रोमी 9
9
परमेस्वरके चुनल जाती
1हमर कहल बात सत छै, झुठ नै, कथिलेत हम खिरिस्टके लोक चियै। पबितर आत्माके अधिनमे रहल हमर बिबेक हम झुठ नै बोलैचियै कैहके साक्छी दैछै। 2हमर परेम करल इजराएली लोकसबके लेल हमर हिरदयमे एकदम सोक आ पिरा छै। 3यदि हमर आपने जातिके इजराएली लोकसब मुक्ती पाबैछै त, हम खिरिस्टके सराप सहैले आ ओकरसे अलगो हैले तयार चियै। 4उसब इजराएली चियै आ परमेस्वर ओकरासबके आपन बेटा-बेटिसब बनेल्कै। उ आपन महिमा ओकरासबके परकट करल्कै। ओकरासबसङे करार बानहल्कै, बेबस्था देल्कै आ आराधना करैले सिखेल्कै। उसब ओकर परतिग्या पाबल्कै।#परस्थान ४:२२ 5इजराएलीसब नाम चलल पुरखासबके बेटा-बेटिसब चियै, येसु खिरिस्ट सेहो अहै जातीसे जलम लेल्कै। उ त सब जातीसबमे राज करैबला परमेस्वर चियै। ओकर परसन्सा सबदिन हैतरहे! आमेन।
6इजराएलीसब खिरिस्टमे बिस्बास नै करल्कै कहतेमे, परमेस्वर ओकरासबसङे करल परतिग्या बिफल भेलै से बात नै चियै। कथिलेत इजराएलके कुलमे जलमल सब लोकसब त परमेस्वरके लोकसब नै चियै। 7अबराहमके सन्तान कहतेमे सब ओकर बेटाबेटी नै मानल जाइछै। कथिलेत परमेस्वर अबराहमके कहल्कै से बात पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “इसहाकसे जलमल बेटा-बेटिए तोहर सन्तान हेतौ।”#उतपती २१:१२ 8अकर मतलब, अबराहमके सब सन्तान परमेस्वरके बेटाबेटी नै चियै, महज परमेस्वर देबौ कैहके परतिग्या करल बेटाबेटी मातरे अबराहमके सन्तान चियै। 9कथिलेत परमेस्वर अनङ कैहके परतिग्या करने छेलै, “दोसर बरिस अहै समयमे हम घुइमके एबौ आ तोहर घरबाली सारा एकटा बेटा जलमेतौ।”#उतपती १८:१०
10अतबे मातरे नै, रिबेका सेहो जौवा बेटासब जलमेल्कै, उ दुनु जनाके बाबु अपनासबके पुरखा इसहाक भेलै। 11जौवा बच्चा जलमैसे पहिने आ उसब असल या खराब काम करैसे पहिने परमेस्वर एकगोरा चुनल्कै। अनङ परमेस्वरके चुनैबला काम ओकर काम-काज देखके नै महज आपन उदेस्य अनुसार हैछै से साफ-साफ देखाइछै। 12जौवा बच्चा गरभमे रहते बखत रिबेकाके अनङ कहने छेलै, “जेठ बेटा छोट बेटाके सेबा करतै।” 13यि बात पबितर धरमसास्तरमे जौवा भाइके बारेमे एहेन लिखल छै, “याकुबके हम परेम करलियै, महज एसाबके घिरना करलियै।”
14परमेस्वरके करल कामसबके बिसयमे अपनासब कथी कहबै त? कि परमेस्वर अनियायी छै? बिलकुल नै! 15कथिलेत परमेस्वर मोसाके अनङ कहल्कै, “जकरा हम दया करैले चाहबै, तकरा हम दया करबै आ जकरा हम किरपा करैले चाहबै, तकरा हम किरपा करबै।”#परस्थान ३३:१९ 16ओहैसे परमेस्वर लोकके ओकर इक्छा आ बलबुतासे नै बोलाइनेछै महज परमेस्वरके किरपामे भर परैछै। 17कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे मिसरदेसके एकगोरा रजा फारोके बारेमे अनङ लिखल छै, “तोहरमे हम आपन सक्ती देखाइले आ पुरे सनसारमे आपन नाम घोसना करैके उदेस्यसे हम तोरा रजा बनाइने चियौ।”#परस्थान ९:१६ 18ओहैसे परमेस्वर जकरा दया करैले चाहैछै, तकरा दया करैछै आ जकर मनके कठोर बनाबैले चाहैछै, तकर मनके कठोर बनाइछै।
कुम्हार आ ओकर बरतन
19तोरासबमेसे कोइ-कोइ भरसक अनङ कहैत हेब्ही, “ओहेन चियै आ सब बात परमेस्वरके इक्छा अनुसार हैछै त, कथिले परमेस्वर लोकसबके दोस लगाबैछै?” 20हे लोकसब, परमेस्वरके मुहे-मुहे लागैबला तुसब के चिही? कि माटिके बरतन बनाबैबलाके “हमरा कथिले एहेन बनेलियै” कहैछै से?#यसैया २९:१६, ४५:९ 21कुम्हार आपन सानल माटिसे आपन इक्छा अनुसार बरतन बनाइछै। कि माटिके एकटा ढेरिसे कोनोके एकदमसे काम लागैबला छनगर आ कोनोके साधारन काम लागैबला बनाबैके कुम्हारके आपन इक्छाके बात नै चियै से?
22तहिनङे लोकसबसङे कनङ बेबहार करबै कहैबला बात त परमेस्वरके आपन इक्छाके बात चियै। आपन रिस आ सक्ती देखाइके ओकर आपन इक्छाके बात हैतोपरभी, उ नासके लेल तयार करल लोकसबके सङे एकदम धिरज कैरके रहलै। 23उ अहैलेल अनङ करल्कै कि आपन दया करल लोकसबके महान महिमा देखाइले चाहल्कै। ओकर दया करल आ महिमाके लेल सुरुवेसे तयार करल लोकसब हमसब चियै। 24ओकर बोलाबट पाबैबला लोकसब हमसब चियै। उ हमरासबके यहुदी मेसे मातरे नै महज गैर-यहुदीसबसे सेहो बोलाइनेछै। 25परमेस्वरके कहल बात होसे नामके अगमबक्ता अनङ लिखने छै,
“जे लोकसब हमर परजा नै छेलै
तकरासबके हम आपन परजा कैहके बोलेबै।
जकरा हम परेम नै करनेछेलियै,
तकरा हम आपन पिरिय कैहके बोलेबै।”#होसे २:२३
26तब “जै ठाममे यहुदी बाहेक औरो लोकसबके एहेन कहलगेलै,
‘तुसब हमर परजा नै छेल्ही’,
ओहै ठाममे ‘आब जिबित परमेस्वरके बेटाबेटी कहाइबिही।’”#होसे १:१०
27यसैया नामके दोसर अगमबक्ता इजराएलीसबके बारेमे एहेन कहल्कै,
“इजराएलीसबके बेटा-बेटिसबके संख्या समुन्दरके बालु जखा बहुत हेतै
तैयो बाकी रहल कमे लोकसब मातरे बच्याल जेतै।#यसैया १०:२२-२३
28कथिलेत परभु पिरथिबीमे आपन दन्ड दैबला काम जल्दिए आ पक्का पुरा करतै।”
29यसैया अगमबक्ता यि बात पहिने भबिसबानी करने छेलै,
“यदि सरबसक्तिमान परमपरभु
अपनासबके लेल सन्तान बाकी नै
राखने रहतियै त, अपनासब सदोम
आ गमोराके लोक जखा नास हेतियै।”#यसैया १:९
इजराएली लोकसबके अबिस्बास
30हमर कहैके बात यि चियै कि, गैर-यहुदीसब बेबस्था पालन कैरके परमेस्वरके नजरमे धरमी ठहरैले कोसिस नै करल्कै तैयो बिस्बास दुवारा धरमी ठहरलै। 31महज इजराएलीसब बेबस्था पालन कैरके परमेस्वरके नजरमे धरमी ठहरैले बहुत कोसिस करल्कै तैयो धरमी ठहरैले नै सक्लै। 32कथिले नै सक्लै? कथिलेत इजराएलीसब बिस्बास नै कैरके धरम-करमसे मातरे परमेस्वरके नजरमे धरमी ठहरैले ताकल्कै। तैल्याके बिस्बास नै करैबला आ धरम-करम मातरे करैबलाके लेल येसु खिरिस्ट ठेस लागैबला पथल भेलै। 33खिरिस्टके बारेमे परमेस्वरके कहल बात पबितर धरमसास्तरमे अनङ लिखल छै,
“देख, हम सियोनमे एकटा ठेस लागैबला पथल राखने चियै
आ जैमे बहुतो लोक ठेसके खैसपरतै,
महज ओकरमे बिस्बास करैबलासब लाजमे नै परतै।”#यसैया २८:१६
Currently Selected:
रोमी 9: MTHB
Highlight
Share
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: