YouVersion Logo
Search Icon

रोमी 12

12
परमेस्‍वरके सेबा
1तैल्‍याके हे भाइ-भैयासब, परमेस्‍वरके दयाके धियानमे राइखके हम तोरासबके बिन्‍ती करैचियौ, तुसब आत्‍मिक आराधनाके रुपमे आपन-आपन देहके पबितर आ परमेस्‍वरके मनपरैबला जिबित बलिके रुपमे चरहा। ओकर आराधना करैबला सहि तरिका एह्‍या चियै। 2अइ सनसारके लोकसब जखा देखासेखी नै कर महज आपन सोचबिचार परमेस्‍वरके परिबरतन करैले दहै। तब परमेस्‍वरके असल, मनपरैबला आ सिध इक्‍छा कथी चियै से तुसब जानबिही।
3परमेस्‍वरके देल अनुगरहसे हम तोरासबके चेताबनी दैचियौ कि, तुसब आपनके बरका नै समझ महज परमेस्‍वरके देल बिस्‍बासके नाप अनुसार तुसब जहिनङ चिही तहिनङे सोच। 4कथिलेत जनङ अपनासबके देहमे बहुतो अङसब छै, महज सब अङके काम एकेटा नै हैछै,#१ कोरन्‍थी १२:१२ 5तहिनङे अपनासब बहुतो चियै तैयो खिरिस्‍टमे एकेटा देह चियै आ अपनासब एक-दोसरके सेबा दैबला अङसब चियै। 6परमेस्‍वरके अनुगरहसे अपनासबके फरक-फरक किसिमके बरदानसब देनेछै ओहै अनुसार काम करे। यदि जकरसङे अगमबानी बोलैबला बरदान छै त उ आपन बिस्‍बास अनुसार ओकर तरफसे अगमबानी बोले।#१ कोरन्‍थी १२:४-११ 7जकरसङे सेबा करैबला बरदान छै त, उ सेबाके काम करे, जकरसङे सिक्‍छा दैबला बरदान छै त, उ निकसे सिक्‍छा दैबला काम करे। 8जकरसङे अरति-उपदेस दैबला बरदान छै त, अरति-उपदेस दैबला काम करे, दान दैबला बरदान पाबलहासब खाचोमे परलहासबके उदार-चितसे दान देबे, अगुवाइ करैबला पुरा मन लग्‍याके अगुवाइ करे, दया करैबला खुसिसाथ लोकसबके दया करे।
परेमके बारेमे सिक्‍छा
9तोरासबके परेम देखाबटी नै महज सत हेबे। खराब काम छोइरके असल काममे लागल रह। 10एक-दोसरके आपने भाइ-भैया जखा परेम कर। अपनासे बेसी दोसरके आदर कर। 11करैबला काममे कोरहिया नै बन महज पबितर आत्‍मामे जोसगर हो आ परभुके सेबा करैतरह। 12आपन आसामे आनन्‍द कर, दुख-कस्‍टमे धिरज कर आ निरन्‍तर परथना करैतरह। 13खिरिस्‍टके पबितर जनसबके खाचोमे मदत कर आ घरमे एल मेजमानसबके सेबा सत्‍कार कर। 14तोरासबके सताबैबलासबके सराप नै महज आसिरबाद दहै।#मती ५:४४, लुका ६:२८ 15आनन्‍द करैबलासबसङे आनन्‍द कर आ कानैबलासबसङे कान। 16एक-दोसरसङे मिल-जुइलके रह, घमन्‍डी नै हो, महज साधारन लोकसबसङे सङहत कर। अपनाके बुधिमान नै ठान।#हितोपदेस ३:७
17तुसब ककरो खराबके बदला खराब नै कर। जे चिज सबलोकके नजरमे आदरनिय छै, तैमे धियान दहै। 18सकभर सबकोइसङे मिल-जुइलके रह। 19हमर पिरिय भाइ-भैयासब, आपनेसे ककरो बदला नै ले महज परमेस्‍वरके करोधमे छोइरदहै। कथिलेत पबितर धरमसास्‍तरमे परमपरभु एहेन कहैछै, “बदला लैबला काम हमर चियै, हम्‍ही बदला लेबौ।”#बेबस्‍था ३२:३५ 20फेनसे दोसर ठाममे एहेन लिखल छै,
“तोहर दुस्‍मन भुख्‍याल छौ त ओकरा खाइले दहै,
उ पियासल छौ त तकरा पानी पियैले दहै।
एहेन करलासे तोहर दुस्‍मन लाजसे ओकर मुह अन्‍हार हेतै।”#हितोपदेस २५:२१-२२
21खराब बातसे हार नै मान महज खराब बातके भलाइसे जित।

Currently Selected:

रोमी 12: MTHB

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in