YouVersion Logo
Search Icon

मती 17

17
येसुके रुप बदललै
(मरकुस ९:२-१३, लुका ९:२८-३६)
1छ दिनके बाद येसु आपनसङे पतरुस, याकुब आ ओकर भाइ युहन्‍नाके ल्‍याके उच्‍का पहारमे गेलै। 2चेलासबके अगारीमे येसुके रुप बदैलगेलै। ओकर चेहरा सुरुज जखा चम्‍के लाग्‍लै आ ओकर बस्‍तर उजर चमकदार भ्‍यागेलै। 3तब अचानक चेलासब येसुके अगमबक्‍ता मोसा आ एलियासङे बातचित करैत देखल्‍कै। 4यि देखके पतरुस येसुके कहल्‍कै, “परभु, यि कतहेक असल बात चियै जे कि अपनासब अते चियै। यदि अहाँके इक्‍छा हेबे त हम अते तिनटा रहैबला पाल बनेबै, एकटा अहाँके लेल, एकटा मोसाके लेल आ एकटा एलियाके लेल!”
5पतरुस यि बात बाजतेछेलै कि तखुन्‍ते एकटा चम्‍कौवा बादल एलै आ छाहसे ओइसबके झाइपदेल्‍कै। तकरबाद ओइ बादलसे एकटा एहेन अबाज एलै, “यि हमर दुलरुवा बेटा चियै, अकरसे हम बहौत खुसी चियै, अकर बात धियानसे सुन।”#उतपती २२:२, भजनसङगरह २:७, यसैया ४२:१, मती ३:१७, १२:१८, मरकुस १:११, लुका ३:२२, बेबस्‍था १८:१५, १७:५, २ पतरुस १:१७-१८ 6जब चेलासब यि बात सुनल्‍कै तब डरके मारे मुरी गोइतलेल्‍कै। 7तब येसु लगमे आइबके ओइसबके छुइबके कहल्‍कै, “उठ, नै डेरा!” 8जब उसब आपन नजर उपर उठेल्‍कै, तब ओते येसुके मातरे देखल्‍कै।
9पहारसे निचा उतरैत बखत येसु ओइसबके आग्‍या दैत कहल्‍कै, “जाबेतक मानबके बेटा मैरके फेनसे जिबित भ्‍याके नै उठतै ताबेतक जे बात तुसब देखलिही से बात तुसब ककरो नै कहिहे।”
10तब चेलासब येसुके एहेन कैहके पुछल्‍कै, “तब धरमगुरुसब कथिले पहिने एलिया आबे परतै कहैछै?”#मलाकी ४:५ 11येसु ओइसबके जबाफ देल्‍कै, “साँचोके एलिया एतै आ सब बातसबके सुधार करतै। 12देख, हम तोरासबके कहैचियौ, एलिया त आइबगेल छै, महज लोकसब ओकरा नै चिन्‍हल्‍कै, ओइसबके जे मन लाग्‍लै ओहे करल्‍कै। अहिनङे मानबो-बेटाके ओइसबके हाथे दुख भोगे परतै।”#मती ११:१४ 13तब येसु बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍नाके बारेमे कैहरहल छै से चेलासब बुझल्‍कै।
येसु भुत लागल छौराके निक करल्‍कै
(मरकुस ९:१४-२९, लुका ९:३७-४३)
14येसु आपन चेलासबसङे भिर भेल ठाममे पुग्‍लाकेबाद एकटा लोक येसुके लग आइबके ओकर अगामे ठेङहुनिया दैत कहल्‍कै, 15“परभु, हमर बेटा उपर दया करु, कथिलेत मिरगी रोगके कारन उ एकदमे दुख काइट रहल छै। उ कहियो आइग आ कहियो पानीमे खैसपरैछै। 16हम ओकरा अहाँके चेलासबलग आन्‍ने छेलियै, महज उसब निक करैले नै सकलक।” 17तब येसु जबाफ देल्‍कै, “ए बिस्‍बास नै करैबला आ दुस्‍ट पुस्‍ता, हम कहियातक तोरासबके सङे रहबौ? कहियातक तोरासबके कमजोर बिस्‍बासके सहैत रहबौ? ओकरा अते हमरलग आन।” 18तब येसु भुत आत्‍माके डाटल्‍कै आ भुत आत्‍मा ओकरसे निकैलके गेलै। तब तखुन्‍ते उ छौरा निक भेलै।
19तकरबाद चेलासब येसुके असगरेमे पुछल्‍कै, “हमसब कथिले ओइ भुत आत्‍माके निकालैले नै सकलियै?” 20येसु उसबके जबाफ देल्‍कै, “तोरासबके बिस्‍बासमे कमी भेलाके कारन अनङ भेलै। साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, यदि तोरासबमे रायके बिया बराबर बिस्‍बास रहतौ त यि पहारके ‘अतेसे हैट जो’ कहबिही त हैटजेतौ आ तोरासबके लेल कोनो चिज असम्‍भब नै हेतौ।#मती २१:२१, मरकुस ११:२३, १ कोरन्‍थी १३:२ 21[महज एहेन किसिमके भुत आत्‍मा परथना आ उपाससे मातरे निकाले सकैछै।]”
आपन मिरतुके बारेमे येसुके दोसर भबिसबानी
(मरकुस ९:३०-३२, लुका ९:४३-४५)
22जब येसु आ ओकर चेलासब गालिलमे जम्‍मा भेलै तब येसु ओइसबके कहल्‍कै, “आब मानबके बेटा लोकसबके हाथमे सौपल जेतै। 23उसब ओकरा जानसे माइरदेतै, महज तेसर दिनमे उ फेनो जिके उठतै।” यि बात सुइनके चेलासब एकदम दुखित भेलै।
येसु मन्‍दिरमे बटी तिरल्‍कै
24जब येसु आ ओकर चेलासब कफरनहुम सहरमे पहुचलै तब बटी उठाइबलासब एलै आ पतरुसके पुछल्‍कै, “कि तोरासबके गुरु जी मन्‍दिरके बटी नै तिरैछौ?”#परस्‍थान ३०:१३, ३८:२६ 25उ कहल्‍कै, “हँ, तिरैछै।” तकरबाद पतरुस घर भितर गेलै आ येसु ओकरा पुछल्‍कै, “हे सिमोन, तु कथी बिचार करैचिही? अइ सनसारके रजासब ककरसे बटी उठाबैछै? आपने बेटासबसे कि औरो लोकसबसे?”
26तब पतरुस कहल्‍कै, “औरो लोकसबसे।” येसु ओकरा कहल्‍कै, “अकर मतलब ओकर आपन बेटासब छुट पाबल्‍कै। 27महज उसब अपनासबसे नै खिस्‍याबे कैहके, तालमे जो आ बन्‍सी फेक। तब पहिन्‍का परल माछके मुहमे एकटा चानीके डलर पैब्‍ही। उ डलर ल्‍याके अपना दुनुगोरेके बटी ओइसबके तिरदहै।”

Currently Selected:

मती 17: MTHB

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in