२ कोरन्थी 10
10
पावलके सेबा
1हम पावल, तोरासबके सामने डरपोक चियै, महज दुर रहैबेर हम तोरासब परती साहसी हैचियै कैहके तोरासबके बिचमे हल्ला चललछै कहाने। खिरिस्टके नमरता आ दयासे हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, 2हम तोरासबलग एबौ त उ कठोरता नै देखाइले परे जे कठोरता हमसब सनसारके लोकसब जखा चलैचियै कैहके संका करैबला लोकसबके देखाइके लेल हम निस्चय करनेचियै। 3कथिलेत हमसब सनसारमे चियै तैयो सनसारके लोकसब जखा हमसब आपन सतरुसबसङे लराइ-झगरा नै करैचियै। 4हमरासबके हाथ-हथियार त सनसारके नै छै, महज हमरासबसङे परमेस्वरके सक्तिसाली हाथ-हथियार छै, जै हाथ-हथियारसे सैतानके सक्तिके खतम कैरदैछै आ बेकारके बाद-बिबादके नास कैरदैछै। 5परमेस्वरके सत ग्यानके बिरोधमे उठैबला बहस आ घमन्डसे भरल बाधाके हमसब नास करैचियै आ सब खराब बिचारके खिरिस्टके आग्यापालन कराबैले बसमे करैचियै। 6जब तुसब पुरा रुपसे खिरिस्टके आग्या मानबिही तब आग्या नै मानैबलासबके सजाय दैकेलेल हमसब तयार हेबै।
7तुसब त बाहरमे देखैबला बात मातरे देखैचिही। यदि कोइ उ खिरिस्टके चियै कैहके बिस्बास करैछै त, उ आपने आपके याद करे कि जहिना उ खिरिस्टमे छै तहिना हम्हुसब खिरिस्टके चियै। 8परभुके देल हमरासबके अधिकारके बारेमे हम बरका बरका बात करबै तैयो लाजमे नै परबै, कथिलेकी यि अधिकार तोरासबके बिगार करैके लेल नै महज सुधारके लेल चियै। 9हम चिठीसब लिखके तोरासबके डर देखाइले नै चाहैचियौ। 10कतहेक लोक कहैछै, “पावलके चिठीसब गम्भिर आ करा हैछै, महज उ आपने हैतकाल कमजोर हैछै आ ओकर बोली कोनो महत्वके नै हैछै।”
11ओहेन लोकसब यि बात बुझे कि, हमसब दुर रैहके चिठीमे जे लिखके पठाबैचियै, तोरासबके बिचमे हैतकाल ओह्या काम करैचियै। 12आपनके बरका सम्झैबला लोकसबसङे हमसब आपनके एकेटा दरजामे या तुलना करैले साहस नै करैचियै, महज उसब आपने आपके एक-दोसरसङे नाइपके देखैछै या तुलना करैछै आ उसब मुरुख लोक जखा हैछै।
13हमसब आपन अधिकारके सिमासे बाहर ज्याके घमन्ड नै करैचियै, महज परमेस्वरके तोकल सिमामे रैहके गर्भ करैचियै आ ओइसबके बिचमे काम करैके लेल सेहो ओहै सिमा भितर रैहके करैचियै। 14हमसब आपन काम करैबला सिमासे बाहर ज्याके घमन्ड नै करैचियै, कथिलेकी सबसे पहिने तोरासबलग खिरिस्टके सुसमाचार आनैबला हम्हीसब चियौ। 15हमसब सिमा नाइङहके दोसरके मेहनतमे घमन्ड नै करैचियै, महज हमरासबके आसा यि छै कि तोरासबके बिस्बास बढते जाइबखत तोरासबके बिचमे हमरासबके कामके सिमा औरो बेसिसे फैलते जाए। 16तब हमसब तोरासबसे दुर-दुरके ठामसबमे सेहो सुसमाचार परचार करैले सक्बै, कथिलेत दोसरके काम करल ठाममे ज्याके हमसब काम करनेचियै कैहके घमन्ड करैले नै चाहैचियै। 17पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “जे कोइ घमन्ड करैछै त, उ परभुमे घमन्ड करे।”#यरमिया ९:२४ 18कथिलेकी जे आपन तारिफ आपनेसे करैछै, उ कोनो महत्वके बात नै चियै, महज जकर तारिफ परभु करैछै उ बहौत मुल्यबानके ठानल जाइछै।
Currently Selected:
२ कोरन्थी 10: MTHB
Highlight
Share
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.