गलाती 1
1
1हम पावल, परेरित हैले लोकसबसे या कोनो लोकसे नै एलचियै, महज येसु खिरिस्टसे आ ओकरा मरलसे जियाइबला परमेस्वर पितासे पठालगेल चियै। 2हम आ हमरसङे भेल सब भाइ-भैयारीसबके तरफसे गलातिया परदेसके मन्डलीसबके यि चिठी लिखैचियौ।
3परमेस्वर पिता आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके तरफसे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले। 4येसु खिरिस्ट अपनासबके अइ दुस्ट सनसारसे बचाइके लेल परमेस्वर आ पिताके इक्छा मुताबिक पापके खातिर बली भेलै। 5परमेस्वरके महिमा सबदिन हैतरहे। आमेन।
साँचो सुसमाचार एकेटा मातरे छै
6तोरासब खिरिस्टके अनुगरहमे बोलाइबला परमेस्वरके अतहेक जल्दी बिसैरके दोसर सुसमाचार दिसन लागल देखके हमरा त एकदम ताजुब लाइगरहल छै। 7बास्तममे दोसर सुसमाचार नै छै, महज कोइ-कोइ एहेनछै, जे तोरासबके अलमलमे पाइरके खिरिस्टके सुसमाचारके बिगारैले चाहैछै। 8महज हमसब तोरासबके परचार कैरसकल सुसमाचारसे उल्टा सुसमाचार यदि हमरासबमेसे कोइ या कोनो स्वरगदुते परचार करैछै त, उ लोक सरापित हेबे। 9हम यि बात पहिनो कहनेचियौ आ अखुन्तो कहैचियौ, तुसबके जे सुसमाचार सुइकार करनेचिही, ओइके उल्टा कोइ परचार करैछै त, उ लोक सरापित हेबे। 10कि हम लोकसबके खुसी करैले चाहैचियै या परमेस्वरके? कि हम लोकसबके खुसी करैले चाहैचियै? यदि हम लोकसबके खुसी करने रहतियै त हम खिरिस्टके सेबक नै हेतियै।
पावलके बोलाहट
11हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हमर करल सुसमाचार परचार, लोकसे नै एलछै से बात बुझ कैहके चाहैचियौ। 12कथिलेकी हमरा यि कोनो लोकसे नै मिलल छै, नै यि हमरा सिखाइने छेलै, महज येसु खिरिस्ट आपनेसे हमरा परकट करनेछै। 13तुसब त जानैचिही, जखुन हम यहुदी धरम मानैछेलियै तै बखतके पहिन्का जिनगिके बेबहार केहन छेलै। कनङ हम परमेस्वरके मन्डलीके लोकसबके घोर अतियाचार करैछेलियै आ ओकरासबके नास करैले चाहैछेलियै।#परेरित ८:३, २२:४-५, २६:९-११ 14हम आपन जातीमे आ आपन तुरियामे ओइसबसे अगा भ्याके यहुदी धरमके पालन करैछेलियै आ हमर पितापुरखाके परमपरासबमे एकदम जोसगर छेलियै।#परेरित २२:३
15महज हमर जलम हैसे पैहनैये परमेस्वर हमरा अलग करल्कै आ अनुगरहसे हमरा आपन काम करैले बोलाइल्कै। #परेरित ९:३-६, २२:६-१०, २६:१३-१८ 16परमेस्वर हमरेसे गैर-यहुदीमे परचार हेबे कैहके आपन बेटाके हमरलग परकट करल्कै। तैबखत हम कोनो लोकसे सरसल्लाह नै करलियै। 17हमरसे पहिन्का परेरितसबसङे सल्लाह लैले हम यरुसलेम नै गेलियै, महज तुरन्ते अरब देस गेलियै आ घुइमके दमस्कस सहरमे एलियै। 18तिन बरिसके बाद मातरे हम पतरुसके भेटैले यरुसलेम गेलियै आ ओकरसङे पनर दिन रहलियै।#परेरित ९:२६-३० 19महज परभुके भाइ याकुबके छोइरके हम औरो कोनो परेरितके नै भेटलियै। 20हमर लिखल बात साँच चियै आ हम झुठ नै बोलैचियै से परमेस्वर जानैछै। 21तकरबाद हम सिरिया आ किलिकिया परदेसमे गेलियै। 22तैबखत तक यहुदिया परदेसमे भेल मन्डलीके भाइ-भैयासब कोइने हमरा देख्ने छेलै। 23उसब हमर बारेमे अतबेहेक सुन्ने रहै, “हमरासबके उपर जे पहिने अतियाचार करैछेलै आ बिस्बासके नास करैछेलै आब ओह्या लोक बिस्बासके परचार करैछै।” 24उसब हम परिबरतन भेलाके कारन परमेस्वरके परसन्सा करल्कै।
Currently Selected:
गलाती 1: MTHB
Highlight
Share
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.