1
प्रकाशित-वाक्य 3:20
jivən səndesh
mai
देखू, हम द्वारि पर ठाढ़ भऽ कऽ केबाड़ ढकढकबैत आवाज दऽ रहल छी। जँ केओ हमर आवाज सुनि केबाड़ खोलत, तँ हम ओकरा लग भीतर आबि कऽ ओकरा संग भोजन करबैक आ ओ हमरा संग।
Compare
Explore प्रकाशित-वाक्य 3:20
2
प्रकाशित-वाक्य 3:15-16
हम अहाँक काज सभ सँ परिचित छी। हम जनैत छी जे अहाँ ने तँ ठण्ढा छी आ ने गरम। नीक रहैत जे अहाँ चाहे ठण्ढा रहितहुँ वा गरम! तेँ हम अपना मुँह सँ अहाँ केँ उगिलि देब, किएक तँ अहाँ ने ठण्ढा छी ने गरम, बल्कि सुसुम छी।
Explore प्रकाशित-वाक्य 3:15-16
3
प्रकाशित-वाक्य 3:19
हम जकरा सभ सँ प्रेम करैत छी, तकरा सभ केँ डँटैत छिऐक आ सजाय दऽ कऽ सुधारैत छिऐक। एहि लेल तन-मन-धन सँ हमर बात मानू आ अपना पापक लेल पश्चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू।
Explore प्रकाशित-वाक्य 3:19
4
प्रकाशित-वाक्य 3:8
हम अहाँक काज सभ सँ परिचित छी। देखू, हम अहाँक सामने एक द्वारि खोलि कऽ रखने छी जकरा केओ बन्द नहि कऽ सकैत अछि। हम जनैत छी जे अहाँ केँ बेसी बल नहि अछि, तैयो अहाँ हमर शिक्षाक पालन कयने छी आ एहि बात केँ अस्वीकार नहि कयने छी जे अहाँ हमर लोक छी।
Explore प्रकाशित-वाक्य 3:8
5
प्रकाशित-वाक्य 3:21
जहिना हम विजयी भऽ कऽ अपन पिताक संग हुनका सिंहासन पर बैसि रहलहुँ, तहिना जे सभ विजय प्राप्त करत, तकरा सभ केँ हम अपना संग सिंहासन पर बैसबाक अधिकार देबैक।
Explore प्रकाशित-वाक्य 3:21
6
प्रकाशित-वाक्य 3:17
अहाँ कहैत छी जे, “हम धनवान छी, हम सुखी-सम्पन्न भऽ गेलहुँ, हमरा कोनो बातक अभाव नहि अछि।” मुदा अहाँ नहि जनैत छी जे अहाँक दशा कतेक खराब अछि। अहाँ अभागल, गरीब, आन्हर आ नाङट छी।
Explore प्रकाशित-वाक्य 3:17
7
प्रकाशित-वाक्य 3:10
हम जे अहाँ केँ सहनशीलताक संग स्थिर रहबाक आदेश देलहुँ, तकर अहाँ पालन कयलहुँ, तेँ हमहूँ अहाँ केँ ओहि विपत्तिक घड़ी मे सुरक्षित राखब जे पृथ्वीक निवासी सभक परीक्षा लेबाक लेल सम्पूर्ण संसार पर आबऽ वला अछि।
Explore प्रकाशित-वाक्य 3:10
8
प्रकाशित-वाक्य 3:11
हम जल्दिए आबऽ वला छी। जे बात अहाँ लग अछि, ताहि पर दृढ़ बनल रहू, जाहि सँ अहाँक मुकुट सँ केओ अहाँ केँ वंचित नहि कऽ दय।
Explore प्रकाशित-वाक्य 3:11
9
प्रकाशित-वाक्य 3:2
जागू, आ जे किछु अहाँ लग बाँचल अछि, तकरा मजगूत बनाउ, कारण ओहो मरऽ पर अछि। हम अपन परमेश्वरक दृष्टि मे अहाँक काज सभ केँ अपूर्ण पौलहुँ।
Explore प्रकाशित-वाक्य 3:2