रोमी 10
10
येसुमे बिस्बास करैबला धरमी ठहरैछै
1हे हमर भाइ-भैयासब, इजराएलीसब मुक्ती पाबे कैहके हमर भितरी चाहना छै। तैल्याके हम अकरासबके लेल परमेस्वरसे परथना करैचियै। 2उसब परमेस्वरके भितरी हिरदयसे जोसके साथ सेबा करैले चाहैछै, से बात हम कहैचियौ। महज कनङके सेबा करतै से बात उसब जान्बे नै करैछै। 3कथिलेत परमेस्वर लोकसबके आपन अगा धरमी ठहराबैबला तरिकाके उसब जान्बे नै करैछेलै, तैल्याके उसब धरमी ठहराबैबला तरिकाके असुइकार करल्कै। उसब आपने तरिकासे परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैले ताकल्कै। 4कथिलेत येसु खिरिस्ट बेबस्थाके पुरा करल्कै। आब जेसब ओकरमे बिस्बास करतै, उसब परमेस्वरके नजरमे धरमी ठहरतै।
मुक्ती सबके लेल
5बेबस्था पालन कैरके धरमी हैके बारेमे मोसा एहेन लिखने छै, “जे बेबस्थामे लिखल बात पालन करैछै, उ तहैसे असल जिबन जियैछै।”#लेबी १८:५ 6महज बिस्बास दुवारा परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैबलाके बारेमे पबितर धरमसास्तर एहेन कहैछै, “मन-मने एहेन नै कह, खिरिस्टके अपनासब लग निचा लाबैले उपर स्वरग के जेतै?”#बेबस्था ३०:१२-१४ 7या मन-मने एहनो नै कह, “खिरिस्टके अपनासब लग उपर लाबैले निचा पतालमे के जेतै?” 8पबितर धरमसास्तर कहैछै, “मुक्तीके बचन तोरासबके लगेमे छौ। यि तोरासबके मुह आ हिरदयमे छौ।” अपनासबके बिस्बासके बारेमे परचार करल सुसमाचार एह्या चियै। 9यदि तु येसुके हमर परभु चियै कैहके आपन मुहसे सुइकार करबिही आ परमेस्वर ओकरा मरलसे जिबित करल्कै कैहके आपन हिरदयमे बिस्बास करबिही त तोहर उधार हेतौ। 10कथिलेत लोक आपन हिरदयसे बिस्बास कैरके परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैछै आ बिस्बास करल बात आपन मुहसे सुइकार कैरके उधार पाबैछै। 11कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “ओकरमे बिस्बास करैबला कहियो लाजमे नै परतै।”#यसैया २८:१६ 12यहुदी आ गैर-यहुदी जातीमे कोनो फरक नै छै। उसबके एके परभु चियै आ ओकरा पुकारैबलासबके उ परसस्त कैरके आसिस दैछै। 13कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “परभुके नाम पुकारैबला सबकोइ उधार पाबतै।”#योएल २:३२ 14महज जे ओकरमे बिस्बासे नै करनेछै, उ कनङके ओकरा पुकारतै? जकर बारेमे सुन्बे नै करनेछै, तकरमे कनङके बिस्बास करतै? ओकर बारेमे कोइ परचार नै करतै त कनङके सुन्तै? 15सुनाइबला लोकके नै पठाइतै उ कनङके परचार करतै? जनङ पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै कि, “सुसमाचार परचार करैबलाके टाङ कतहेक सुन्दर!” #यसैया ५२:७
16महज सुनैबला लोकसब सुसमाचारके सुइकार नै करल्कै, कथिलेत यसैया अगमबक्ता कहैछै, “हे परभु, हमरासबके परचार करल सुसमाचारमे के बिस्बास करनेछै से?”#यसैया ५३:१ 17बिस्बास सुनाइसे आबैछै आ सुनाइ त खिरिस्टके परचारसे आबैछै। 18ओनङ छै त, “तब कि उसब सुसमाचार नै सुन्नेछै से?” उसब साँचोके सुन्नेछै। परबितर धरमसास्तरमे एहन लिखलछै,
“ओइसबके सुसमाचार पिरथिबीके सब ठाममे पुगलछै
आ ओइसबके सन्देस सनसारके कोना-कोनातक पुगलछै।”#भजनसङगरह १९:४
19तनङ छै त कि इजराएलीसब यि सुसमाचार नै बुझल्कै? उसब बुझैले त बुझल्कै महज नै टेरल्कै। परमेस्वर पहिने मोसा मारफत कहने छेलै,
“गैर-यहुदीसबके परेम करल देखके तुसब डाह करबिही।
हमरा नै चिन्हैबला लोकसबके परेम करल देखके तोरासबके रिस उठतौ।”#बेबस्था ३२:२१
20तब यसैया अगमबक्ता साहसके साथ परमेस्वरके बचन कहल्कै,
“जे हमरा खोज्बे नै करल्कै, उसब हमरा भेटाइल्कै,
जे हमर बारेमे पुछबे नै करल्कै, ओइसबके अगा हम आपने परगट भेलियै।”#यसैया ६५:१
21महज इजराएलके बारेमे उ कहल्कै,
“हमर बात नै मानैबला आ हमर बिरोध करैबलासब हमरलग घुइमके एतै कि कैहके
हम दिनभैर आपन हाथ पसारने चियै।”#यसैया ६५:२
Currently Selected:
रोमी 10: MTHB
Highlight
Share
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: