YouVersion Logo
Search Icon

मती 2

2
ज्योतिसीसब येसुके दरसन करैले एलै
1रजा हेरोदके बखतमे यहुदिया परदेसके बेथलेहेम गाममे जब येसुके जलम भेलै, ओह्‍या बखत पुरुबसे ज्‍योतिसीसब यरुसलेममे एलै, 2आ उसब लोकसबसे पुछल्कै, “यहुदीसबके रजा भ्याके जलमल कते छै? हमसब ओकर जलमके थाह दैबला तरा पुरुबमे उगल देखलियै आ ओकरा दरसन करैले एलचियै।”
3जब हेरोद रजा यि बात सुनल्कै, तब उ बेचैन भेलै, आ ओइसबसङे पुरे यरुसलेमो बेचैन भेलै। 4तब रजा हेरोद ओतेका मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसबके बोल्याके पुछल्कै कि “खिरिस्टके जलम कते भेलै?” 5तब उसब ओकरा कहल्कै, “यहुदिया परदेसके बेथलेहेम गाममे, कथिलेत परमेस्वरके अगमबक्‍ता यि लिखने छै:
6‘ऐ बेथलेहेम, यहुदिया परदेसके गाम!
तु कोनो परकारसे यहुदिया परदेसके मुख नगरसबमेसे सासन करैबलासबमेसे ककरोसे कमजोर नै चिही,
कथिलेत तोहरसे एक गोरा सासन करैबलाके जलम हेतौ,
से हमर इजराएलके लोकसबके रखबारी करतै।’”#मिका ५:२
7तब रजा हेरोद ओइ ज्योतिससबके एकान्तमे बोल्याके तरा कोन बखतमे देखा परल छेलै, से बात ओइसबके पुछपाछ कैरके सहि समय पता लगाइल्कै। 8तकरबाद उ ओइसबके यि बात कैहके बेथलेहेम पठाइल्कै, “जो, आ असलसे ओइ बालकके खोजि कर। जब उ बालक भेटतौ तब हमरा खबर करिहे, तब हम्हु ओकरा दरसन करबै।”
9तब रजाके बात सुइनके ज्योतिससब आपन बाट चैलगेलै। जे तराके उसब पुरुबमे उगल देख्ने रहै, उ तरा ओइसबके अगा-अगा बरहैत गेलै, आ जै घरमे उ बालक छेलै, तहै घरके उपरमे पहुचके ठहैरगेलै। 10जब उसब ओइ तराके फेनो देखल्कै, तब उसब खुसीसे गदगद भेलै।
11तब उसब घर भितर ढुकलै आ माँ मरियम सङे बालकके देखल्कै। तब ठेङहुनिया द्‍याके ओकरा गोरलागल्कै आ तब आपन-आपन पेटी खोइलके सोना, सुगन्ध दैबला धुप आ महग अतरके तेल भेटी चरहेल्कै।
12तब हेरोदलग घुइमके नै जो कैहके सपनामे चेताबनी पाइबके उसब दोसर रस्ता हैत आपन देसमे घुइमके गेलै।
योसेफ मिसर देसमे गेलै
13उ ज्योतिससब गेलाके बाद, परमपरभुके एकटा दुत सपनामे योसेफलग देखा परलै आ कहल्कै, “उठ, बालक आ ओकर माँ के ल्याके मिसर देसमे भाइग जो, आ हम तोरा नै कहै तक ओतै रह। कथिलेत हेरोद बालकके मारैले ओकरा खोजी कैररहल छौ।”
14तब उ उइठके बालक आ ओकर माँ मरियमके साथमे ल्याके राइते-राइत मिसर देसमे चैलगेलै, 15आ हेरोद नै मरै तक ओतै रहलै। अहिनङके अगमबक्‍तासे परमपरभुके कहल बचन पुरा भेलै, “हम आपन बेटाके मिसर देससे बोलेलियै।”#होसे ११:१
हेरोद बालकसबके मारैले लगाइल्कै
16जब रजा हेरोद देखल्कै कि ज्योतिससब ओकरा धोखा देनेछै, तब उ तामससे चुर भ्यागेलै। ज्‍योतिसेसबसे थाह भेल्हा समय अनुसार बेथलेहेम आ ओइ इलाकामे भेल दुइ बरिस आ ओइसे कमके सब बालकसबके मारैले लगाइल्कै। 17अहिनङे परमेस्वरके अगमबक्‍ता यरमियाके कहल बात पुरा भेलै,
18“रामामे एकटा अबाज सुनल्कै,
कना-रोहैट आ बरका बिलाप,
राहेल आपन बचासबके खातिर काइनरहल छेलै।
ओकरा कोइ नै चुप कराइले सक्लै,
कथिलेत ओकर एकोटा बचा जिबित नै रहलै।”#यरमिया ३१:१५
19तब हेरोद रजा मरलाके बाद, परमपरभुके एकटा स्वरगदुत सपनामे योसेफ लग मिसरमे देखाब देल्कै आ कहल्कै, 20“उठ, बालक आ ओकर माँके सङे ल्याके इजराएल देसमे जो, कथिलेत जेसब बालकके जानसे मारैले चाहैछेलै उसब मैरगेलछै।” 21तकरबाद योसेफ उठलै आ ओकर माँ आ बालकके सङे ल्याके इजराएल देसमे घुइमके एलै।
22महज यहुदीयामे हेरोदके बेटा अरखिलाउस, आपन बाबुके ठाममे, राज कैररहलछै से बात सुइनके उ ओने जाइले डेरेलै, तब फेनो उ सपनामे परमेस्वरके चेताबनी पाइबके गालील परदेसमे गेलै। 23ओतेसे उ नासरत नामके सहरमे रहेलाग्लै। अहिनङे परमेस्वरके अगमबक्‍तासबके कहल बात पुरा भेलै: “उ नासरी कहेतै।”#मरकुस १:२४, लुका २:३९, युहन्‍ना १:४५

Currently Selected:

मती 2: MTH

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in

YouVersion uses cookies to personalize your experience. By using our website, you accept our use of cookies as described in our Privacy Policy