ बहौत लोकसबके पापसे छुटकारा दैके खातिर आपन परान दैले एलछै।”
येसु दुइटा अन्हराके देखैबला बनाइल्कै
(मरकुस १०:४६-५२, लुका १८:३५-४३)
29येसु आ ओकर चेलासब यरिहो सहरसे बाहर निकल्लै तब लोकसबके बरका भिर ओकर पछा लाग्लै। 30ओहै रस्ताके कातमे बैठल दुइटा अन्हरासब येसु अहै रस्ताहैत आबैछै से बात सुइनके जोर-जोरसे किलोल करैत एहेन कहेलाग्लै, “हे परभु, दाउद रजाके बेटा, हमरासबके उपर दया करु।” 31भिरके लोकसब ओइ दुनुगोरेके फटकारैत कहल्कै, “चुप है जो” महज उसब औरो जोर-जोरसे हल्ला तोइरके कहेलाग्लै, “हे परभु, दाउद रजाके बेटा, हमरासबके उपर दया करु।” 32तब येसु ठार भेलै आ ओइसबके बोल्याके पुछल्कै, “हम तोरासबके खातिर कथी कैरदेबै से चाहैचिही?” 33उसब येसुके कहल्कै, “हे परभु, हमसब आपन आँखसे देखैले चाहैचियै।” 34यि बात सुनैत मातर येसुके दया लाग्लै। तब ओइसबके आँखमे छुबल्कै, छुबते मातर उसब देखेलाग्लै आ ओहोसब ओकर पछा लाग्लै।
اکنون انتخاب شده:
मती 20: MTHB
هایلایت
به اشتراک گذاشتن
کپی
می خواهید نکات برجسته خود را در همه دستگاه های خود ذخیره کنید؟ برای ورودثبت نام کنید یا اگر ثبت نام کرده اید وارد شوید
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.