1
इब्रानी 8:12
jivən səndesh
mai
हम ओकरा सभक अपराध क्षमा कऽ देबैक और ओकरा सभक पापक स्मरण फेर कहियो नहि करब।”
Compare
Explore इब्रानी 8:12
2
इब्रानी 8:10
प्रभु आगाँ कहैत छथि, “आबऽ वला समय मे इस्राएलक वंशक संग हम वचन दऽ कऽ जे विशेष सम्बन्ध स्थापित करब से ई अछि— हम अपन नियम सभ ओकरा सभक मोन मे राखि देबैक आ ओकरा सभक हृदय पर लिखि देबैक। हम ओकरा सभक परमेश्वर रहबैक आ ओ सभ हमर लोक रहत।
Explore इब्रानी 8:10
3
इब्रानी 8:11
तखन एकर आवश्यकता नहि रहत जे केओ अपना पड़ोसी केँ सिखाबय वा अपना भाय केँ कहय जे, ‘प्रभु केँ चिन्हू,’ किएक तँ छोट सँ पैघ धरि सभ केओ हमरा चिन्हत।
Explore इब्रानी 8:11
4
इब्रानी 8:8
मुदा परमेश्वर अपन लोक पर दोष लगबैत ई कहलनि, “प्रभु कहैत छथि जे, देखह, ओ समय आबि रहल अछि जहिया हम इस्राएलक और यहूदाक वंश केँ वचन दऽ कऽ ओकरा सभक संग एक नव सम्बन्ध स्थापित करब।
Explore इब्रानी 8:8
5
इब्रानी 8:1
हमरा सभक कहबाक अर्थ ई अछि जे अपना सभक एहन महापुरोहित छथि जे स्वर्ग मे महान् परमेश्वरक सिंहासनक दहिना कात बैसलाह।
Explore इब्रानी 8:1