YouVersion Logo
Search Icon

मसीह-दूत 28

28
माल्‍टा द्वीप मे हमरा सभक स्‍वागत
1हम सभ जखन कछेर पर पहुँचलहुँ तँ पता लागल जे एहि द्वीपक नाम माल्‍टा अछि। 2ओहिठामक निवासी सभ हमरा सभक संग बहुत उदार भाव सँ व्‍यवहार कयलक। वर्षा भऽ रहल छल आ जाड़ लागि रहल छल, तँ ओ सभ आगिक घूर बना कऽ हमरा सभक स्‍वागत कयलक। 3पौलुस जारनि-काठी बिछि कऽ घूर पर जखन रखलनि तँ ओहि मे सँ आगिक ताव लगला सँ एकटा साँप निकलि कऽ पौलुसक हाथ मे लटकि गेलनि। 4हुनका हाथ मे साँप लटकल देखि, द्वीपक निवासी सभ एक-दोसर केँ कहऽ लागल, “ई आदमी पक्‍का हत्‍यारा अछि! समुद्र सँ तँ बचि कऽ आबि गेल, मुदा न्‍याय-देवी ओकरा जीबऽ नहि देथिन।” 5एम्‍हर पौलुस साँप केँ आगि मे झाड़ि देलनि, आ हुनका किछु नहि भेलनि। 6ओकरा सभ केँ होइत छलैक जे, एकर शरीर आब फुलि जयतैक वा ई एकाएक खसि कऽ मरि जायत, मुदा बहुतो काल प्रतीक्षा कयलाक बाद जखन देखलक जे एकरा किछुओ नहि भऽ रहल छैक, तँ ओ सभ अपन विचार बदलि कऽ कहऽ लागल, “ई तँ देवता छथि!”
7ओहिठाम सँ लगे, द्वीपक मुखियाजी पुबलियुसक घर और जमीन छलनि। ओ हमरा सभक स्‍वागत कयलनि और अपना हवेली मे प्रेम भाव सँ तीन दिन धरि अतिथि-सत्‍कार कयलनि। 8हुनकर पिताजी ओहि समय मे बोखार आ सुलबाहि सँ पीड़ित छलनि। पौलुस हुनका कोठली मे जा कऽ हुनका लेल प्रार्थना कयलनि, आ हुनका पर हाथ राखि कऽ स्‍वस्‍थ कऽ देलथिन। 9ई बात बुझि द्वीपक आरो रोगी सभ आबऽ लागल आ ओहो सभ स्‍वस्‍थ भऽ गेल। 10ओ सभ विभिन्‍न प्रकार सँ हमरा सभक आदर-सत्‍कार कयलक, और जखन फेर चलबाक समय भऽ गेल तँ ओ सभ हमरा सभक रस्‍ताक लेल आवश्‍यक वस्‍तु सभ आनि जहाज पर राखि देलक।
माल्‍टा सँ रोम
11माल्‍टा द्वीप मे तीन मास रहलाक बाद हम सभ एक जहाज पर चढ़लहुँ जे माल्‍टा मे जाड़ मास बितौने छल। ओ जहाज सिकन्‍दरिया नगरक छल और ओहि पर “जौंआदेवता”क आकृति बनाओल गेल छलैक। 12हम सभ ओहि जहाज सँ विदा भेलहुँ आ सुरकूसा नगर मे रूकि कऽ ओतऽ तीन दिन रहलहुँ। 13ओतऽ सँ फेर काते-कात आगाँ बढ़ैत रेगियुम बन्‍दरगाह मे पहुँचलहुँ। एक दिनक बाद जखन दछिनाही-पवन बहऽ लागल तँ ओतऽ सँ फेर विदा भेलहुँ आ दोसर दिन पुतियुली नगर मे अयलहुँ। 14ओतऽ हमरा सभ केँ किछु विश्‍वासी भाय सभ भेँट भेलाह। हुनका सभक आग्रह पर हम सभ सात दिन हुनका सभक ओहिठाम ठहरलहुँ। एहि तरहेँ हम सभ रोम महानगर पहुँचलहुँ। 15रोमक विश्‍वासी भाय सभ जखन हमरा सभक बारे मे ई सुनलनि जे हम सभ आबि रहल छी तँ हमरा सभ सँ भेँट करबाक लेल ओ सभ रोम सँ “अपियुस चौक” आ “तीन सराय” तक अयलाह। पौलुस हुनका सभ केँ जखन देखलनि तँ परमेश्‍वरक धन्‍यवाद कयलनि आ प्रोत्‍साहित भेलाह। 16हम सभ जखन रोम शहर मे पहुँचलहुँ तँ पौलुस केँ एक सैनिकक पहरा मे अपन अलग डेरा मे रहबाक अनुमति भेटलनि।
रोम मे यहूदी सभक संग वार्त्तालाप
17तीन दिनक बाद पौलुस रोमक प्रमुख यहूदी सभ केँ बजौलनि। ओ सभ जखन आबि गेलाह तँ पौलुस हुनका सभ केँ कहलथिन, “बाबू-भैया लोकनि, हम अपना सभक यहूदी जातिक विरोध मे वा पूर्वज सभक प्रथाक विरोध मे किछु नहि कयने छी, मुदा तैयो यरूशलेमक यहूदी सभ हमरा बन्‍दी बना कऽ रोमी सभक हाथ मे सौंपि देलनि। 18रोमी शासनक अधिकारी सभ हमरा सँ पूछ-ताछ कऽ कऽ हमरा मुक्‍त करऽ चाहलनि, कारण मृत्‍युदण्‍डक योग्‍य हम कोनो काज नहि कयने छलहुँ। 19मुदा यहूदी सभ जखन रोमी अधिकारी सभक निर्णयक विरोध कयलनि तँ हमरा सम्राट-कैसर लग अपील करऽ पड़ल। ई बात नहि छल जे हमरा अपन जातिक लोक सभ पर कोनो अभियोग लगयबाक छल। 20एही कारणेँ हम अपने लोकनि केँ बजा कऽ बात-चीत करऽ चाहैत छलहुँ। जिनका पर यहूदी लोक अपन सभ आशा रखने छथि, तिनके कारण हम एहि जिंजीर सँ बान्‍हल छी।”
21ओ सभ उत्तर देलथिन, “हमरा सभ केँ यहूदिया प्रदेश सँ अहाँक सम्‍बन्‍ध मे ने कोनो पत्र भेटल अछि, आ ने ओतऽ सँ आयल भाय सभ मे सँ केओ औपचारिक वा अनौपचारिक रूप सँ अहाँक विरोध मे किछु कहने अछि। 22अहाँक विचार आ विश्‍वासक सम्‍बन्‍ध मे हम सभ अहीं सँ सुनऽ चाहैत छी, कारण, एहि पंथक विषय मे एतेक जनैत छी जे सभ ठाम लोक एकर विरोध कऽ रहल अछि।”
23तँ ओ सभ पौलुसक बात सुनबाक लेल एक दिन निश्‍चित कयलनि, आ ओहि दिन पहिल दिन सँ बेसी संख्‍या मे ओ सभ हुनका ओहिठाम अयलाह। भोर सँ लऽ कऽ साँझ तक ओ हुनका सभ केँ परमेश्‍वरक राज्‍यक शुभ समाचार सुनौलथिन, और मूसाक धर्म-नियम सँ आ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभक लेख सँ यीशुक बारे मे हुनका सभ केँ बुझयबाक प्रयत्‍न कयलनि। 24किछु लोक हुनकर बात मानि कऽ विश्‍वास कयलनि, मुदा किछु लोक अविश्‍वासिए रहि गेलाह। 25ओ सभ आपस मे वाद-विवाद करऽ लगलाह, और पौलुसक एहि अन्‍तिम बातक बाद विदा होमऽ लगलाह जे, “पवित्र आत्‍मा अपन प्रवक्‍ता यशायाह द्वारा बाजि अहाँ सभक पूर्वज लोकनि केँ ई बात एकदम ठीक कहलनि जे,
26‘एहि जाति लग जा कऽ कहक जे,
तोँ सभ सुनैत रहबह, मुदा बुझबह नहि।
तोँ सभ तकैत रहबह, मुदा सुझतह नहि।
27कारण, एहि लोक सभक मोन मे ठेला पड़ि गेल छैक,
एकरा सभक कान बहीर भऽ गेल छैक।
ई सभ आँखि मुनि लेने अछि,
जाहि सँ कतौ एना नहि होअय जे
आँखि सँ देखय,
कान सँ सुनय,
मोन सँ बुझय,
आ घूमि कऽ हमरा लग आबय
और हम ओकरा सभ केँ स्‍वस्‍थ कऽ दिऐक।’#28:27 यशा 6:9, 10
28तेँ अहाँ सभ ई बात बुझि लिअ जे परमेश्‍वरक उद्धारक ई शुभ समाचार गैर-यहूदी सभ लग पठाओल गेल अछि, और ओ सभ स्‍वीकार करत!”
29[पौलुसक एतेक कहलाक बाद यहूदी सभ आपस मे बहुत पैघ वाद-विवाद करैत चल गेलाह।]#28:29 किछु हस्‍तलेख सभ मे पद 29 मे लिखल बात नहि पाओल जाइत अछि।
कैद मे प्रचार
30पौलुस ओहिठाम अपन किरायाक घर मे पूरा दू वर्ष धरि रहलाह। जे लोक सभ भेँट करबाक लेल हुनका ओहिठाम अबैत छलाह, तिनका सभक ओ स्‍वागत करैत छलथिन, 31और बिनु कोनो रुकाबट केँ ओ निडर भऽ कऽ परमेश्‍वरक राज्‍यक विषय मे प्रचार करैत रहलाह और प्रभु यीशु मसीहक सम्‍बन्‍ध मे शिक्षा दैत रहलाह।

Highlight

Share

Compare

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in