YouVersion Logo
Search Icon

परेरित 28

28
पावल माल्‍टा टपुमे
1जब हमसब पखा दिसन पुगलियै तब हमरासबके मालुम भेलै कि यि टपुके नाम माल्‍टा चियै। 2ओतेका निबासी लोकसब एकदम हमरासबके दया देखेल्‍कै। ओहै बखत पानी पैररहल छेलै आ जार हेबे लाग्‍लै, तब उसब हमरासबके लेल आइग बाइरके तापैले बोल्‍याके स्‍वागत करल्‍कै। 3पावल जरना-काठी बिछके जब घुरपर राखल्‍कै त उ जारनमेसे आइगके धाहसे एकटा साँप निकैलके पावलके हाथमे ओझरागेलै। 4ओतेका लोकसब पावलके हाथमे साँप ओझराल देखके एक-दोसरसे कहेलाग्‍लै, “यि लोक पक्‍का हतियारा चियै, अइमे कोनो संका नै छै। समुन्‍दरसे त बैचके चैलएलै महज नियाय निसाफसे दुर नै रहलै।” 5महज जब पावल साँपके आइगमे झटकाइरदेल्‍कै आ पावलके कोनो नोक्‍सानी नै भेलै। 6उसब सोचै छेलै कि पावल बिखके कारन ओकर देह हरदिगुन्‍ड हेतै आ कन्‍हिके देरमे मैरजेतै, महज बहौत देर असिएलाके बादो ओकरा कुछो नै भेलै। यि देखके ओकरसबके बिचारमे बदलाव एलै आ छक परैत कहल्‍कै, “यि त देबता चियै!”
7ओइ टपुके मुखिया पब्‍लियसके घर ओहै आसपासमे छेलै। पब्‍लियस हमरासबके आपन घरमे लज्‍याके सेबा सत्‍कार करल्‍कै। हमसब तिन दिनतक ओकर घरमे मेजमान बैनके रहलियै। 8ओहै बखत पब्‍लियसके बाबु जर आ सुलवाइके पिरामे छेलै। ओहैसे पावल ओकर घर भितर ज्‍याके ओकर बाबुके लेल परथना करल्‍कै आ ओकर उपर आपन हाथ राइखके निक करल्‍कै। 9यि घटना देखके टपुके औरो रोगी-बिमारीसब आबे लाग्‍लै आ उसब निक भेलै। 10उ सब बहौत तरहसे हमरासबके सेबा सत्‍कार करल्‍कै आ जब जहाज चरहे लागलियै तब उसब हमरासबके जरुरत परैबला सरसमानसब आइनके जहाजमे राइखदेल्‍कै।
पावल माल्‍टासे रोममे एलै
11तिन महिना माल्‍टामे रहलाकेबाद हमसब एकटा जहाजमे चरहलियै जे जहाज जार मास ओतै बिताइने छेलै। उ जहाज अलेकजेन्‍डरियाके सहरके छेलै आ ओहैके अगिल्‍का भागके “जौवा देवताके” अकार बनाएल छेलै। 12हमसब सुराकुसाइ इलाकामे पुइगके तिन दिन ओतै रहलियै। 13ओतेसे पखा-पखा हैत चैलके हमसब रेगियनमे सहरमे आइबगेलियै। एक दिन बाद दखिनबरिया बिहाइर बहे लाग्‍लै आ ओकर बिहान हमसब पटिवोली सहरमे आइबगेलियै। 14ओते हमसब परभु येसुमे बिस्‍बास करैबला दाजु-भाइसबके भेटलियै। ओकरासबके अनुरोधमे हमसब हप्‍ता दिनतक ओतै रहलियै। अहिनङके हमसब रोममे आइबगेलियै। 15परभुमे बिस्‍बास करैबला रोमके बिस्‍बासीसब जब हमरासबके आबैके खबर सुनल्‍कै तब उसब हमरासबके भेट करैले रोमसे अप्‍पियस बजार आ तिन-पाटी तक एलै। ओइसबके देखके पावल परमेस्‍वरके धन्‍यबाद देल्‍कै आ साहस पाबल्‍कै।
रोममे पावलके परचार
16जब हमसब रोममे ढुकलियै, तब पावलके एकगोरा सिपाहीके रेखदेखमे असगरे रहैके अनुमति भेटलै।
17तिन दिनके बाद पावल रोमके यहुदी अगुवासबके बोलाइल्‍कै। जब उसब एक ठाम जम्‍मा भेलै ओइसबके कहल्‍कै, “हौ दाजु-भाइसब, हम त आपन जातके लोकसबके आ पितापुरखाके रितिरिबाजके बिरोधमे कुछो नै कैलाके बादो यरुसलेमके यहुदी दाजु-भाइसब बन्‍दी बनाके रोमीसबके हाथमे सौप देलक। 18रोमीसब पुछताछ करलाके बाद हमरा छोरैले चाहल्‍कै कथिलेकी उसब हमरा मिरतुदन्‍ड दैले कोनो दोस नै भेटेल्‍कै। 19महज जब यहुदी दाजु-भाइसब रोमी अधिकारीसबके निरनयके बिरोध करेलाग्‍लै तब हमर यहुदी जातीके बिरोधमे कोनो कसुर लगाबैके बात नै भेलाके बादो कैसर लग बिन्‍ती करैले लगेल्‍कै। 20इजराएलीसबके आसा करल मुक्‍ती दैबला रजाके लेल हम अनङके झिझिरसे बान्‍हल गेल छी। यि बात बुझाबैले आ अहाँसबसे भेट कैरके बातचित करैले बोलेलियै।”
21यि सुइनके उसब कहल्‍कै, “हमसब अहाँके बारेमे यहुदियासे कोनो चिठी-पतर नै पाबनेचियै आ नै ओतेसे आइबके कोनो दाजु-भाइसब अहाँके बिरोधमे कोनो नै निक बात कहलक या नै सुनेलक। 22महज हमसब अहाँके बिचार सुनैले चाहैचियै कथिलेत अहाँके दलके बिरोध सब दिसन भ्‍यारहल छै से हमसब जानैचियै।”
23तकरबाद उसब पावलके बात सुनैके लेल दिनके निस्‍चित करल्‍कै आ उ निस्‍चित करलाहा दिनमे पहिनेके दिनसे बेसी लोक पावल रहल ठाममे भेटैले एलै। उ ओइसबके अनगुतसे ल्‍याके साँझ पहरतक बतेल्‍कै आ परमेस्‍वरके राजके बारेमे गबाही देल्‍कै आ मोसाके बेबस्‍था आ अगमबक्‍ताके किताबसे येसुके बारेमे कैहके बिस्‍बासमे लाबैके कोसिस करल्‍कै। 24कतहेक गोरा बुइझके बिस्‍बास करल्‍कै त, कतहेक गोरा नै करल्‍कै। 25उसब एक-दोसरमे बताबती करेलाग्‍लै आ ओतेसे बिदा हैबखत पावल ओइसबके अहिना कहल्‍कै, “पबितर आत्‍मा तोरासबके पुरखासबके कहल बात साँचे छै कथिलेत यसैया अगमबक्‍तासे उ एहेन कहल्‍कै-
26यि लोकसबलग ज्‍याके कह,
‘सुनैले त तुसब सुनैचिही, महज नै बुझैचिही,
ताकैले त ताकैचिही, महज नै देखैचिही!’
27कथिलेत यि लोकसबके हिरदय कठोर छै,
ओकरसबके कान बैहर भेल छै,
तब उसब आपन-आपन आँख बन कैरलेने छै!
नै त उसब देखतियै,
सुनतियै आ मनसे बुझतियै, तब उसब मन फिराके हमर दिसन घुइमके एतियै
आ हम ओकरासबके तन्‍दरुस्‍त बनाइतियै।”
28“अहैलेल तोरासबके थाह हेबे कि परमेस्‍वरके यि मुक्‍ती गैर-यहुदीके लेल पठालगेल छै आ उसब सुन्‍तै।”
29[पावल यि बात कहलाके बाद उसब एक-दोसरसे खुब बताबती करैत चैलगेलै।]
30पावल दुइ बरिसतक आपने खरच कैरके रोममे रहलै आ ओकरलग आबैबला सबगोराके स्‍वागत सत्‍कार करल्‍कै। 31बिना रोकटोक निडर भ्‍याके परमेस्‍वरके राजके परचार करल्‍कै आ परभु येसु खिरिस्‍टके बारेमे सिखाबैछेलै।

Currently Selected:

परेरित 28: MTHB

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in