२ कोरन्थी 13
13
आखिरी चेताबनी
1हम तेसर बेर तोरासबलग आइबरहलचियौ। पबितर धरमसास्तर अनुसार, “दुइ वा तिन साक्छीसबके कहल बातसे मातरे कोनो बात सत कैहके साबित हैछै।”#बेबस्था १७:६, १९:१५ 2दोसर बेर तोरासबके बिचमे हैतकाल हम तोरासबके चेताबनी देल जखा आब तोरासबके बिचमे नहियो चियै तैयो चेताबनी दैचियौ। हम फेर एबौ त पहिने पाप करलाहासबके आ औरो ककरो नै छोरबौ। 3ओइ बखत खिरिस्ट हमर दुवारा बोलैछै कि नै बोलैछै कैहके तुसब परमान भेटाइबिही। तोरासबसङे काम करैतखिना उ कमजोर नै महज सक्तिसाली छै। 4कथिलेत उ कमजोर भ्याके कुरूसमे टाङलगेलै महज परमेस्वरके सक्तिसे जिबित भेलै। तहिनङे हम्हुसब ओकरसङे कमजोर भेलचियै, महज परमेस्वरके सक्तिसे खिरिस्टके लया जिबन अपनासबमे सेहो छै आ उ जिबनके सक्ती तोरासबसङे बेबहार करैतखिना देखल जेतै।
5तुसब बिस्बासमे चिही कि नै चिही से आपनेसे जाँइचके देख। यदि जाँचमे असफल नै हेब्ही त खिरिस्ट तोरासबमे छौ कैहके थाहे हेतौ। 6हम आस करैचियै, कि हमसब जाँचमे असफल नै भेलचियै से तोरासबके थाहेछौ। 7महज तुसब असल जिबन जि कैहके हमसब परमेस्वरमे परथना करैचियै। हमसब आपने निक देखाबैके लेल परथना नै करैचियै, महज हमसब असफल जखा हेबै तैयो तुसब निक काम कर। 8कथिलेत सतके बिरोधमे हमसब किछो करैले नै सक्बै, महज सतके लेल मातरे काम करेसकैचियै। 9हमसब कमजोर भेलियै तैयो तुसब बौकार चिही तहैमे हमसब खुस चियै आ तुसब परिपक हैले सक कैहके परथना करैचियौ। 10हम तोरासबसे दुर भेल बखत यि लिखैचियौ, ताकि तोरासबलग एबौ त परभुके देल अधिकारके करासाथ परयोग करैले नै परे। यि अधिकार तोरासबके बिगारके लेल नै महज सुधारैके लेल हमरा देनेछै।
अन्तिम गोरलगी
11अन्तमे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, आब हम बिदा हैत बेर, तोरासबके यि कहैले चाहैचियौ, कि जीजानसे सिध हैले कोसिस कर। हमर बिन्ती सुन, एक-दोसरके बात सुन आ सान्तीमे रह। सान्ती आ परेम दैबला परमेस्वर तोरासबसङे रहे। 12तुसब एक-दोसरके पबितर परेमसे गोरलगी कर। 13अते भेल परमेस्वरके जनसब तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ। 14परभु येसु खिरिस्टके अनुगहर, परमेस्वर पिताके परेम आ पबितर आत्माके संगती तोरासबके सङे हैतरहे।
Currently Selected:
२ कोरन्थी 13: MTHB
Highlight
Share
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.