इब्रानी 8
8
यीशु द्वारा परमेश्वर आ हुनका लोकक बीच नव आ श्रेष्ठ सम्बन्ध
1हमरा सभक कहबाक अर्थ ई अछि जे अपना सभक एहन महापुरोहित छथि जे स्वर्ग मे महान् परमेश्वरक सिंहासनक दहिना कात बैसलाह। 2ओ ओहि पवित्र स्थान मे, अर्थात् वास्तविक मिलाप-मण्डप मे, सेवा करैत छथि जकरा मनुष्य नहि, बल्कि प्रभु ठाढ़ कयलनि।
3प्रत्येक महापुरोहित एहि लेल नियुक्त कयल जाइत छथि जे ओ चढ़ौना आ बलिदान सभ चढ़बथि। तेँ ई आवश्यक छल जे अपनो सभक एहि महापुरोहित लग चढ़यबाक लेल किछु होनि। 4जँ ओ पृथ्वी पर रहितथि तँ ओ पुरोहित होयबे नहि करितथि, कारण, धर्म-नियमक अनुसार चढ़ौना चढ़यबाक लेल पुरोहित सभ छथिए। 5ओ सभ एहन पवित्र स्थान मे सेवा करैत छथि जे स्वर्ग मेहक पवित्र स्थानक प्रतिरूप आ छाया मात्र अछि। कारण, मूसा जखन मिलाप-मण्डप बनयबाक लेल तैयार छलाह तखन परमेश्वर हुनका आज्ञा देलथिन जे, “सावधान रहह, हम जे किछु तोरा पहाड़ पर देखौने छिअह तोँ ताही नमूनाक अनुसार सभ किछु बनबिहह।”#8:5 प्रस्थान 25:40 6जे सेवा-काज ओ पुरोहित सभ करैत छथि, ताहि सँ यीशुक सेवा-काज अधिक श्रेष्ठ अछि, जहिना ई नव सम्बन्ध जे परमेश्वर यीशुक माध्यम सँ अपना लोकक संग स्थापित कयने छथि से पुरान वला सँ श्रेष्ठ अछि, और श्रेष्ठ बात सभक विषय मे देल गेल वचन पर आधारित अछि। 7पहिल सम्बन्ध मे जँ कोनो त्रुटी नहि रहैत तँ नव सम्बन्ध स्थापित करबाक आवश्यकते की होइत? 8मुदा परमेश्वर अपन लोक पर दोष लगबैत ई कहलनि,
“प्रभु कहैत छथि जे,
देखह, ओ समय आबि रहल अछि
जहिया हम इस्राएलक और यहूदाक वंश केँ
वचन दऽ कऽ ओकरा सभक संग एक नव सम्बन्ध स्थापित करब।
9प्रभु कहैत छथि जे,
ई ओहि सम्बन्ध जकाँ नहि होयत
जे हम ओकरा सभक पूर्वज सभक संग
ओहि समय मे स्थापित कयलहुँ
जहिया हम ओकरा सभ केँ मिस्र देश सँ
हाथ पकड़ि कऽ निकालि अनने छलहुँ।
ओ सभ ओहि सम्बन्ध केँ नहि मानि कऽ
हमरा संग विश्वासघात कयलक।
तेँ हम ओकरा सभ सँ मुँह घुमा लेलहुँ।”
10प्रभु आगाँ कहैत छथि,
“आबऽ वला समय मे इस्राएलक वंशक संग
हम वचन दऽ कऽ जे विशेष सम्बन्ध स्थापित करब से ई अछि—
हम अपन नियम सभ ओकरा सभक मोन मे राखि देबैक
आ ओकरा सभक हृदय पर लिखि देबैक।
हम ओकरा सभक परमेश्वर रहबैक
आ ओ सभ हमर लोक रहत।
11तखन एकर आवश्यकता नहि रहत जे केओ अपना पड़ोसी केँ सिखाबय
वा अपना भाय केँ कहय जे, ‘प्रभु केँ चिन्हू,’
किएक तँ छोट सँ पैघ धरि सभ केओ हमरा चिन्हत।
12हम ओकरा सभक अपराध क्षमा कऽ देबैक
और ओकरा सभक पापक स्मरण फेर कहियो नहि करब।”#8:12 यर्मि 31:31-34
13परमेश्वर एहि सम्बन्ध केँ “नव” कहि कऽ पहिलुका स्थापित सम्बन्ध केँ पुरान ठहरौलनि। और जे पुरान अछि आ काजक नहि रहल से लुप्त होमऽ-होमऽ पर अछि।
Currently Selected:
इब्रानी 8: mai
Highlight
Copy
Compare
Share
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
©2010 The Bible Society of India and © Wycliffe Bible Translators, Inc.