मती 1
1
येसु खिरिस्टके पुरखासब
(लुका ३:२३-३८)
1अबराहम आ दाउदके सन्तान येसु खिरिस्टके बंसाबली ऐनङके छै। 2अबराहमके बेटा इसहाक रहै, इसहाकके बेटा याकुब, याकुबके बेटा यहुदा आ ओकर भाइ-भैयारीसब रहै। 3यहुदाके बेटा फारेस आ जेरह रहै। ओकरासबके माँके नाम तामार रहै। फारेसके बेटा हेसरोन, हेसरोनके बेटा आराम, 4आरामके बेटा अम्मीनादाब, अमिनादाबके बेटा नहसोन, नहसोनके बेटा सल्मोन, 5सल्मोनके बेटा बोअज आ ओकर माँके नाम राहाब रहै। बोअजके बेटा ओबेद आ ओकर माँके नाम रुथ रहै। 6यिसैके बेटा रजा दाउद रहै।
दाउदके बेटा सोलोमन रहै आ ओकर माँ उरियाहके घरबाली रहै। 7सोलोमनके बेटा रहबाम, रहबामके बेटा अबिया, अबियाके बेटा आसा, 8आसाके बेटा यहोसापात, यहोसापातके बेटा यहोराम, यहोरामके बेटा उज्जियाह, 9उज्जियाहके बेटा योताम, योतामके बेटा आहाज, आहाजके बेटा हिजकिया, 10हिजकियाके बेटा मनस्से, मनस्सेके बेटा आमोन आ आमोनके बेटा योसियाह रहै। 11बेबिलोन देससे बन्दी बन्याके लजाइ बखत योसियाहके बेटा यकोनियास आ ओकर भाइसब जलमल रहै।
12बेबिलोनमे ल्यागेलाके बाद यकोनियासके बेटा सालतिएल जलमलै आ सालतिएलके बेटा यरुबाबेल, 13यरुबाबेलके बेटा अबिउद, अबिउदके बेटा एल्याकिम, एल्याकिमके बेटा आजोर, 14आजोरके बेटा सादोक, सादोकके बेटा आखिम, आखिमके बेटा एलिउद, 15एलिउदके बेटा एलाजार, एलाजारके बेटा मतान, मतानके बेटा याकुब, 16आ याकुबके बेटा योसेफ जे मरियमके घरबला रहै, ओहि मरियमसे खिरिस्ट कहाइबला येसुके जलम भेलै।
17अहिनङ अबराहमसे ल्याके दाउद तक चौद पुस्ता छेलै। तब दाउदसे ल्याके इजराएलीसबके बन्दी बनाबै तक बेबिलोनोमे लजाइ बखत चौदहे पुस्ता हैछै। तब बेबिलोनसे बन्दी बन्याल समयसे ल्याके येसु खिरिस्ट तक फेनो चौदहे पुस्ता पुगैछै।
येसु खिरिस्टके जलम
(लुका २:१-७)
18येसु खिरिस्टके जलम एहेन परकारसे भेलै- ओकर माँके मङनी योसेफसङे भेल छेलै, महज ओइसबके बियाह हैसे पहिने पबितर आत्माके सक्तिसे मरियमके देहभारी भेलै।#लुका १:२७ 19महज ओकर घरबला योसेफ धारमिक लोक भेलाके कारनसे मरियमके समाजके अगा कोनो बदनामी नै हेबे कैहके ओकरा चुपेचाप छोरैके बिचार करल्कै। 20महज जब योसेफ यह्या बातके बिचार करतै रहै, तब सपनामे परमपरभुके स्वरगदुत एलै आ ओकरा अनङ कहल्कै, “हे दाउदके खानदानके योसेफ, तु मरियमके आपन घरबालीके रुपमे अपनाबैले नै डेरा, कथिलेत जे ओकर पेटमे छै, उ पबितर आत्मासे चियै। 21उ एकटा बेटा जलमाइतौ आ तु ओकर नाम येसु राखिहे, कथिलेत उ आपन लोकसबके ओकरासबके पापसे बचाइतौ।”#लुका १:३१
22अगमबक्तासे परमेस्वरके कहल बचन पुरा हैकेलेल यिसब भेल छै- 23“देख, कुमाइर छौरिके देहभारी हेतौ आ उ एकटा बेटा जलमाइतौ आ ओकर नाम इम्मानुएल राखल जेतै” जकर अरथ हैछै, “परमेस्वर हमरासबसङे छै।”#यसैया ७:१४
24ततबेहेकमे योसेफके निन टुइटगेलै आ परमपरभुके स्वरगदुत ओकरा कहल बमौजी योसेफ मरियमके आपन घरबालीके रुपमे अपनाइल्कै। 25मरियमके बेटा नै जल्मै तक योसेफ ओकरसङे नै सुत्लै। जब बालकके जलम भेलै तब योसेफ ओकर नाम येसु राखल्कै।#लुका २:२१
اکنون انتخاب شده:
मती 1: MTHB
هایلایت
به اشتراک گذاشتن
کپی
می خواهید نکات برجسته خود را در همه دستگاه های خود ذخیره کنید؟ برای ورودثبت نام کنید یا اگر ثبت نام کرده اید وارد شوید
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: