रोमी 11
11
इजराएलीसबके उपर परमेस्वरके दया
1ओहैसे आब हम तोरासबके कहैचियौ, “कि परमेस्वर आपनेसे छानल इजराएलीसबके त्यागने छै त?” कहियो नै! कथिलेत हम्हु एक इजराएली आ अबराहमके बंसमे जलमल बेन्यामिन कुलके चियै।#फिलिप्पी ३:५ 2परमेस्वर सुरुवेसे छानल आपन लोकसबके नै त्यागने छै। पबितर धरमसास्तरमे अगमबक्ता एलियाके कहल बात तोरासबके थाह नै छौ से? उ इजराएलीसबके बिरोधमे परमेस्वरसे अनङके बिन्ती करल्कै, 3“हे परभु, उसब अहाँके अगमबक्तासबके जानसे माइरदेने छै, अहाँके बेदीसबके नास कैरदेनेछै। हम असगरे जिबित चियै आ उसब हमरो जानसे मारैले चाहैछै।”#१ रजा १९:१०,१४ 4महज परमेस्वर एलियाके कहल्कै, “हम त बाल देवताके पुजा नै करैबला सात हजार लोकसबके बच्याके राखने चियै।”#१ रजा १९:१८ 5तहिनङे परमेस्वरके अनुगरहसे छानल कतहेक इजराएलीसब अखुन्तो बाकी छै। 6यि त परमेस्वरके अनुगरहसे भेल छै, धरम-करमसे नै, नै त परमेस्वरके अनुगरह बेरथ हेतियै।
7अकर मतलब सब इजराएलीसब परमेस्वरके अगा धरमी हैले चाहतो परभी नै भेलै महज परमेस्वरके छानल कुछ इजराएलीसब मातरे धरमी ठहरलै। औरो बाकी इजराएलीसब कठोर भेलै। 8पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै,
“परमेस्वर ओकरासबके मन सुस्त बन्यादेल्कै।
एहेन आँख देल्कै कि उसब देखैले नै सकैछै आ एहेन कान देनेछै कि उसब सुनैले नै सकैछै।
उसब अखुन्तो ओहिनङे दसामे छै।”#बेबस्था २९:४, यसैया २९:१०
9रजा दाउद सेहो ओहिनङे कहैछै,
“ओइसबके भोज-भात ओकरेसबके लेल फन्हा आ जाल बने,
ओकरेसबके ठेस लागैबला आ दन्डके कारन बने।
10ओइसबके आँख देखैले नै सकैबला आन्हर हेबे
आ ओइसबके पिठ सबदिनके लेल कुबर हेबे।”#भजनसङगरह ६९:२२-२३
कलमी बान्हल ठाइर
11तैल्याके हम तोरासबके पुछैचियौ, “कि इजराएलीसब ठेस लाइगके फेनसे उठैले नै सकैबला भेलछै से?” नै! उसब बिस्बास नै करलासे गैर-यहुदीसब मुक्ती पाबल्कै। यि देखके इजराएलीसब डाह करे कैहके परमेस्वरके इक्छा छेलै। 12इजराएलीसब पाप करलाके चल्ते सनसारके लोकसब आसिस पाबल्कै। उसब मुक्तीके इन्कार करलाके चल्ते गैर-यहुदीसब मुक्ती पाबल्कै त सब इजराएलीसब पस्चाताप कैरके परमेस्वरमे बिस्बास करतै त औरो बेसिसे आसिस पाबतै।
13आब हम गैर-यहुदीसबके कहैचियौ, हम त गैर-यहुदीसबमे सुसमाचार परचार करैके लेल खिरिस्टके एक परेरित चियै। हम आपन यि सेबाके बिसेस महत्व दैचियै। 14हमर करल यि सेबासे आपने यहुदी जातिके लोकसबके डाही बनाइले सकि आ ओइसबमेसे कोइ-कोइ पस्चाताप कैरके परमेस्वरमे बिस्बास करे कैहके हमर आसा छै। 15कथिलेत इजराएलीसब परमेस्वरके असुइकार करलासे सनसारके लोकसबके ओकरसङे मिलाप भेलै त, ओकरासबके आपन बनाइतै त झन कतहेक निक हेतै! यि त मरलसे जिबित भेल जखा हेतै।
16यदि रोटीके पहिन्का टुकरा परमेस्वरके चरहाइचियै त, उ सब रोटी पबितर हैछै। तहिनङे गाछके जैर पबितर छै त, तकर ठाइरसब सेहो पबितर हैछै। 17तहिनङे कतहेक काम नै लागैबला ठाइर काइटके फेकल जखा कतहेक यहुदीसब परमेस्वरके छोइरके गेलै। महज तु गैर-यहुदीसब जङगली जैतुनके ठाइर जखा भेलोपरभी असल जैतुनके गाछमे कलमी बान्हल चिही। आब तुहुसब असल जैतुनके गाछसे सक्ती आ जिबनके रस पाबनेचिही। 18तैल्याके तुसब काइटके फेकल ठाइर जखा इजराएलीसे असल चियै कैहके घमन्ड नै कर। यदि घमन्ड करैचिही त, यि बात याद राख, तुसब जैरके नै महज जैर तोरासबके थाइमके राखनेछौ।
19महज तुसब एहेन कहैले सकैचिही, “हमसब कलमी बान्हैले सकि कैहके ठाइरसब काटल छेलै।” 20यि बात सत चियै कि, इजराएलीसब बिस्बास नै करलासे ठाइर जखा काइटके फेकल रहै। तुसब बिस्बास करलासे कलमी बान्हल गेलचिही। ओहैसे घमन्ड नै कर बरु परमेस्वरके डर मान। 21परमेस्वर असल ठाइर, इजराएलीसबके बाकी नै राखल्कौ त, कि तोरासबके छोरतौ? 22परमेस्वर कतहेक दयालु आ कठोर छै से दुनुबात बिचार कर। उ बिस्बास नै करैबलासबके लेल कठोर हैछै महज तुसब ओकर अनुगरहमे सरन लेब्ही त उ तोरासबके दया देखाइतौ। नै त तोरासब काइटके फेकल ठाइर जखा हेब्ही। 23तहिनङे यदि इजराएलीसब पस्चताप कैरके बिस्बास करतै त परमेस्वर ओकरासबके फेरसे पहिनेके ठाममे कलमी बान्हतै। कथिलेत परमेस्वर ओकरासबके फेरसे कलमी बान्हैले सक्तै। 24तु गैर-यहुदीसब जङगली जैतुनके गाछसे काटल ठाइरसब जखा चिही। तुसब परकिरती अनुसार नै मिलैबला भेलोपरभी असल जैतुनके गाछमे कलमी बान्हल चिही। इजराएलीसबके बारीमे रोपल जैतुनके ठाइर जखा चियै। ओइसबके फेरसे परमेस्वर कलमी बान्हैले सकैछै।
सब इजराएलीसबके उदार
25हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबके एकटा रहसके बात थाह हेबे कैहके चाहैचियौ। उ बात तोरासबके थाह हेतौ त तुसब आपनेके बुधिमान ठाइनके घमन्ड नै करबिही। उ रहसके बात यि चियै कि, खिरिस्टमे आबैबला गैर-यहुदीसब बिस्बास नै करैतक बहुतो इजराएलीसबके हिरदय कठोर हेतै। 26तकरबाद सब इजराएलीसबके उधार हेतै। पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै,
“मुक्तीदाता सियोनसे एतै,
उ याकुबके बंसके पापसे घुमाके आन्तै।”#यसैया ५९:२०-२१
27“ओइसबके पाप छमा कैरके
ओइसबसङे बान्हल करार पुरा करबै।”#यसैया २७:९
28सुसमाचारमे बिस्बास नै करलासे इजराएलीसब परमेस्वरके दुस्मन भेलछै। यि त तोरासबके लेल निक बात चियौ। महज परमेस्वर ओइसबके आपनेसे छानलाके कारनसे आ ओइसबके पुरखासबसङे परतिग्या करला कारनसे ओइसबके परेम करैछै। 29कथिलेत परमेस्वर आपनेसे देल बरदान कहियो फिरता नै लैछै आ बोल्यालसबके कहियो नै छोरैछै। 30पहिने तु गैर-यहुदीसब परमेस्वरके आग्यापालन नै करैछेल्ही, महज आब यहुदीसब आग्यापालन नै करला कारनसे परमेस्वरके किरपा तोरासबके भेटल छौ। 31परमेस्वर तोरासबके किरपा करल्कौ। ओहिनङे उहोसब एक दिन किरपा पाबे कैहके अखुन उसब आग्यापालन नै करैछै। 32कथिलेत सबलोक दया पाबे कैहके परमेस्वर ओइसबके अटेरमे छोइरदेनेछै।
परमेस्वरके आदर आ परसन्सा
33आहा! परमेस्वरके धन, ग्यान आ बुधी कतहेक महान छै!
ओकर निरनय करल बातके बखान कोइ नै करैले सकैछै।
ओकर काम करैबला तरिका कोइ नै बुझैले सकैछै।#यसैया ५५:८
34परभुके मनके कोइ नै जानैले सक्ने छै।
ओकरा कोइ नै सल्लाह दैले सक्तै।#यसैया ४०:१३
35कोइ नै परमेस्वरके कोनो चिज देने छै,
ओहैसे परमेस्वरके ककरो फिरतो दैले नै परतै।#अयुब ४१:११
36कथिलेत सब चिज ओकरे सिरिस्टी चियै आ ओकरेसे बनलछै आ ओकरे लेल बन्याल छै। ओकर महिमा सबदिन हैतरहे! आमेन।#१ कोरन्थी ८:६
Currently Selected:
रोमी 11: MTHB
Highlight
Share
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: