YouVersion Logo
Search Icon

रोमी 3

3
परमेस्‍वरके बिस्‍बास योग्‍यता
1कोइ-कोइ एहेन कहैले सकैछै: यहुदी भेलापर कोन फाइदा छै? कि खतना कैरके कोनो लाभ भेलै त? 2हरेक तरहसे फाइदे फाइदा छै। सबसे पहिने परमेस्‍वर आपन बचन यहुदीसबके सोइप देल्‍कै। 3महज कतहेक गोरा बिस्‍बासयोग्‍य नै भेलै त, कि भेलै? उसब बिस्‍बासयोग्‍य नै भेलै त कि परमेस्‍वर आपन बचन पुरा नै करतै से? 4पक्‍का पुरा करतै, सबलोक आपन बचन पुरा नै करतै तैयो परमेस्‍वर आपन बचनके पुरा करतै। जनङ पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल छै,
“बोलि-बचनमे अहाँ ठिक ठहरलचियै,
नियाय हेतै त अहाँके जित हेतै।”#भजनसङगरह ५१:४
5महज कतहेक लोकसबके बिचारमे, हम यहुदीसबके करल पापसे परमेस्‍वर औरो बेसी धरमी देखाइछै त हम कथी करबै? कि लोकसबके दन्‍ड देनाइ परमेस्‍वरके गल्‍ती छेलै त? 6नै, परमेस्‍वरके दन्‍ड दैबला काम कोनो हालतमे गल्‍ती नै चियै। यदि परमेस्‍वर ठिकसे नियाय नै करतै त उ कनङके सनसारके लोकसबके नियाय करतै? 7कोइ-कोइ अहिनो बिचार करैछै, “यदि हमर झुठसे परमेस्‍वरके सतके औरो आदर हैछै त, कथिले हमरा पापके दोसी ठहराइछै?” 8कोइ-कोइ यह्‍या दोस हमरासबके लगाइछै, “हमसब जतहेक पाप करबै ततहेक बेसिसे परमेस्‍वरके आदर हेतै।” एहेन दोस लगाइबला लोकसबके परमेस्‍वरसे दन्‍ड मिलनाइ उचित छै।
धरमी कोइ नै छै
9ओहेन छै त, कि हम यहुदीसब औरोसे असल चियै त? कदापी नै चियै। यहुदी आ गैर-यहुदी दुनु समान रुपसे पापके अधिनमे छै कैहके हम पहिने देखाइने चियौ। 10पबितर धरमसास्‍तरमे एहेन लिखलछै,
“धरमी कोइ नै छै, एकोटा नै छै।#भजनसङगरह १४:१-३, ५३:१-३
11परमेस्‍वरके बात बुझैबला लोक कोइ नै छै,
परमेस्‍वरके खोजैबला कोइ नै छै।
12सबलोक परमेस्‍वरके रस्‍तासे भटैकके दुर चैलगेलछै,
सबलोक काम नै लागैबला भेलछै।
भलाइ करेबला कोइ नै छै,
एकोटा नै छै।”
13“ओकरासबके कन्‍ठ त खुलल चिहानसे निकलैबला दुरगन्‍ध जखाछै,
उसब आपन जिहसे छलके बात करैछै।”
“ओकरासबके बोली बिखधर साँपके बिख जखाछै।”#भजनसङगरह ५:९, १४०:३
14“उसब आपन मुहसे सराप आ तित बात बोलैछै।”#भजनसङगरह १०:७
15“उसब लोकसबके हतिया करैले आतुर रहैछै।#यसैया ५९:७-८
16उसब जते जाइछै ओते बिनास करैछै आ लोकसबके दुख दैछै।
17उसब अमन चैनसे जियैले नै जानैछै।”
18“उसब परमेस्‍वरके डर नै मानैछै।”#भजनसङगरह ३६:१
19बेबस्‍थाके बात त बेबस्‍थाके अधिनमे रहैबला लोकसबके लेल चियै कैहके हमरासबके थाहछै। ओहैसे परमेस्‍वर सनसारके नियाय करैतखिना हम पाप नै करनेचियै कैहके बहाना बनाबे नै सक्‍तै। 20बेबस्‍था पालन कैरके परमेस्‍वरके नजरमे कोइयो नै धरमी ठहरतै कथिलेत लोकसब पापी छै से बात त बेबस्‍थे बताइछै।#भजनसङगरह १४३:२, गलाती २:१६
परमेस्‍वर लोकसबके धरमी बनाइछै
21महज अखुन बेबस्‍था पालन नै कैरके परमेस्‍वर लोकसबके धरमी ठहराइबला बाट देखाइनेछै। अकर बारेमे बेबस्‍थाके किताब आ अगमबक्‍तासब गबाही देनेछै। 22अहिनङ कैरके, येसु खिरिस्‍टमे बिस्‍बास करैबला सबके परमेस्‍वर धरमी ठहराइनेछै, कथिलेत उ ककरो भेदभाव नै करैछै।#गलाती २:१६ 23कथिलेत सबलोक पाप करनेछै आ परमेस्‍वरके महिमातक पुगैले चुकल छै। 24महज परमेस्‍वरके अनुगरहसे खिरिस्‍टमे बिस्‍बास करैबला लोकसबके मङनिएमे पापसे धरमी ठहरेल्‍कै। 25परमेस्‍वर येसु खिरिस्‍टके अपनासबके पापके दन्‍डसे छुटकरा दैकेलेल बलिके रुपमे अइ सनसारमे पठेल्‍कै। अपनासबके लेल येसु खिरिस्‍ट आपन लहु बहेल्‍कै कैहके बिस्‍बास करैबला लोकसब धरमी ठहरैछै। यि काम परमेस्‍वर आपन धारमिक्‍ता देखाबैके लेल करल्‍कै, कथिलेत उ आपनसबके पहिने करल पापके धियान नै देल्‍कै, कारन उ बहुत धिरजी छै। 26महज अखुन्‍का समयमे परमेस्‍वर उसबके पापके लेखा लैछै कथिलेत उ आपने धरमी छै आ येसुमे बिस्‍बास करैबलासबके धरमी ठहराबैछै कैहके उ साबित करैछै।
27ओहेन छै त कथिके लेल घमन्‍ड करबै? घमन्‍ड करैबला बाते नै चियै। बेबस्‍था पालन कैरके लोक धरमी नै हैछै, महज खिरिस्‍टमे बिस्‍बास कैरके मातरे धरमी हैछै। 28बेबस्‍था पालन कैरके नै महज खिरिस्‍टमे बिस्‍बास कैरके मातरे परमेस्‍वरके अगा धरमी ठहराबैछै से बात हमसब जानैचियै। 29कि परमेस्‍वर यहुदीसबके मातरे परमेस्‍वर चियै? कि परमेस्‍वर गैर-यहुदीसबके परमेस्‍वर नै चियै से? साँचे, उ त सबके परमेस्‍वर चियै। 30कथिलेत परमेस्‍वर एकेटा छै। उ यहुदी आ गैर-यहुदी दुनुके बिस्‍बास दुवारा धरमी ठहराइछै। 31तब कि अपनासबके अहै बिस्‍बास दुवारा बेबस्‍थाके बेरथ कैरदेबै? कदापी नै! बरु हमसब बेबस्‍थाके साँचोके मानैचियै।

Currently Selected:

रोमी 3: MTHB

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in