YouVersion Logo
Search Icon

रोमी 14

14
दोसरके दोस नै लगा
1बिस्‍बासमे कमजोर भेल्‍हा लोकसबके सुइकार कर आ उसब जे बिचार करनेछै, तैमे दोस लग्‍याके ओइसबसङे तरक नै कर।#कलस्‍सी २:१६ 2कोइ-कोइ बिस्‍बासी सब चिज खाइले हैछै कैहके बिस्‍बास करैछै, महज बिस्‍बासमे कमजोर भेल्‍हा लोक सागपात मातरे खाइले हैछै कैहके बिस्‍बास करैछै। 3जे लोक सब चिज खाइछै, उ सागपात खाइबलासबके घिरना नै करे। तहिनङे सागपात खाइबलासब सबचिज नै खाइबलाके दोस नै लगाबे। कथिलेत परमेस्‍वर दुनुके सुइकार करनेछै। 4दोसर नोकरके दोख लगाइबला तु के चिही? उ त ओकर मालिक आपन नोकरके असल या खराब काम करल्‍कै कैहके नियाय करतै। परभुवे आपन नोकरके असल काम करैले सहायता करतै कथिलेत ओकरा सहायता करैबला सक्‍ती परभुमे छै।
5कतहेक लोक एकटा दिनके दोसर दिनसे बेसी बिसेस मानैछै महज कतहेक लोक सबदिनके एके ठानैछै। हरेक लोक आपन-आपन मनमे बिस्‍बास करल बातमे पक्‍का हैलेपरतै। 6जे लोक एकटा दिनके बिसेस रुपसे मानैछै, उ लोक परभुके आदरके लेल पालन करैछै। तहिनङे जे लोक मासु लगाएत सब चिज खाइछै उ लोक परमेस्‍वरके आदरके लेल खाइछै आ परमेस्‍वरके धन्‍यबाद दैछै। जे लोक सागपात मातरे खाइछै उ लोक परमेस्‍वरके आदरके लेल खाइछै आ उहो परमेस्‍वरके धन्‍यबाद दैछै। 7अपनोसब आपने लेल नै जियैचियै आ आपने लेल नै मरैचियै। 8चाहे अपनासब जिबै त परभुवेके लेल जिबै आ चाहे मरबै त परभुवेके लेल मरबै। तैल्‍याके अपनासब जिबै आ मरबै परभुवेके लेल चियै। 9ओहैसे येसु खिरिस्‍ट मरलै आ फेर जिबित भेलै ताकि मरलसब आ जिबीतसब दुनुके परभु हेबे। 10अनङ छै त तुसब कथिले आपन बिस्‍बासी भाइसबके दोस लगाइचिही? कथिले आपन बिस्‍बासी भाइसबके तुच्‍छ ठानैचिही? कथिलेत अपनासब सबकोइ परमेस्‍वरके नियाय करैबला ठामके अगा खरा हैले परतौ।#२ कोरन्‍थी ५:१० 11कथिलेत पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल छै,
“परमपरभु कहैछै,
‘जनङ हम जिबित चियौ
तहिनङ सबलोक हमर अगा झुक्‍तै
आ सबकोइ हमरा परमेस्‍वर कैहके पुकारतै।’”#यसैया ४५:२३
12तैखातिर सबकोइ आपन-आपन कामके हिसाब परमेस्‍वरके दैले परतौ।
ठेस लागैबला काम नै कर
13ओहैसे अपनासब एक-दोसरके दोस नै लगा। बरु अपनासब आपन भाइके ठेस लागैबला या बाधा दैबला काम कहियो नै करबै कैहके अठोट कर। 14परभु येसुमे बिस्‍बास कैरके हम यि बात पक्‍का जानैचियै कि, खाइबला कोनो चिज आपनेमे असुध नै रहैछै। महज जे लोक असुध माइनके खाइछै, उ ओकरलेल असुधे हैछै। 15यदि तु जे खाइचिही ओइसे तोहर आपने भाइके चित दुखैछौ त, तु आपन भाइके परेमे नै करैचिही। खिरिस्‍ट आपन परान देके बच्‍याल भाइ तोहर खाइबला चिजसे नास नै हेबे। 16तैखातिर असल काम कैरके खराब कहैले दोसरके मौका नै दहै। 17कथिलेत परमेस्‍वरके राज खाइ-पियैबला चिज नै, महज पबितर आत्‍मासे आबैबला धारमिक्‍ता, सान्‍ती आ आनन्‍द चियै। 18जे एहेन किसिमसे खिरिस्‍टके सेबा करैछै, उ परमेस्‍वरके खुस करैछै आ लोकसबसे आदर पाबैछै।
19तैल्‍याके अपनासब उ बातसबके अनुसरन कर जे बात सान्‍ती लाबैछै आ एक-दोसरके बिस्‍बासमे बलगर बनाइले मदत करैछै। 20खाइबला चिजके कारन परमेस्‍वरके कामके नास नै कर। सब चिज खाइले हैछै महज औरो लोकके बाधा हैबला हिसाबसे खेनाइ खराब चियै। 21यदि तोहर भाइके तोहर खाइबला मासु, तोहर पियैबला निसा चिज या तोहर करैबला औरो कोनो कामसे समस्‍या लाबैछै त, तोरा ओइसबके छोरनाइ असल हेतौ। 22यि बातसबमे भेल तोहर बिस्‍बास परमेस्‍वर आ आपने बिचमे राख। उ लोक धैनके चियै, जे अपनासे ठिक ठहर्‌याल चिजके कारन आपनेके दोसी नै ठहराइछै। 23महज जे कोइ संका कैरके खाइछै त, उ दोसी ठहरैछै, कथिलेत बिस्‍बास बिनाके करल सबकाम पाप चियै।

Currently Selected:

रोमी 14: MTHB

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in