YouVersion Logo
Search Icon

रोमी 1

1
1ई पत्र मसीह यीशुक सेवक पौलुसक दिस सँ अछि, जे मसीह-दूत होयबाक लेल बजाओल गेलहुँ आ परमेश्‍वरक ओहि शुभ समाचारक प्रचार करबाक लेल अलग कयल गेल छी, 2जाहि शुभ समाचारक सम्‍बन्‍ध मे परमेश्‍वर पहिनहि सँ अपन प्रवक्‍ता सभक माध्‍यम सँ पवित्र धर्मशास्‍त्र मे वचन देने छथि।
3ई शुभ समाचार परमेश्‍वरक पुत्रक विषय मे अछि, जे मानवीय वंशावलीक अनुसार दाऊदक वंशज छलाह, 4आ मुइल सभ मे सँ जीबि उठबाक कारणेँ परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍मा द्वारा सामर्थ्‍यक संग परमेश्‍वरक पुत्र प्रमाणित भेलाह। ओ छथि अपना सभक प्रभु, यीशु मसीह। 5हुनका द्वारा आ हुनकर नामक सम्‍मानक लेल हमरा सभ केँ मसीह-दूत बनबाक वरदान भेटल अछि जाहि सँ सभ जातिक लोकक बीच हम सभ हुनकर प्रचार करी आ ओ सभ विश्‍वास कऽ कऽ हुनकर अधीनता स्‍वीकार करनि। 6ओहि लोक सभ मे अहूँ सभ छी, अहाँ सभ जे सभ यीशु मसीहक अपन लोक होयबाक लेल बजाओल गेल छी।
7अहाँ सभ जे रोम शहर मे परमेश्‍वरक प्रिय लोक छी आ पवित्र होयबाक लेल बजाओल गेल छी, अहाँ सभ गोटे केँ हम ई पत्र लिखि रहल छी। अपना सभक पिता परमेश्‍वर आ प्रभु यीशु मसीह अहाँ सभ पर कृपा करथि आ अहाँ सभ केँ शान्‍ति देथि।
रोम जयबाक पौलुसक हार्दिक इच्‍छा
8सर्वप्रथम हम यीशु मसीहक माध्‍यम सँ अहाँ सभक लेल अपना परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद दैत छिऐन, किएक तँ अहाँ सभक विश्‍वासक चर्चा समस्‍त संसार मे पसरि रहल अछि। 9जाहि परमेश्‍वरक सेवा हम हुनकर पुत्रक शुभ समाचारक प्रचार कऽ कऽ अपन सम्‍पूर्ण हृदय सँ करैत छी, सैह हमर साक्षी छथि जे हम प्रार्थना सभ मे निरन्‍तर अहाँ सभ केँ स्‍मरण करैत रहैत छी, 10आ सदिखन ई विनती करैत छिऐन जे, जँ हुनकर इच्‍छा छनि, तँ ओ अन्‍त मे हमरा लेल अहाँ सभ लग अयबाक कोनो ने कोनो उपाय करताह। 11किएक तँ हमरा अहाँ सभ सँ भेँट करबाक बड्ड इच्‍छा अछि, जाहि सँ अहाँ सभ केँ विश्‍वास मे दृढ़ बनयबाक लेल, हम आत्‍मिक रूप सँ अहाँ सभक मदति कऽ सकी। 12वा एकरा एहि तरहेँ कहू—हम चाहैत छी जे अपना सभ एक संग रहि कऽ एक-दोसराक विश्‍वास द्वारा प्रोत्‍साहित होइ—अहाँ सभ हमरा विश्‍वास द्वारा आ हम अहाँ सभक विश्‍वास द्वारा। 13यौ भाइ लोकनि, हम नहि चाहैत छी जे अहाँ सभ एहि बात सँ अनजान रहू जे कतेको बेर हम अहाँ सभक लग अयबाक योजना बनौने छलहुँ, जाहि सँ जहिना दोसर गैर-यहूदी सभक बीच हम फलदायक काज कऽ सकलहुँ, तहिना अहूँ सभक बीच कऽ सकी, मुदा एखन तक ओहि योजना मे कोनो ने कोनो बाधा अबैत रहल अछि। 14हमरा यूनानी आ गैर-यूनानी सभक प्रति, और ज्ञानी आ अज्ञानी सभक प्रति एक दायित्‍व निर्वाह करबाक अछि। 15एहि लेल हम रोम मे सेहो अहाँ सभक बीच यीशु मसीहक शुभ समाचारक प्रचार करबाक लेल उत्‍सुक छी।
16हम ई शुभ समाचार सुनाबऽ सँ लज्‍जित नहि होइत छी, किएक तँ ई शुभ समाचार ओ माध्‍यम अछि जाहि द्वारा परमेश्‍वर अपना सामर्थ्‍य सँ प्रत्‍येक विश्‍वास कयनिहार लोकक उद्धार करैत छथि, पहिने यहूदी सभक आ फेर आन जातिक लोक सभक। 17एहि शुभ समाचार मे परमेश्‍वरक ओ योजना प्रगट होइत अछि जाहि योजना द्वारा ओ अपना नजरि मे लोक केँ धार्मिक ठहरबैत छथि, आ ई धार्मिकता शुरू सँ अन्‍त तक विश्‍वास पर आधारित अछि, जेना धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे, “जे विश्‍वास द्वारा धार्मिक ठहराओल गेल अछि, से जीवन प्राप्‍त करत।#1:17 वा, “धार्मिक मनुष्‍य विश्‍वास सँ जीवित रहत।” वा, “धार्मिक मनुष्‍य अपना विश्‍वास द्वारा जीवन प्राप्‍त करत।” #1:17 हबक 2:4
मनुष्‍यक अधर्मक प्रति परमेश्‍वरक क्रोध
18परमेश्‍वरक क्रोध ओहन लोक सभक सभ प्रकारक अधर्म आ दुष्‍टता पर स्‍वर्ग सँ प्रगट भऽ रहल अछि जे सभ अपना दुष्‍टता द्वारा सत्‍य केँ झाँपि कऽ रखने अछि। 19कारण, परमेश्‍वरक सम्‍बन्‍ध मे जे किछु जानल जा सकैत अछि से ओकरा सभ पर स्‍पष्‍ट रूप सँ प्रगट भेल अछि। परमेश्‍वर अपने ओकरा सभ पर एहि बात केँ प्रगट कऽ देने छथिन। 20किएक तँ परमेश्‍वरक अदृश्‍य गुण, अर्थात् हुनकर अनन्‍त कालीन शक्‍ति आ ईश्‍वरीय स्‍वभाव, संसारक सृष्‍टिएक समय सँ हुनका रचना मे साफ-साफ देखाइ दैत अछि। तेँ ओकरा सभ केँ अपन आचरणक सफाइ देबाक कोनो बहाना नहि चलतैक। 21किएक तँ ओ सभ परमेश्‍वर केँ जनितो ने हुनका परमेश्‍वर मानि कऽ समुचित आदर कयलकनि आ ने हुनका धन्‍यवाद देलकनि। ओ सभ निरर्थक कल्‍पना सभ मे पड़ि गेल आ ओकरा सभक विवेकहीन मोन अन्‍हार सँ भरि गेलैक। 22ओ सभ अपना केँ बुद्धिमान बुझलक मुदा मूर्ख बनि गेल। 23ओ सभ अविनाशी परमेश्‍वरक वैभव आ महानताक स्‍थान पर नाशवान मनुष्‍य, चिड़ै-चुनमुन, चौपाया जानबर आ साँपक आकार मे बनाओल मूर्ति सभ केँ परमेश्‍वरक समतुल्‍य मानि अपनौलक।
24एहि लेल परमेश्‍वर ओकरा सभ केँ ओकर अपन हृदयक काम-वासनाक अशुद्धता मे छोड़ि देलथिन जाहि सँ आपस मे ओ सभ अपना शरीर केँ अपवित्र करऽ लागल। 25ओ सभ परमेश्‍वरक सत्‍यक बदला झूठ केँ अपनौलक आ सृष्‍टि कयल वस्‍तु सभक पूजा आ सेवा कयलक—नहि कि ओहि सृष्‍टिकर्ताक, जे सर्वदा धन्‍य छथि। आमीन।
26यैह कारण अछि जे परमेश्‍वर ओकरा सभ केँ नीच वासना सभ मे छोड़ि देलथिन। ओकरा सभक स्‍त्रिओ स्‍वभाविक सम्‍बन्‍धक स्‍थान पर अस्‍वभाविक सम्‍बन्‍ध राखऽ लागलि। 27एही तरहेँ पुरुष सभ सेहो स्‍त्रीक संग होमऽ वला स्‍वभाविक सम्‍बन्‍ध केँ छोड़ि पुरुषक संग वला काम-वासनाक लेल उत्तेजित होमऽ लागल। पुरुष पुरुषेक संग निर्लज्‍ज कर्म कऽ अपने व्‍यक्‍तित्‍व मे अपन दुराचरणक उचित फल पौलक।
28एहि तरहेँ ओ सभ जखन परमेश्‍वरक सत्‍य-ज्ञान केँ रखनाइ महत्‍वपूर्ण नहि बुझलक तँ परमेश्‍वर ओकरा सभ केँ भ्रष्‍ट मोनक वश मे छोड़ि देलथिन जाहि सँ ओ सभ अनुचित काज करय, 29-30और तेँ ओ सभ हर प्रकारक अधर्म, दुष्‍टता, लोभ, द्वेष आ ईर्ष्‍या, हत्‍या, झगड़ा, छल-कपट आ डाह सँ भरि गेल अछि। ओ सभ चुगली लगौनिहार, निन्‍दा कयनिहार, परमेश्‍वर सँ घृणा कयनिहार, जिद्दी, घमण्‍डी और अहंकारी अछि। ओ सभ अधलाह काज करबाक नव-नव तरीका सभ गढ़ैत रहैत अछि, माय-बाबूक आज्ञाक उल्‍लंघन करैत अछि, 31ओ सभ विवेकहीन, विश्‍वासघाती, प्रेम-शुन्‍य और निर्दयी भऽ गेल अछि। 32ओ सभ परमेश्‍वरक ई उचित फैसला जनैत अछि जे एहन काज कयनिहार मृत्‍युदण्‍ड पयबाक जोगरक अछि, तैयो ओ सभ मात्र अपने नहि एहन काज करैत अछि, बल्‍कि एहन काज कयनिहार लोक सभक समर्थन सेहो करैत अछि।

Currently Selected:

रोमी 1: mai

Highlight

Share

Compare

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in